• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सुविधा भटत त बिहार मे सेहो खोलब यूनिट : सागर

May 25, 2011
in समाचार, साक्षात्‍कार
A A

बिहार आ खास कए मिथिलाक लोक लेल इ कहल जाइत रहल अछि जे हिनका सब मे उद्यमिताक अभाव अछि आ इ सब नौकरी करबा लेल योग्‍य छथि। मुदा नौकरी करनिहारक भीड मे किछु उद्यमीक जन्‍म सेहो भ रहल अछि, जे कतहु न कतहु बिहार क बदलैत सोच कए देखा रहल अछि। इ समाद समय समय पर एहन उद्यमी स गप करैत रहैत अछि जे अपन लगन आ मेहनत स नव बाट पर चलबाक कोशिश केलक आ सफल भेल अछि। एहि क्रम मे एहि बेर प्रस्‍तुत अछि मोबाइल चार्जर आ वायर बनेनिहार सागर ग्रुप आफ कंपनी क मालिक आ दरभंगा क जाले प्रखंडक रहनिहार सागर मिश्र स लंबा चर्चा क किछु अंश-: समदिया

प्र। दिल्‍ली कहिया एलहुं
-हम दिल्‍ली 2006 मे एलहुं।

प्र। दिल्‍ली एबाक कारण उद्यमी बनबाक छल
-नहि, बीसीए केलाक बाद नौकरी तकबा लेल आयल रही। काफी दिन तक एहि मे सफलता नहि भेटत। काफी कष्‍टगर रहल ओ दिन।

प्र। नोकरी भेटबा मे केहन दिक्‍कत भेल
-शायद योग्‍यता कम रहला स लोक नोकरी नहि द रहल छल।

प्र। सफलता कतए आ केना भेल
-सलोरा इंटरनेशनल लिमिटेड मे सबस पहिने सेल्‍स एज्‍यूक्‍यूटिब क काज भेटल। वेतन बहुत कम छल मुदा हमरा लग दोसर विकल्‍प नहि छल। हम ओहि ठाम लगभग साल भरि काज केलहुं। एकरबाद दोगुना वेतन पर आइटीपी इंफोटक प्रलि ज्‍वाइंन केलहुं। छह माह ओहि ठाम रहलाक बाद अमेरिका क एकटा कंपनी सागा इंडिया प्रलि मे उत्‍तर भारत क प्रभाग क अधिकारी क तौर पर ज्‍वांइन केलहुं। मुदा मंदीक दौर मे इ कंपनी क हालत खराब भेल आ हमर नौकरी नहि रहल।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

प्र। कि इ उद्यमी बनबा लेल मौका देलक
– नहि, इ नौकरी छुटलाक बाद हम किछु दिन गाम चल गेलहुं आ ओहि ठाम स आबि एक बेर फेर नौकरी लेल प्रयास शुरू केलहुं। मुदा एहि बेर बेसी दिक्‍कत नहि भेल आ भीमराजका इंप्रेक्‍स लिमिटेड मे हमरा नौकरी भेट गेल। एहि ठाम हम बहुत किछु सीखलहुं।

प्र। उद्यमी बनबाक विचार कहिया आयल
– उद्यमी बनबाक सपना त बच्‍चे स छल। जे नौकरी केलहुं ओहि मे सबटा काज अपने स करबाक प्रयास रहैत छल जे इ बुझबा मे आबि जाए जे इ काज कोना होइत अछि। सब नौकरी क दौरान उद्यमी बनबाक संभावना तकैत छलहुं। नौकरीक दौरान सेहो दोस्‍त मित्र सब मजाक उडबैत छल जे अहां जाहि ठाम नौकरी करैत छी ओकरे सन कंपनी खोलबाक योजना पर काज शुरू करि दैत छी।

प्र। सागर ग्रुप आफ कंपनीक शुरुआत कोना भेल
– दरअसल दिमाग मे त बहुत किछु चलैत रहैत छल, ओहि दौरान एक दिन हमर मोबाइल फोनक चार्जर खराब भ गेल आ लग क एकटा दुकान मे गेलहुं। दुकानवाला 80 टका मे एकटा चार्जर देलक। हमरा बड अजीब लागल। हमरा संग हमर मित्र जे इलेक्‍टिक इंजिनियर छथि सेहो छलाह, दूनू गोटे तत्‍काल एहि योजना पर काज शुरू करि देलहुं। जल्‍द सबटा खाका तैयार भ गेल। सवाल पूंजी क छल, हाथ मे कोनो एहन रकम नहि छल जाहि स इ काज शुरू कैल जा सकए। मुदा एहि ठाम हमरा अजित मार्केंटिग आ सेल्‍स क अनुभव काज देलक। जेकर बाद 2010 मे हम अपन कंपनीक शुरुआत केलहुं।

प्र। कंपनीक शुरुआत केला पर नौकरी छोडि देलहुं
– कंपनीक शुरुआत मे हम नौकरी नहि छोडने रही, मुदा जल्‍द इ बुझबा मे आबि गेल जे आब दूनू संग संग नहि चलि सकैत अछि आ हम अंतत: नवंबर 2010 मे नौकरी स अलग भ गेलहुं।

प्र। कंपनी लेल आखिर पूंजीक जुगार कोना भेल
– देखू इ कहब त मुश्‍किल अछि जे पूंजीक व्‍यवस्‍था कोना भेल मुदा इ जरूर कहब जे उद्यमी बनबा लेल हमरा जेब स एक टाका नहि लागल।

