नई दिल्ली। बिहारक हित लेल आब बिहारक नेता दलगत भावना स धीरे-धीरे उपर भ रहल छथि। सेना सेवा कोर कए बरकरार रखबा लेल केंद्रीय रक्षा मंत्री एके एंटनी कए दबाव बढ़ेबा लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क संग आब राजद सांसद रघुवंश प्रसाद सिंह सेहो सामने आबि गेलथि अछि। ओ एंटनी कए पत्र लिखकए कहला अछि जे सेना सेवा कोर क स्थानांतरण करब बिहारक हित क विरुद्ध होएत। पहिने कई बेर इ प्रयास भ चुकल अछि। लिहाजा आब एहि प्रकारक कोनो योजना कए स्थाई तौर पर खत्म कैल जाए। रघुवंश बाबू एंटनी स इ अपील केलथि अछि जे ओ अपन कार्यकाल मे बिहार संग कोनो अहित नहि हुए दथि। गौरतलब अछि जे गया मे काफी दिन स सेना सेवा कोर स्थापित अछि। पिछला किछु साल स किछु खास अधिकारी एकरा गया स स्थानांतरित करि बेंगलूरू ल जेबाक कोशिश कए रहल छथि। ओना बिहार क विरोध कैला पर कहल जाइत अछि जे एकर बदला मे रक्षा मंत्रालय ओहि ठाम आफिसर्स ट्रेनिंग अकादमी शुरू करबाक योजना तैयार केने अछि। हालांकि बिहार सरकार एहि लेल तैयार नहि अछि। सरकार क कहब अछि जे अकादमी लेल सरकार अलग स जगह देत, मुदा एकटा चीज कए हटा दोसर लेबाक कोनो औचित्य नहि। पिछला सप्ताह बिहार क नगर विकास मंत्री प्रेम कुमार राजद सांसद आ पूर्व केंद्रीय मंत्री रघुवंश स एहि संबंध मे गप केने छलाह। एकर बाद रघुवंश बाबू एंटनी कए पत्र लिखकए कहला अछि जे 2001 स एखनधरि मे इ चारिम प्रयास छी। हर बेर रक्षा मंत्री क हस्तक्षेप स इ रुकैत रहल अछि आ बिहार क अहित हेबा स बचैत रहल अछि। लिहाजा ओ अपन रहैत स्थानांतरण क योजना कए स्थाई तौर पर निरस्त करि दथि।