नई दिल्ली । मैथिली साहित्यकार सोमदेव कए एहि साल क प्रबोध साहित्य सम्मान देबाक फैसला कैल गेल अछि। मैथिली क प्रमुख स्तंभ रहल कोलकाता विश्वविद्यालय क पूर्व प्राध्यापक प्रो. प्रबोध नारायण सिंह क स्मृति मे स्वस्ति फाउंडेशन क दिस स देल जाइवाला एहि पुरस्कार क तहत लेखक कए एक लाख टका नकद आ प्रतीक चिह्न प्रदान कैल जाइज अछि। फाउंडेशन क अध्यक्ष प्रो. उदयनारायण सिंह नचिकेता छथि। कहल जा रहल अछि जे निर्णायक मंडल सर्वसम्मति स इ फैसला केलक अछि। चयन प्रक्रिया ईमेल पर आधारित छल आओर निर्णायक सब अपन विचार एहि माध्यम स देलथि। आचार्य सोमदेव कए इ पुरस्कार 19 फरवरी कए पटना क कालिदास रंगालय मे समारोह आयोजित करि प्रदान कैल जाएत। उल्लेखनीय अछि जे स्थानीय लहेरियासराय जीएन गंज निवासी आ महारानी कल्याणी कॉलेज क हिन्दी विभाग स सेवानिवृत प्राध्यापक आचार्य सोमदेव क जन्म 5 मार्च, 1934 कए भेल अछि। मैथिली कविता संग्रह सहस्रमुखी चौकपर क लेल 2002 मे साहित्य अकादेमी दिल्ली स पुरस्कृत भ चुकल छथि। जिला क बेनीपुर अनुमंडल क दाथ गाम क मूल निवासी आचार्य सोमदेव मैथिली मे कविता संग्रह कालध्वनि, सोम सतसइ, सोम पदावली, संगीत नाटक चरैवेति, कथा संग्रह आगि तांबूल वनमे, उपन्यास चानोदाइ आ होटल अनारकली क रचना करि चुकल छथि। हुनका 2001 ई. – श्री सोमदेव, दरभंगा;यात्री-चेतना पुरस्कार भेटल अछि।