पटना। बिहार एखन जे प्रयोग करि रहल अछि ओ अदभुत त अछिये संग संग ओकर सफलताक सेहो आंकडा सबहक सामने आबि रहल अछि। देश मे संभवतः बिहार पहिल एहन राज्य अछि जतए पुलिस बच्चा कए स्कूल पहुंचा रहल अछि। कोनो कारण स स्कूल नहि जा रहल बच्चा कए बिहार पुलिस स्कूल मे नामांकन करबा रहल अछि आ ओकरा स्कूल पठेबा लेल ओकर माइबाप कए प्रेरित करि रहल अछि। एतबे नहि बहुत ठाम त पुलिए बच्चा कए रोजाना स्कूल त पहुंचा रहल अछि।
पुलिस मुख्यालय क आंकड़ा क मुताबिक पिछला वर्ष राज्य क पुलिस 34,707टा बच्चा क दाखिला स्कूल मे करेलक अछि। एहि योजना मे भोजपुर जिला राज्य क अन्य जिला क तुलना मे सबस आगू अछि। एहि वर्ष क पहिल माह मे सेहो पुलिस 3699 बच्चा कए स्कूल मे दाखिला करौलक अछि।
भोजपुर मे जतए जनवरी में 420टा बच्चा क नामांकन कराउल गेल अछि ओतहि पटना मे 336 आ नालंदा मे 285 बच्चा क स्कूल मे दाखिला कराउल गेल अछि। राज्य क नक्सलग्रस्त बांका, मुंगेर, लखीसराय, जमुई जिला मे सेहोे जनवरी मे 40 स 50टा बच्चाक दाखिला पुलिस करेलक अछि।
राज्य क अपर पुलिस महानिदेशक राज्यवर्धन शर्मा कहैत छथि जे गरीब परिवार क बच्चा क स्कूल मे दाखिला करेबाक संग पुलिस आब एहि पर नजरि सेहो रखैत अछि जे ओ रोज स्कूल जा रहल अछि या नहि।
ओ कहला जे एहि स तीनटा गप भ रहल अछि, एकटा जे साक्षरता दर बढि रहल अछि, दोसर जे किछु बाल मजदूरी पर सेहो लगाम लागि रहल अछि आ तेसर सबस पैघ इ जे पुलिस क छवि मे सुधार भ रहल अछि। खास क गाम घर मे पुलिस क प्रति आम लोक क विश्वास बढ़ल अछि।
राज्य क शिक्षा मंत्री पीके शाही सेहो मानैत छथि जे इ मुहिम अपन रंग देखा रहल अछि।