• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बदलि कए रहब बिहार

November 12, 2009
in समाद विशेष
A A

बिहार कए गौरवांवित करनिहार छात्र-छात्रा कए बिहार गौरव सम्मान देल गेल। बिहार कएहि गौरव स समदिया रिंकू झाक गपशपक

हमरा काफी खुशी अछि जे हमरा एहि सम्मान स सम्मानित कैल गेल अछि। देश मे हमरा लोकनि कए दलित, मुसहर आदि जाति कए आगू बढेबाक क जरूरत अछि। आइ पूरा देश मे आतंकवाद फैल रहल अछि। एकरा एक मात्र शिक्षा स कम कैल जा सकैत छैक। हम एकर शुरूआत 1986 मे केलहुं। 2002 मे हम साक्षरता मिशन स जुडि़ गेलहुं। शुरूआती दिन मे हमरा काफी पेरशानी भेल । महिला घर स बाहर निकलबा लेल तैयार नहि छलीह। हुनका मे सब किछु छल। आगू बढबाक जोश, उत्साह दूनू, मुदा ओकरा सही दिशा नहि हेबाक कारण वो पिछड़ैत चलि गेलीह। हमर उद्देश्य हुनका स्वाबलंबन बनेबाक अछि। जीवन मे आगू बढबा लेल एक मात्र अक्षर ज्ञान क आवश्यकता नहि अछि। जरूरी अछि सही संस्कार आ सही चीज क बारे मे हुनका जानकारी हुए। हम हरदम प्रयास करै छी जे हुनका अपन बल पर ठार कैैल जाए। आइ सेहो हमर समाज मे काफी लोक छथि जिनका साक्षर स दूर-दूर तक कोनो रिश्ता नहि अछि। वो एतबा गरीब छथि जे अपने स किछु नहि करि सकैत छथि। बस हुनका सही मौक देबाक जरूरत अछि।
दो लाख टका क अक्षर श्री सम्मान पौनिहार प्रेमा शाह क कहब अछि-

काफी नीक लगल जखन हमरा इ सम्मान देल गेल। सफलता क खुशी त हाइते छैक, मुदा अगर एहि तरहक सम्मान भेटैत छैक त लगैत छैक जे हमारा लेल हमर प्रदेश सोच रहल अछि। एहन मे हम कतबो गाू चलि जाए अपन शहर आ अपन राज्य कए नहि बिसरी सकैत छी। हम चाहैत छी जे अपन प्रदेश मे फैशन कए एकटा नव ऊंचाई दी।
श्िजनी, एनआईएफटी 09 मे प्रथम, एक लाख का इनाम

इ काफी खुशी क गप अछि। एहि तरहक सम्मान स एकटा जुड़ाव बनैत अछि। एहन मे हम अपन प्रदेश कए एकटा नव ऊंचाई देबा लेल प्रेरित भेलहुं अछि।
धर्मेंद्र कुमार पांडेय, पीजीएमएटी 09 मे प्रथम, तीस हजार

ओना त बिहार हरदम पढ़ाई मे आगू रहल अछि, मुदा एहि बिहार क गौरव क सम्मान अपन आप मे एकटा सम्मान अछि।
तपेश्वर सिंह, पीजीएमएटी 09 मे द्वितीय, तीस हजार

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

अपन राज्य मे सम्मान भेटब एकटा खास सम्मान अछि। एहि गांधी मैदान मे हम कहियो घूमबा लेल अबैत रही आइ सम्मान लेबा लेल आयल छी, नीक लागि रहल अछि। हम अपन प्रदेश कए आयुर्वेद क क्षेत्र मे काफी आगू ल जेबाक प्रयास करब।
रंजना कुमारी, पीजीएमएटी 09, एमडी आयुर्वेद मे थर्ड रैंक, तीस हजार

आइ बिहार मे आयुर्वेद क स्थिति काफी दयनीय भ गेल अछि। एहन मे हम आयुर्वेद कए आगू ल जेबा लेल काज करब । जेना विदेश मे आयुर्वेद कए महत्व देल जा रहल अछि तहिना हम अपन प्रदेश मे एकर महत्व बढ़बा लेल काज करब।
ऋचा सिंह, पीजीएमएटी 09 मे प्रथम, तीस हजार

