भागलपुर/राजगीर/पटना । गुलाबी सर्दी क मौसम मे गीत क गर्मी बिहारक तीनटा शहरक वातावरण कए गुलजार बना देने छल। भागलपुर महोत्सव, राजगीर महोत्सव आ पटना मे महुआ टीवीक सुर संग्रामक गा्रंड फेनाले। भागलपुर मे रिकार्ड तोड भीड आ राजगीर मे विदेशी पाहुनक चहल पहल जतए बिहार क बदलैत माहौल कए गवाह बनल, ओहि ठाम पटनाक गांधी मैदान मे भेल सुर संग्राम मे 50 गोट उपद्रवी क हंगामा प्रायोजित बुझा रहल अछि। ओनाओ इ कार्यक्रम जनताक सहभागिताक नजरि स ओतेक महत्वपूर्ण नहि छल। तथापि इ एकटा बाहरि लोक लेल उदाहरण त जरूर बनत।
भागलपुर महोत्सव क गप करि त किशोर दा क मातृक एक बेर फेर महोत्सव क माध्यम स उभरैत कलाकार कए तकबाक आ तराशबाक प्रयोगशाला बनल। स्थानीय टीटीसी परिसर मे आयोजित महोत्सव मे स्थानीय गायक सब अपन सुर क जरिए अपन गायकी क छाप छोड़लक।
भागलपुरी संस्कृति कए सुरक्षित रखबा लेल कैल गेल इ आयोजन पूर्णतः सफल रहल। पिछला पांच साल स भ रहल भागलपुर महोत्सव मे भीड साल दर साल बढि रहल अछि। एहि साल महोत्सव क विभिन्न प्रतियोगिता मे करीब 1500 प्रतिभागी भाग लेलथि, जे एकटा रिकार्ड अछि।
नाट्य परंपरा कए जीवित रखबा लेल शुरू भेल इ महोत्सव आइ संगीत क कईटा विधा कए पहरेदार बनि गेल अछि। महोत्सव देखबा लेल आयल लोक सब भीड़ देख अचंभित छथि। भीड़ क आगू जगह छोट पड़ि रहल छल, एकर बावजूद कोनो हंगामा नहि। लोक कए देखि कए सहज इ अनुमान लागि जाइत छल जे एहि ठाम क दर्शक सेहो संगीत साधक स कम नहि छथि है। नव साल क एहि स नीक आओर कि स्वागत भ सकैत अछि। एक जमाना छल जखन बहुत रास बंगाली परिवार भागलपुर स पलायन करि गेल छल। आइ ओहि सपन दा क कहब छल जे भागलपुर अपन रूप मे वापस आबि रहल अछि।
बदलाव क इ बयार खाली भागलपुर महोत्सव मे नहि देखबा मे आयल। राजगीर महोत्सव मे सेहो एहि बेर पिछला बेर स बेसी भीड देखल। विदेशी पाहुन लेल आरक्षित सीट भरल छल। पहिने जेकां एहि पर स्थानीय लोकक कब्जा नहि छल। रविवार दिन लंबा इंतजार क बाद पार्घ्श्व गायिका सपना अवस्थी मंच पर एलथि त जोरदार ताली इ कहि रहल छल जे पहिने जेकां देर भेला पर आब कुर्सी नहि उछलत। ओ जख बन्नो तेरी अखियां शीर्षक गीत शुरू केलथि त दर्शक शांत भ कए रहल, मुदा छैयां-छैयां स महफिल मे नचनिहार अपना कए रोकि नहि सकलाह। दर्शक दीर्घा मे बैसल विदेशी पाहुन सेहो बड़ उत्सुकता स बिहारक सभ्यता आ सांस्कृतिक क दर्शन करि रहल छलथि।
पटना मे इ बुझब कठिन अछि जे हंगामा किया भेल। जखन कि पटनाक कार्यक्रम मे राज्यपाल सहित कईटा विशेष अतिथि मौजूद छलाह, सुरक्षाक पुख्ता इंतजाम छल, तकर बाद कोनो अज्ञात गप लेल भेल हुडदंग एहन आशंका जता रहल अछि जे एकर पाछु कोनो प्राजोजित मंशा छल। ओना एहि लेल कार्यक्रमक आयोजनकर्ता पूरा जिम्मेदार छथि किया कि गांधी मैदान मे पुस्तक मेला चलि रहल अछि आ काफी संख्या मे लोक ओहि जमा होइत अछि, मुदा कोनो प्रकारक हंगामा ओहि ठाम नहि भेल अछि, एहन मे अगर एहि ठाम हंगामा भेल त चूक दर्शक मे कम आयोजनकर्ता मे बेसी देखा रहल अछि।