प्र। कंपनी ग्रुप ऑफ कंपनी कोना बनल
-शुरुआत त एसएन इंडस्‍टी स भेल जे केवल मोबाइल चार्जर बनबैत छल, लाइफ लोंग, मोबल आ रिबॉक ब्रांड स। मुदा हम सब आइ सागर वाइर आ केबुल सेहो शुरू केलहुं अछि जे चार्जर क केबुल सेहो बना रहल अछि। बहुत कम दिन मे हम सब मोबाइल चार्जरक हर सामान अपना कंपनी मे बनेबाक काज शुरू करि चुकल छी। एसएन इंडस्‍टी आब मोबाइल बेटरी आयात करि रहल अछि, ताहि लेल सागर ग्रुप आफ कंपनी क एकटा आन ब्रांच कैम टेक इंडिया केमिकल क्षेत्र मे सेहो सक्रिय भ चुकल अछि आ एकर कईटा ब्रांड (Silicone Spray, Grease, Injection molding maintainance aerosol Products)….बाजार मे उपलब्‍ध अछि।

प्र। सागर ग्रुप आफ कंपनीक सालाना व्‍यापार केतबाक होएत
-सागर ग्रप कए आइ सालाना छह करोड क टर्नओवर अछि।

प्र। एहि कंपनी मे अहां असगर छी कि कियो साझीदारो छथि
– आधिकारिक रूप स त कियो नहि, मुदा हमर छोट भाई रंजन मिश्र सेहो हमर संग काज कए रहल छथि, ओ प्रोडक्‍शन आ सप्‍लाई मे हमर मदद करैत छथि।

प्र। एहि कंपनीक कोनो इकाई बिहार मे खोलबाक कोनो योजना अछि बा नहि
– कहल जाए त इच्‍छा केकरा नहि होइत अछि। हमरा सेहो इच्‍छा अछि। अगर सुविधा आ बाजार बिहार मे भेट जाए त हम जरूर बिहार मे अपन कंपनीक एकटा उत्‍पादन यूनिट खोलब। एहि दिस हमर नजरि अछि आ हम बिहार सरकारक प्रस्‍तावित ओद्यौगिक नीति कए बाट ताकि रहल छी। ओकरा देखलाक बाद एहि दिस ठोस निर्णय लेब। ओना एखन हमर कंपनीक चारिटा शहर मे डीलर अछि। पटना, दरभंगा, सीतामढी आ मुजफफरपुर मे हमर डीलर अछि। डीलरक चयन मे हम बेरोजगार युवक कए प्राथमिकता दैत छी। पूंजीक अभाव वाला नवयुवक सब कए रोजगार क अवसर उपलब्‍ध करेबा लेल हम एतबा धरि छूट दैत छी जे ओ सामान बेचलाक बाद टका जमा करथि। हम आगू सेहो बिहार मे अपन इ नीति कए जारी राखब।

प्र। कंपनी कोनो सामाजिक दायित्‍व क सेहो निर्वाह करैत अछि
– हम सब अपन सामाजिक दायित्‍व कए सेहो नहि बिसरलहुं अछि। हाल मे पटना मे एकटा स्‍वंय सेवी संस्‍था PEOPLE FOR HUMANITY क निबंधन केलहुं अछि जे विभिन्‍न प्रकारक सामाजिक काज कए रहल अछि।

Tags: darbhangadelhisagar mishra

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

कोसीक चिंता पर केंद्र गंभीर

Esamaad Epaper Website

केन्द्रीय एजेंसी स मांगल गेल वर्क प्‍लान

Esamaad Epaper Website

नेउरा मे बनत अरबी-फारसी विवि परिसर

Comments 8

  1. कमलेश किशोर झा says:
    14 years ago

    सागर भाई,
    सर्वप्रथम सागर ग्रुप ऑफ इंडस्ट्रीज के आगामी सफलताक कामना आ संगे ई-समाद डॉट कॉम के बहुत बहुत धन्यबाद जे सागर भाई के अन्तर्वार्ता प्रकाशित केलहु.

    धन्यवाद
    कमलेश

    Reply
    • Saga Mishra says:
      14 years ago

      Dhnyabaad Kamlesh Kishor Jha ji

      Reply
  2. pankaj jha says:
    14 years ago

    bahut bahut subhkamana sagar bhai aaha ke bhagwati aaur safalta daith

    Reply
  3. Vijay Kumar says:
    14 years ago

    Sagar Bhai,

    bahut neek…

    Reply
  4. Saga Mishra says:
    14 years ago

    Dhnyabaad sab gota ke aa dhnyabaad esamaad.com ke 🙂

    Reply
  5. sarbesh kumar says:
    14 years ago

    bahut bahut subhkamana sagar bhai aahan ke bhagwati aaur safalta daith
    सागर भाई,
    सर्वप्रथम सागर ग्रुप ऑफ इंडस्ट्रीज के आगामी सफलताक कामना आ संगे ई-समाद डॉट कॉम के बहुत बहुत धन्यबाद जे सागर भाई के अन्तर्वार्ता प्रकाशित केलहु…………………………………………

    Reply
  6. KISLAY KRISHNA says:
    14 years ago

    my best wishrs to sagar bhai for golden industrial future….

    Reply
  7. ABHISHEK JHA says:
    14 years ago

    Apna sang-sang anako rojgar dabak prayas atyant sarahania aachhi.
    Katak maithil ta apna ka top par pahuchollath muda mithila la kaaj karaa wala ka aabhav aachhi.
    Ahank safalta la hamar savhaK Mangalkamana.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि