पटना। राज्य सरकार आइएएस अधिकारीक बेर-बेर दिल्ली जेबा पर रोक लगा देलक अछि। आब मुख्यमंत्री क अनुमति क बाद कोनो अधिकारी एक महीना मे एक बेर स बेसी दिल्ली जा सकताह। अधिकारी स दिल्ली क बजाय गाम मे जा कए सीधा ग्रामीण स भेंट करि आ योजना क समीक्षा करबा लेल कहल गेज अछि।
मुख्य सचिव एहि संबंध मे आदेश सेहो जारी करि देलथि अछि। आदेश मे कहल गेल अछि जे बैठक क सिलसिला मे अधिकारी क दिल्ली या राज्य क बाहर भ्रमण स राज्यक विकास बाधित भ रहल अछि। सबटा प्रधान सचिव आ सचिव बैठक क प्रासंगिकता आ राज्य हित कए देखैत राज्य स बाहर जाइथ। मुदा, इ सुनिश्चित करब आब आवश्यक अछि जे माह मे कम स कम एक बेर अधिकतम दू दिन क लेल ओ दिल्ली या राज्य स बाहर रहथि।
मुख्य सचिव अपन पत्र मे कहला अछि जे अनिवार्य कारण स मास मे एक बेर स अधिक राज्य क बाहर भ्रमण क आवश्यकता पड़ला पर मुख्य सचिव क माध्यम स मुख्यमंत्री क अनुमोदन लेनाइ आब जरूरी होएत। अनुमति सेहो तखने भेटत, जखन संबंधित अधिकारी ग्रामीण इलाक क भ्रमण क चुकल हेताह। अथार्त बिना गाम भ्रमण केने आब दिल्लीक बाट मुश्किल नहि असंभव करि देल गेल अछि।
गाम भ्रमण कए उपयोगी बनेबा लेल भ्रमण स लौटलाक बाद अपन रिपोर्ट सरकार कए देबा लेल कहल गेल अछि। पत्र मे इ सेहो कहल गेल अछि जे सरकार क महत्वपूर्ण कार्यक्रम कए प्रभावी आ त्वरित ढंग स लागू करेबा लेल सबटा वरीय अधिकारी कए मुख्यालय क संग-संग क्षेत्र मे जाकए कार्यक्रम आ परियोजना क सतत मॉनीटरिंग हेबाक चाही।