• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सुधार क बाट पर बिहार

December 5, 2009
in विचार, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

nkantबिहार बदलि रहल अछि। इ समाद एखन धरि बिहार स आबि रहल छल, मुदा पहिल बेर इ शंखनाद दिल्ली स भेल। बिहारक विकास लेल चिंतित पत्रकार मे एक, जागरण क स्थानीय संपादक निशिकांत ठाकुर पिछला हफ्ता अपन एकटा आलेख मे बदलैत बिहार क ओ छवि प्रस्तुत केलाह, जे एखन धरि जागरण क आन संपादकक आलेख मे नहि देखबा मे आयल छल। एकर एकटा कारण इ भ सकैत अछि जे बिहार मे जागरण क एकोटा संपादक बिहारी नहि छथि, जखन कि निशिकांत जी दिल्ली मे रहियो कए बिहार स कहियो दूर नहि भ सकलाह। जाहि अखबार मे किछु साल पहिने तक इ कहल जाइत छल जे बिहार मे मात्र खून बिकाइत अछि, ओहि अखबार मे निशिकांत जीक इ आलेख आशाक एकटा नव दीया जेकां अछि। प्रस्तुत अछि दैनिक जागरण मे छपल निशिकांत जीक ओ आलेखक किछु अंशक मैथिली अनुवाद…..
समदिया