आयुर्वेद कए एकटा बुलंदी देबा लेल आ अपन प्रदेश मे एकर विकास लेल काज करय चाहैत छी। इ सम्मान हमारा सब कए अंदर जोश भरि देलक अछि। ।
अमृत जीवन, पीजीएमएटी 09 जेनरल मे दोसर रैंक, तीस हजार

इ गौरव हमर नहि हमर प्रदेश क छी जाहि ठाम आयुर्वेद कए इतबा महत्व देल जा रहल अछि। बिहार मे आयुर्वेद कॉलेज कए एकटा सही दिशा देबाक जरूरत अछि। इ सम्मान हमरा लोकनि कए अपन प्रदेश क लेल किछु करबा क जोश द रहल अछि।
आनंद गुप्ता, पीजीएमएटी 09 जेनरल मे थर्ड रैंक, तीस हजार

आइ यूपीएससी क परीक्षा हमरा लेल कठिन नहि रहि गेल अछि। ओना हरदम स बिहारी एहि मे काफी आगू रहलथि अछि। काफी नीक लगल इ सम्मान पाबिकए, किया कि अपन प्रदेश क सम्मान हमरा अन्य प्रदेश मे सेहो गौरवांवित करैत अछि।
सुष्मित, यूपीएससी नई दिल्ली, आईएएस परीक्षा 08 मे चतुर्थ रैंक, पचास हजार

काफी खुशी भेल जखन पता चलल जे हमरा बिहार क गौरव सम्मान देल जा रहल अछि। हम कोशिश करब जे मेडिकल क क्षेत्र मे नव टेक्नोलॉजी क विकास बिहार मे अन्य राज्य क समान हुए।
राम मुरारी कुमार, बीसीईसीई मे दोसर रैंक, तीस हजार

आइ सेहो पुलिस क प्रति लोक क विश्वास सही नहि अछि। पुलिस क प्रति लोकक विश्वास बढ़े हमरा इ प्रयास रहत। आइ क दिन हमरा लेल यादगार रहत, जे सरकार हमरा सम्मान द रहल अछि।
राकेश कुमार, बीपीएससी 47वीं मे बिहार पुलिस सर्विस मे प्रथम रैंक, तीस हजार

हम अपन प्रदेश कए एकटा नव दिशा दिए चाहैत छी। हम डॉक्टर क रूप मे अपन प्रदेश अपन शहर क लोक क सेवा करए चाहैत छी। आइ काफी खुशी क क्षण अछि जखन हम अपन घर मे सम्मानित भ रहल छी। मेहनत क सही रिजल्ट त आइ हमरा भेटल अछि।
गर्विता सिंह, बिहार संयुक्त प्रवेश प्रतियोगिता परीक्षा 09 मे प्रथम रैंक, पीसीएस

हमरा प्रदेश याद केलक त हम सेहो एहि गौरव कए कहियो नहि बिसरब। अपन प्रदेश कए आगू बढ़ेबा लेल जे होयत से करब। आब इहे हमर उद्देश्य अछि। हम एकटा नव प्लानिंग करि कए अपन प्रदेश क सबटा कमी कए दूर करबाक प्रयास करब।
प्रियंका कुमारी, बिहार संयुक्त प्रवेश प्रतियोगिता परीक्षा 09 मे तृतीय रैंक, पीसीएम

सच पूछू त आइ हमरा सन बिहारी अपना कए धन्य मानि रहल अछि। सब क्षेत्र मे बिहारी सब दिन आगू रहल, मुदा सबटा गौरव एक ठाम कहियो जमा नहि भेल छल। आइ इ देख आंखि नोरा गेल।
अमूल्य रत्न, बिहार संयुक्त प्रवेश प्रतियोगिता परीक्षा 09 मे प्रथम रैंक, पीसीएम जेनरल

Tags: Biharबिहार

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

हड़ताल पर गेल डीएमसीएच क जूनियर डॉक्टर

Esamaad Epaper Website

बिहार क लाल कए भेटल मित्तल राष्ट्रीय पुरस्कार

आब छात्र कए सेहो भेटत साइकिल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि