नई दिल्ली । आंकडा बिहार में विकास क हवा नहि आंधी चलि रहल अछि एकरा एक बेर फेर सही साबित करि देलक अछि। केंद्र सरकारक ताजा आंकडा राज्य क नीतीश कुमार सरकार क खाता में एकटा आ उपलब्धि राखि देलक अछि। बिहार विनिर्माण क्षेत्र में विकास क मामला में 2010-11 में देश में पहिल पायदान पर पहुंच गेल अछि। ओतहि विकास क तेज धार आ देश क तमाम राज्य कए रोजगार देनिहार महाराष्ट्र सहित अन्य राज्य बिहार स बहुत पाछु छूटि गेलाह अछि।
इ जानकारी कोनो निजी संस्था या व्यक्ति नहि बल्कि लोकसभा में एकटा लिखित जवाब में वाणिज्य आ उद्योग मंत्री आनंद शर्मा देलथि अछि। बिहार क एहि छलांग कए रेखांकित करैत श्री शर्मा कहला जे बिहार में विनिर्माण क्षेत्र में विकास दर 2010-11 में 15 प्रतिशत रहल अछि, जखकि एहि स एक साल पहिने राज्य क विकास दर 15.2 प्रतिशत छल। राज्य 2008-09 में विनिर्माण क्षेत्र में 21.9 प्रतिशत क बढ़ोतरी क कीर्तिमान बनेने छल। ओ कहला जे सामान्य रूप स देखल जाए त बिहार अपन रिकॉर्ड स पाछु जा रहल अछि आ पिछला 3 साल क दौरान राज्य क विनिर्माण क्षेत्र क्रमश: खसि रहल अछि। मुदा गौरलतब इ अछि जे एहि दौरान आन राज्यक गिरावट बिहार स कहीं बेसी दर्ज कैल गे अछि।
विकासक मोरचा पर बिहार कए एहि बेर छत्तीसगढ़ टक्कर देलक अछि। राज्य में विनिर्माण क्षेत्र क उत्पादन में 2010-11 क दौरान 13 प्रतिशत क बढ़ोतरी भेल छल, जखनकि पिछला साल राज्य 10 प्रतिशत क बढ़ोतरी दर्ज केने छल। ओतहि 2008-09 में राज्य में विनिर्माण क्षेत्र में 2.4 प्रतिशत क मामूली बढ़ोतरी दर्ज भेल छल। केंद्र शासित राज्य आ अन्य राज्य में 2010-11 क दौरान विनिर्माण क्षेत्र में दू अंक में वृद्धि दर हासिल करनिहार हरियाणा, पंजाब आ पांडिचेरी रहल।
औद्योगिक क्षेत्र में अग्रणी राज्य महाराष्ट्र एहि मामला मे काफी पाछु भ गेल अछि। ओ विनिर्माण क्षेत्र क विस्तार नहि करि सकल अछि। राज्य 2010-11 में 8.6 प्रतिशत क वृद्धि दर हासिल केलक अछि, जखनकि पिछला साल वृद्धि दर 16.3 प्रतिशत छल। खनन क्षेत्र क प्रमुख राज्य झारखंड क पिछला 3 साल स लगातार खराब प्रदर्शन जारी अछि। राज्य क विनिर्माण क्षेत्र में गिरावट क दर 2010-11, 2009-10 आ 2008-09 में क्रमश: 5.5 प्रतिशत, 6 प्रतिशत आ 31.8 प्रतिशत रहल अछि।
E vikas sab Bihar me katay bhay rahal achhi wa sirf Kagaj par bhay rahal achhi, E got hamar sangi 3 sal pahine Bihar me Teacher me kary parlaith hunkar haal suni ke bahut besi dukhi bhelhu je aakhir kehen vikas kakar vikas jatay Sal me 2 se 3 ber 5000 ke hisab se salary del jayat achhi oho pura nahi kono ber 2 mahine ke te kono ber 3 mahina ke.
Dayakant जी सही प्रश्न आ बहुत सटीक हदाहरण देल अपने ।