प्रीतिलता मल्लिक
पटना। कांग्रेसक ग्रह नक्षर एखन खराब चलि रहल अछि। मोतिहारी मे केंद्रीय विश्वविद्यालय खोलबाक विरोध केंद्रीय मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्बल कए भारी पडि रहल अछि। बिहार प्रदेश कांग्रेस तक एहि मसला पर सिब्बलक संग देबा स इनकार क देलक अछि। एहि मसला पर प्रदेश कांग्रेस विधानसभा मे पास प्रस्ताव क संग ठार भ गेल अछि जाहि मे कहल गेल अछि जे इ विश्वविद्यालय मोतिहारी मे खोलल जाए। विधानसभा परिसर मे पत्रकार संग गप करैत पूर्व कांग्रेस अध्यक्ष सदानंद सिंह कहला जे केंद्रीय मंत्रीक जिद बिहार लेल नीक नहि कहल जा सकैत अछि। मोतिहारी क विरोध सर्वथा गलत अछि। प्रदेश कांग्रेस क रुख पर पूछल गेल एकटा सवाल पर ओ कहला जे सदन मे सर्वसम्मति स मोतिहारी मे केन्द्रीय विवि खोलबाक प्रस्ताव पारित कैल गेल अछि। प्रदेश कांग्रेस सेहो एकर पक्ष मे अछि। ओ कहला जे निश्चित तौर पर राष्ट्रपिता महात्मा गांधी क कर्मभूमि पर उक्त विवि खुलबाक चाही। सदानंद सिंह कहला जे सिब्बल क आधार पक्षपातपूर्ण अछि आ हुनका बिहार क भूगोलक ज्ञान सेहो कम बुझाइत अछि। सिब्ब्ल क निर्णय कए जिद करार दैत श्री सिंह कहला जे एहि प्रकारक फैसला स बिहार मे पार्टी आओर कमजोर होएत। दोसर दिस दिल्ली से लौटलाक बाद मुख्यमंत्री स्पष्ट तौर पर कहला जे केन्द्रीय विवि मोतिहारी मे छोडि आन ठाम कतहु नहि खुलत। सिब्बल क जिद कए बिहार क लोक कए आपस मे लडेबाक साजिश करार दैत ओ कहला जे बिहार एहि मसला पर एकजुट अछि आ कोनो शहर क लोक हुनक एहि घमंडपूर्ण जिद कए स्वीकार नहि करत। ओ कहला जे केंद्र बिहार क लोकक भावना क संग खिलवाड़ क रहल अछि। ओ कहला जे केन्द्रीय मंत्री कपिल सिब्बल राजनीति मे वकालत करैत छथि, मुदा बिहार हुनकर उकसेबा पर कोनो प्रतिक्रिया नहि देत। एक शहर क विरोध मे दोसर शहर कए सामने करबाक हुनक चालि बिहारक सौहार्द बिगाडबाक प्रयास मात्र छी। ओ सिब्बल पर मुंहदेखी करबाक आरोप लगबैत कहला जे ओ मुंह देख कए निर्णय लैत छथि। मुख्यमंत्री कहला जे एहि संबंध मे ओ प्रधानमंत्री स सेहो हस्तक्षेप करबाक मांग केलथि अछि। ज्ञात हुए जे सिब्बल सेन्ट्रल यूनिवर्सिटी पहिने पटना मे खोलबाक फैसला लेने छलाह, मुदा विरोध क बाद आब गया मे खोलबाक प्रयास क रहल छथि जखन कि राज्य विधानमंडल विवि राष्ट्रपिता महात्मा गांधी क कर्मभूमि मोतिहारी मे खोलबाक शुरु स मांग क रहल अछि।