पटना । पूर्व न्यायाधीश मृदुला मिश्रा क कहब अछि जे मिथिलाक लोग मे सहिष्णुता सीताक देन अछि। ओ रविदिन पटनाक विद्यापति भवन मे मैथिली महिला संघ दिस स आयोजित जानकी नवमी पर आयोजित कार्यक्रम कए संबोधित करैत कहलथि जे सीता मिथिलाक हर बेटी लेल आदर्श छथि। सीता जाहि प्रकार स एकटा राजकुमारी भ अपना कए सामान्य परिवेश मे ढाललथि ओ आजुक पीढी लेल सेहो ओतबे अनुकरणीय अछि जेतबा पहिने छल। सीताक जीवन पर प्रकाश दैत मृदुला मिश्र कहलथि जे सीता जाहि परिस्थिति मे अपन पुत्र कए जन्म देलथि आ ओकर लालन पालन केलथि ओ बतबैत अछि जे कठिन स कठिन परिस्थिति मे कोना अपन धैय बचा बच्चा कए योग्य बनउल जा सकैत अछि। ओ कहलथि जे मिथिलाक नारी आइ बहुत आगूजा चुकल अछि, मुदा एक दिन एहनो आउत जखन पुरुष स बहुत आगू मिथिलाक नारी पहुंच जायत।
कार्यक्रम कए मुख्य अतिथि निशा झा कहलथि जे समाज मे महिलाक स्थिति पहिने स बेहतर भेल अछि। शराबबंदी क उल्लेख करैत ओ कहलथि जे इ फैसला नीक बा अधलाह इ त अपन अपन राय छी मुदा एहि फैसला स महिला उत्पीडन क मामला जरुर कम होएत। ओ मैथिली भाषा प्रयोग घर मे बढेबा पर जोर देलथि। कार्यक्रम कए संबोधित करैत पद्मश्री उषाकिरण खान कहलथि जे मंच पर जे पीढी अछि ओकरा आबमंच नव पीढी लेल छोडि देबाक चाही। चेतना समितिक अध्यक्ष व विधान पार्षद विजय कुमार मिश्र मिथिला आ मैथिली स जुडल कार्यक्रम मे कम भागीदारी पर दुख प्रकट केलथि। एहि स सीताक छवि पर पुष्पांजलि अर्पित कैल गेल आ एहि अवसर पर शराबबंदी लेल समस्त मिथिलानी दिस स मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए
धन्यवाद देल गेल।