पटना। ऐतिहासिक विरासत समेटे दरभंगा राज किला क सरकार अधिग्रहण करबाक तैयारी मे अछि। मकसद एहि पुरातात्विक महत्व क भवन क संरक्षण-संवर्धन अछि। सरकारी स्तर पर दरभंगा राज किला आ अहिल्या स्थान कए संरक्षित क्षेत्र घोषित करबाक कार्रवाई चलि रहल अछि। कला आ संस्कृति विभाग क अनुसार हाल मे विभाग आ पुरातत्व निदेशालय क संयुक्त बैठक मे दरभंगा राज किला कए बिहार प्राचीन स्मारक आ पुरातात्विक स्थल, अवशेष आओर कला निधि अधिनियम 1976 क उप धारा 12 क आलोक मे अधिग्रहण क प्रस्ताव बढ़ेबा पर सहमति बनल अछि। सरकार किला मे अतिक्रमण आ बेजा तरीका स सम्पत्ति क खरीद-फरोख्त पर विराम लगेबाक प्रयास मे अछि। सरकार क चिंता राज्य मे पसरल एहन तमाम पुरातात्विक महत्व क स्थल कए लकए अछि। हाल मे सरकार पैघ संख्या मे एहन स्थल कए संरक्षित घोषित केलक अछि। सबटा संरक्षित पुरास्थल कए सोलर लाइट स जगमग करबाक योजना अछि। कला संस्कृति सचिव एकरा लेल विभाग क इंजीनियरिंग सेल कए इ निर्देश देलथि अछि जे सबटा पुरास्थल पर सोलर लैंप क आवश्यकता क गणना करैत अनुमानित लागत क प्रस्ताव पठेबा लेल ब्रेडा स अनुरोध कैल जाए। काज जल्द हुए एकरा लेल व्यक्तिगत संपर्क कैल जाए। रोशनी क संग हर पुरातात्विक महत्व क स्थल-स्मारक क सुंदरीकरण क लेल बागवानी, सफाई आ एकर रखरखाव क काम आउटसोर्सिग क जरिए करेबाक निर्णय सेहो लेल गेल अछि।