कोसी क तांडव क एखन बहुत दिन नहि बीतल अछि। बिहार नहि त एखन धरि ओहि स उबरा अछि आ नहि ए ओकरा बिसरि सकल अछि। एहन आपदा बिसरबा मे साल नहि, सदी लागि जाइत अछि। हालांकि बिहार क संदर्भ मे इ कोनो नव गप नहि अछि। कोसी पहिनो एहन कहर बरपा चुकल अछि आ लोक ओकर कहर क शिकार सेहो होइत रहल अछि। मात्र कोसी नहि, गंगा, गंडक, कमलाबलान आ कईटा दोसर नदी सेहो पूर्वी उत्तर प्रदेश आ बिहार क लोक लेल शोक बनैत रहल अछि। कटान, बंधान आ राहत कार्य क नाटक हर बेर होइत रहल अछि, इ जनैत जे एहि प्रयास स किछु हासिल होई वाला नहि अछि। नहि त पहिने कहियो सार्थक प्रयास शुरू कैल गेल आ नहि ए कैल जा रहल प्रयास मे ईमानदारी बरतल गेल। बाढ़ जतय एक कात किछु लोक लेल जीवन-मरण क प्रश्न होइत अछि, ओतहि किछु लोक लेल इ कमाई क जश्न सेहो होइत रहल अछि। एहनो नहि जे लोक कए एकर निदान क लेल सही कदम क जानकारी नहि छल, मुदा संसाधन क बंदरबांट क ओहने प्रवृत्ति क कारण एहि दिशा मे कहियो सही कदम उठाउले नहि गेल। बहरहाल, बिहार क जनता क लेल शोक क ओ दिन आब बीतल बुझल जेबाकचाही। आजादी क 60 साल बादे सही, मुदा सही कदम आब उठाउल जा रहल अछि। पूर्व राष्ट्रपति डॉ एपीजे अब्दुल कलाम क सुझाव क मुताबिक बिहार सरकार बाढ़ नियंत्रण योजना कए सुखाड़ स जोड़बाक दिशा मे आब कदम उठा रहल अछि।
वास्तव मे एहि दिशा मे बहुत पहिने काज शुरू करि देबाक चाहैय छल आ ओ मात्र बिहार टा मे नहि , बल्कि पूरा राष्ट्रीय स्तर पर इ काज हेबाक चाही। एहि संबंध मे कई बेर कई तरह क प्रस्ताव सेहो देल जा चुकल अछि। देश भरि क सबटा नदी कए आपस मे जोडि़ देबाक राजग सरकार क प्रस्ताव एहि दिशा मे शुरू कैल गेल एकटा प्रयास छल। इ अलग गप अछि जे ओ प्रस्ताव कोनो परिणाम तक पहुंच नहि सकल। मुदा बिहार मे ओकरा राज्य स्तर पर धरातल तक अनबाक कोशिश शुरू भ गेल अछि। कोशिश जखन शुरू भ गेल अछि त देर-सबेर ओकर नतीजा सेहो सामने आउत। ओनाओ एकटा राज्य सरकार क प्रयास क दायरा सेहो अपन राज्य स बाहर नहि भ सकैत अछि। ओ जे प्रयास करत अपन राज्य मे करि सकैत अछि। हालांकि इ प्रस्ताव एखन बिलकुल शुरुआती दौर मे अछि, मुदा बताउल जा रहल अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि मसला पर खासा गंभीर छथि।
वस्तुत: इ सुझाव पूर्व राष्ट्रपति डॉ एपीजे अब्दुल कलाम क छी। ओ जल संसाधन विभाग क विशेषज्ञ कए सुझाव देने छलाह जे ओ जल प्रबंधन क माध्यम स राज्य मे उपलब्ध पाइन क उपयोग करथि। खुद सरकार एहि स पहिने बिहार जल प्रबंधन सिस्टम बनेबाक प्रस्ताव देेने छल, जेकरा संशोधित करि डॉ कलाम बिहार जल प्रबंधन निगम बनेबाक सलाह देलाह। वस्तुत: जल प्रबंधन क सही व्यवस्था नहि हेबाक कारण स तमाम गाम आ शहर मे सार्वजनिक पोखर पर लोक क कब्जा भ गेल अछि। एकर अंधाधुंध दोहन हेबाक कारण कईटा क्षेत्र मे भूगर्भ जलस्तर बहुत नीचा चल गेल अछि। एकर चलते कईटा क्षेत्र मे सुखाड़ क समस्या उत्पन्न भ गेल अछि। विशेषज्ञ त एतबा धरि चिंता जता चुकला अछि जे अगर समय रहैत एकर निदान नहि ताकल गेल त कईटा क्षेत्र मे पेयजल क समस्या ठार भ जाइत। एकर विपरीत अगर जल प्रबंधन क व्यवस्था करि देल गेल त सूखा क संग-संग बाढ़ क समस्या सेहो अपने-आप हल भ जाइत। हर साल बाढ़ राहत आ सूखा राहत क नाम पर करोड़क करोड़ टका बर्बाद करनिहार सरकार कए सेहो राहत भेट जाइत आ ओ धन क सदुपयोग दोसर विकास कार्य मे भ सकत।
एहन नहि जे पिछला सरकार कए एहि गपक जानकारी नहि छल, मुदा पहिने एकर समाधान क दिशा मे ईमानदारी स प्रयास नहि कैल गेल। सच त इ अछि जे पिछला दू दशक मे जे सरकार बिहार मे रहल, ओ नहि त आम जनता क समस्या कए बुझबाक कोशिश केलक आ नहि ए ओकर समाधान क। ओकर कुल रुचि केवल एकटा काज मे छल आ ओ छल समस्या कए दबेबा क । नीतीश सरकार समस्या कए दबेबाक बजाय ओकर समाधान क दिशा मे ठोस कदम उठेबाक पहल केलक अछि। पिछला चारि साल मे ओ सब तरह क समस्या कए जमीनी स्तर पर बुझलाह आ ओकर वास्तविक समाधान क कोशिश केलथि अछि। ओ समस्या चाहे कानून-व्यवस्था क रहल या फेर भ्रष्टाचार क, शिक्षा क रह हो या चिकित्सा या किसान क लेल खाद-बीज क उपलब्धता क। एकर असर आब बिहार मे साफ तौर पर देखल जा सकैत अछि। चारि साल पहिने तक सब दिस हताश नजरि अबैत छल, आब एहि राज्य क लोक मे नव सिरा स उत्साह क संचार हुए लगल अछि आ पूरा राज्य मे पुनर्निर्माण क माहौल सन बनि गेल अछि। इ अपने आप मे एकटा पैघ उपलब्धि अछि। हालांकि एकरा उपलब्धि मानि लेबा मे कोनो समझदारी नहि होइत। समझदारी वस्तुत: एहि गप मे अछि जे एखन राज्य मे सकारात्मक सोच आ व्यवस्था क प्रति विश्वास क जे माहौल बनल अछि, ओकर उपयोग करि विकास कए गति देल जाए। विकास क एहि प्रक्रिया क सार्थकता त एहि गप मे अछि जे राज्य स पलायन क प्रक्रिया रोकल जा सकए। बिहार क जनता एहि त्रासदी आ अपमान स मुक्ति चाहैत अछि आ इ तखन धरि संभव नहि अछि जखन धरि राज्य मे औद्योगीकरण क बेहतर व्यवस्था नहि बना देल जाए। किया कि जखन धरि किछु पैघ उद्योग नहि आउत तखन धरि लोकक लेल रोजगार क व्यवस्था नहि बनि सकत। जल प्रबंधन क संग-संग अगर औद्योगीकरण क सेहो बेहतर व्यवस्था बना देल जाए, त राज्य क संकट काफी हद तक हल भ जाइत। कृषि आ उद्योग, एहि दूनू क्षेत्र मे बेहतरी क लेल कानून-व्यवस्था कए दुरुस्त करब जरूरी छल आ एहि प्रयास मे नीतीश सरकार काफी हद तक सफल रहल अछि। आब ओकरा औद्योगीकरण क दिशा मे गंभीरतापूर्वक प्रयास शुरू करबाक चाही।

Tags: Biharjagran

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

आईआईटी आ एनआईटी क लेल 800 एकड़ जमीन अधिग्रहीत

Esamaad Epaper Website

डॉ अजीत बनलाह एलएन मिश्र संस्थान क निदेशक

Esamaad Epaper Website

लक्ष्य स पाछु अछि बिहार क सात रेल परियोजना

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि