नई दिल्ली। ठीक कहल गेल अछि जे जतए अशांति अछि ओतहि बुद्ध जन्म लैत छथि। सामाजिक कार्यकर्ता अन्ना हजारे आइ भ्रष्टाचार क खिलाफ मोरचा लेने छथि। अन्ना क जन्म सेहो आहि ठाम अछि जतए भ्रष्टाचार चरम पर अछि। महाराष्ट्र भ्रष्टाचार क मामला मे देश मे नंबर एक पायदान पर अछि। सरकारी आंकड़ा क अनुसार महाराष्ट्र मे भ्रष्टाचार क आलम इ अछि जे एहि ठाम सब दिन कम स कम तीनटा मामला दर्ज भ रहल अछि। ट्रान्सपैरेंसी इंटरनेशनल क 2007 मे आयल रिपोर्ट मे बिहार देश मे सबस भ्रष्ट राज्य छल। मुदा आब इ स्थान महाराष्ट्र ल चुकल अछि। एहि मामला मे बिहार काफी नीचा आबि गेल अछि आ महाराष्ट्र क बाद राजस्थान तखन ओडिशा क स्थान अछि।
महाराष्ट्र मे 2009 मे भ्रष्टाचार क 473 मामला दर्ज भेल छल। 2000 स 2009 क बीच राज्य मे भ्रष्टाचार क 4655 मामला आयल। मामलाक संख्या रोज बढि रहल अछि। सरकारी आंकडा कहैत अछि जे राज्य क राजस्व (रेवेन्यू) विभाग सबस भ्रष्ट विभाग अछि। एकर बाद स्कूल-कॉलेज क मंजूरी देबा मे सबस अधिक भ्रष्टाचार अछि।
सामाजिक कार्यकर्ता आओर ‘इफेक्टिव अकाउंटेबिलिटी एंड ट्रांसपैरेंसी’ क संस्थापक सदस्य मिलिंद कोटक कहैत छथि जे भ्रष्टाचार क बेसी मामला मे एहि ठाम शिकायत दर्ज नहि भ रहल अछि। यदि कोनो अधिकारी क लिखाफ भ्रष्टाचार क केस दर्ज होइत अछि त ओ अपन केस कोनो पैघ वकील कए सौंप दैत अछि ओतहि सरकारी वकील ढिलाई दैत छथि, जाहि स भ्रष्ट अधिकारी आसानी स छूटि जाइत छथि। राज्य मे भ्रष्टाचारक हालत एतबा खराब अछि जे ‘केवल मुंबई मे भ्रष्टाचार क 150 शिकायत दर्ज भ रहल अछि। एहि मे स 60 स 65 फीसदी मामला मे आरोपी क खिलाफ केस दर्ज होइत अछि।’
e-samwad, you have raised a very pertinet point about Maharshtra! But what about Maithili-donminated Bihar where rampant corruption is on -but no action -only eye wash because Nitish is so called Mr clean- please see to Bihar also where not only corruption has taken alarming trend but also rate of corruption money has been raised by 15 times. Bihar is neck-deep of poverty and corruption and the Nitish govt has made life miserable of common masses-write some thing about Bihar also! Nitish in the grab Mr clean is a great encourager of corrupt practices in Bihar . only announcements -no concrete work in the last one year-second term of Nitish Kumar as chief minister of Bihar my blog- http://www.kksingh1.blogspot.com