नई दिल्ली। सामाजिक आर्थिक विकास क मामला मे नरेंद्र मोदी क गुजरात सबस ऊपर अछि, जखन कि दोसर पायदान पर लंबा छलांग लगा बिहार पहुंच गेल अछि। रिपोर्ट मे बताउल गेल अछि जे 2008-09 मे 16.59 फीसदी क विकास दर क संग बिहार क प्रदर्शन सबस नीक रहल अछि। संसद मे आइ पेश वित्त वर्ष 2010-11 क आर्थिक समीक्षा मे एहि तथ्य क अलावा गौर करबा योग्य गप इ रहल जे ओडिशा क प्रदर्शन सेहो उम्मीद स नीक रहल। वित्त वर्ष 2002-03 स 2008-09 तक 7 वर्ष क दौरान गरीबी निवारण, स्वास्थ्य, शिक्षा, ग्रामीण रोजगार गारंटी आओर स्वास्थ्य मिशन क क्षेत्र मे भेल काज क आधार पर विभिन्न राज्य मे आर्थिक सामाजिक विकास क स्थिति क आकलन कैल गेल अछि।
रिपोर्ट मे कहल गेल अछि जे एहि 7 वित्त वर्ष मे गुजरात क बाद आश्चर्यजनक रूप स बिहार क स्थान अछि। तेसर नंबर पर ओडिशा सेहो चौंका रहल अछि। सामाजिक आर्थिक विकास क मामला मे सबस खराब प्रदर्शन मध्य प्रदेश क रहल।
खराब प्रदर्शन क मामला मे पंजाब आ उत्तर प्रदेश क नंबर दू आ तीन अछि।