सोनपुर। हरिहर क्षेत्र सोनपुर मेला क इतिहास मे एहन पहिल बेर भेल जे सरकारी स्तर पर एकर समापन क घोषणाक बावजूद दर्शक क भीड़ कम नहि भेल, जाहि स मेला मे लागल दुकान समेटल नहि जा सकल। मेला आयोजन समितिक क लोक क कहब अछि जे सरकारी स्तर पर हरिहरक्षेत्र सोनपुर मेला क रविदिन समापन भ गेल। एहि समापन क प्रभाव केवल राज्य आओर केन्द्र सरकार क विभिन्न प्रदर्शनी पर पड़ल। इ प्रदर्शनी समटा गेल। मुदा मेला मे दर्शक क भीड़ नखास स चिड़िया बाजार मोड़ आ ड्रोलिया चौक होइत हरिहर नाथ मंदिर तक क लगभग एक किलोमीटर क भू-भाग पर शिफ्ट भ गेल अछि। एखनो मेला मे 50 हजार स बेसी दूरदराज क दर्शक पहुंचलथि अछि आओर जमकए खरीदारी भ रहल अछि। भीड़ मे ग्रामीण क्षेत्र क महिला क संख्या बेसी अछि। घरेलू जरूरत क चीज क बिक्री तेज भ गेल अछि। मेला मे जम्मू-कश्मीर स आयल एक दर्जन स बेसी दुकानदारक अलावा लुधियाना, अमृतसर, पानीपत, सोनीपत, सहारपुर, हरिद्वार, मेरठ, मुजफ्फर नगर, नीरपुर आदि व्यापारी एहि ठाम स एखन जेबा लेल तैयार नहि छथि। बिक्री स दुकानदार उत्साहित दथि आ अगिला 15-20 दिन तक मेला मे ठहरबाक इरादा व्यक्त करि रहल छथि। प्रशासन आ राजस्व मंत्री रमई राम दूनू गोटे एहि आलोक मे सबटा आवश्यक सेवा कए बहाल रखबाक घोषणा करि देलथि अछि। व्यापारीक सुरक्षा क लेल मेला क प्रत्येक बाजार मे पुलिस क सघन गश्त जारी अछि।