मानसून दुहारि पर आ भेल नहि 25 फीसदी नाला क उड़ाही
पटना। नीतीश सरकार जून मे अपन रिपोर्ट कार्ड देत, मुदा एखन धरि जे हालात अछि ओहि मे नगर विकास विभाग अपन कार्य प्रणाली क कारण सबस खराब स्थान पर कब्जा केने अछि। एहि विभागक योग्यता इ अछि जे इ अपने त फेल करबे करत, एहि बरसात मे नीतीश सरकार कए सेहो डूबा सकैत अछि। कहल जाइत अछि जे नीतीश सरकार पटना कए छोडि़ आन कोनो शरि पर ध्यान नहि द रहल अछि आ सबटा विकास पटना मे देखबा मे भेटैत अछि। लेकिन हालत इ अछि जे मानसून दुहारि पर अछि आ राजधानी क 75 फीसदी नाला आ मैनहोल जाम अछि। एहन मे राजधानी पर एक बेर फेर स डूबबाक खतरा मंडरा रहल अछि। आम लोग क अलावा नगर निगम क अधिकारी आ कर्मचारी सेहो सशंकित छथि। नाला क सफाई चलि रहल अछि, मुदा एखन धरि 25 फीसदी नाला क उड़ाही नहि भ सकल अछि। मैनहोल आ कैचपिट क सफाई क आंकड़ा सेहो 35 फीसदी कए पार नहि करि सकल अछि। अमूमन 15 जून तक मानसून अपन उपस्थिति दर्ज करा दैत अछि। एहि साल लोक कए जलजमाव स छुटकारा भेटत, एहि संबंध मे निगम क अधिकारी आश्वस्त नहि दथि।
दू साल पहिने 10 दिन तक राजेंद्रनगर मे नाव चलल छल। मुख्यमंत्री कहने छलाह, अगिला एक-दू साल मे पटना कए जल जमाव स मुक्ति भेट जाएत। ज्ञात हुए जे राज्यक उपमुख्यमंत्री आ नगर विकास मंत्री राजेंद्रनगर मे रहैत छथि, तखन एहि मोहल्लाक इ हाल अछि। दू माह मे 25 फीसदी सफाई नहि भ सकल अछि एहन मे कोनो सोचल जा सकैत अछि जे जून मे सफाई काज पूरा करि लेल जाएत। बरसात स पहिने बचल 75 फीसदी सफाई कोना होएत, एहि पर निगम क अधिकारी चुप्पी साधि लैत छथि। निगम सूत्र क कहब अछि जे नहि मजदूर अछि आ नहि उपकरण। 30 जून स पहिने मात्र कागज पर नाला, मैनहोल आ कैचपिट क सफाई भ सकैत अछि। मशीन नहि रहबा क कारण भूगर्भ नाला क सफाई संभव नहि अछि।
बांकीपुर अंचल
खुलल नाला क लंबाई : 1,09,100 वर्गफीट
साफ भेल: 42,015 वर्गफीट
कुल मैनहोल : 2768
साफ कराए गए : 1316
कुल कैचपिट : 4456
साफ भेल : 1690
कंकड़बग अंचल
खुलल नाला क लंबाई : 2,55,350 वर्गफीट
साफ भेल : 26,950 वर्गफीट
कुल मैनहोल : 8760
साफ भेल : 2909
कुल कैचपिट : 13,306
साफ भेल : 3070
पटना सिटी अंचल
खुलल नाला क लंबाई : 3,87,750 वर्गफीट
साफ भेल : 1,18,400 वर्गफीट
कुल मैनहोल : 145
साफ भेल : 119
कुल कैचपिट : 198
साफ भेल : 194
नूतन राजधानी अंचल
खुलल नाला क लंबाई : 4,22,609 वर्गफीट
साफ भेल : 78,227 वर्गफीट
कुल मैनहोल : 11,858
साफ भेल : 3,277
कुल कैचपिट : 11,476
साफ भेल : 2369