पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे राज्य क योजना क आकार कए 24 हजार करोड़ टका स कम नहि कैल जा सकैत अछि। दिल्ली मे बिहार क योजना क आकार कए अंतिम रूप देबा लेल योजना आयोग क उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलूवालिया क संग मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क बैठक हेबाक अछि। मुख्यमंत्री कहला जे ओ आयोग लग इ मांग रखताह जे अगिला पंचवर्षीय योजना स विशेष सहायता क रूप मे बिहार कए सालाना चारि हजार करोड़ टका क अतिरिक्त सहायता देल जाए। ओ इ अपेक्षा रखैत छथि जे केंद्र सरकार बिहार क संग सकारात्मक रुख अख्तियार करत। ओना एकर फैसला दिल्ली मे राज्य क वार्षिक योजना आकार तय भेलाक बाद भ जाएत जे केंद्र क बिहार क प्रति की रवैया अछि। मुख्यमंत्री कहला जे बिहार क विकास मे पैघ भूमिका सरकारी निवेश क अछि। सार्वजनिक निवेश साल दर साल नहि बढ़त त विकास क रफ्तार थमि जाएत। इ निवेश कम स कम 20 प्रतिशत क दर स बढ़बाक चाही। योजना आयोग क आकलन मे चूक क चर्चा करैत मुख्यमंत्री कहला जे विशेष सहायता क तहत भेटल राशि स योजना प्रगति क दिस अछि, मुदा ओकरा पूरा करबा लेल 3100 करोड़ टका चाहिए, जखनकि योजना आयोग 1500 करोड़ दे रहल अछि। एहि हिसाब स 1600 करोड़ क अंतर अछि। ओना ओ कईटा योजना केंद्रीय एजेंसी क वजह स विलंबित भेल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे योजना आयोग कए हमर जरूरत कए स्वीकार करए पडत। हम सब क्षेत्र मे खर्च करए चाहैत छी। सोशल सेक्टर क संग हमरा आधारभूत संरचना क क्षेत्र मे सेहो खर्च करबाक अछि। बिजली क क्षेत्र मे महत्वाकांक्षी परियोजना सब कए आगू बढेबाक अछि। मुख्यमंत्री कहला जे अन्य योजना क लेल अतिरिक्त प्रावधान कए ल कए ओ वित्त मंत्री प्रणब मुखर्जी स सेहो भेंट करताह।