मीनापुर (मुजफ्फरपुर)। तीन दिन स जारी छात्र क कोशिश आखिरकार सफल भेल। नक्सली नरम पड़लाह आ शिक्षक क पिटाई स अपन पल्ला झाड़ि लेलथि। एकर संगहि पिटाई केनिहार कए जनअदालत मे कार्रवाई करबाक घोषणा करि शिक्षक सब स बेखौफ नियमित विद्यालय एबाक अनुरोध केलथि अछि। इ अनुरोध कई दिन स बंद टेंगरारी उच्च विद्यालय मे चिपकल पर्चा मे कैल गेल अछि। माओवादी क आड़ मे हरकत करनिहार लोकक संख्या दिन प्रति दिन बढल जा रहल अछि, एहन लोक कए पर्चा मे चेतावनी देल गेल अछि। पर्चा मे कहल गेल अछि जे संगठन क नाम पर गलत हरकत करनिहार कए जनअदालत मे सजा देल जाएत। ताजा घटनाक्रम क बाद
विद्यालय खुलल आ पढाई शुरू भ गेल अछि।
विद्यालय क मैट्रिक परीक्षार्थी कए प्रवेश पत्र उपलब्ध करा देल गेल अछि। विद्यालय क अनुसेवी छात्र-छात्रा मे प्रवेश पत्र वितरित केलथि।
भाकपा माओवादी पश्चिम जोनल कमेटी क दिस स साटल गेल पर्चा पर लिखल अछि जे टेंगरारी हाई स्कूल क सब शिक्षक स अनुरोध अछि जे सब शिक्षक मिलकए स्कूल कए चालू करि। गुण्डा-बदमाश होशियार भ जाउ, सजा देबा लेल माओवादी छथि तैयार। टेंगरारी हाई स्कूल क शिक्षक प्रमोद कुमार सिंह आ वीरेन्द्र कुमार सिंह क पिटाई मे संलिप्तता स माओवादी साफ इनकार केलथि अछि आ अपन बैनर क इस्तेमाल करनिहार कए जन अदालत मे सजा देबा क फरमान जारी केलथि अछि। संगठन बच्चा स सेहो शांतिपूर्ण पढ़ाई करबाक अपील केलक अछि।
जिला शिक्षा पदाधिकारी रवींद्र नाथ पांडेय कहला अछि जे छात्र क भविष्य बेहद महत्वपूर्ण अछि। विद्यालय मे शिक्षक क गरिमा बरकरार रहए आ पढ़ाई सुचारू भ सकए एकर व्यवस्था कैल जा रहल अछि।