इंडियन रेड कांग्रेस क 70म अधिवेशन गांधी मैदान मे चलि रहल अछि। एकरा ल कए स्थानीय इंजीनियर मे सेहो उत्साह क माहौल अछि। ककरो लेल आइआरसी मे भाग लेबाक पहिल मौका अछि तो ककरो लेल राज्य मे आइआरसी मे भाग लेबाक पहिल मौका। एकटा गप सब लेल समान रहल जे सबहक लेल आइआरसी क 70म अधिकवेशन अपन राज्य मे आयोजित भेनाई गर्वक गप अछि। स्थानीय किछु इंजीनियर स गप केलथि समदिया यशवंत कुमार
प्रेम नाथ- हम त पहिल बेर इंडियन रोड कांग्रेस मे भाग ल रहल छी। हमरा लेल इ वाकई बेहतर मौका अछि। सच कहू त एहि तरहक अधिवेशन मे भाग लेलाह क बाद इंजीनियर कए अपना कए अपग्रेड करबाक मौका भेटैत छैक।
संजय शर्मा- हमरा पहिल बेर कोनो आइआरसी मे भाग लेबाक मौका भेटल अछि। हम सब अपना कए अपग्रेड करबा लेल एकरा एकटा बेहतर मौका मानि रहल छी। एतबे नहि बिहार क तमाम सिविल इंजीनियर क दिस स आरसीडी क इंजीनियर कए एहि स काफी लाभ भेटत।
सूर्यकांत- हम पिछला साल कोलकाता मे आइआरसी मे भग लेने रही, मुदा एतेक पैघ स्तर पर ओहि ठाम आयोजन नहि भेल छल। ओहि ठाम त मात्र 97टा कंपनी आयल छल, मुदा एहि ठाम त एक सौ स बेसी कंपनी आयल अछि।
अभय कुमार- एतबा इंजीनियरक लेल एहि ठाम एतबा नीक व्यवस्था कहियो नहि भेल छल। एहि मे केवल देश क नहि, देश क बाहर क सेहो कईटा कंपनी आयल अछि। एहि स बिहार क ब्रांडिंग मे सेहो काफी सपोर्ट भेटत। कंस्ट्रक्शन वर्क कए बल भेटत।
नीतू मनी- बिहार क बदलाव कए लोक कए देखबाक मौका भेटल अछि। नीक छै जे बिहार मे सबसे बेसी तेजी स निर्माण कार्य चलि रहल अछि, तखन लोक कए एडवांस्ड टेक्नोलॉजी स रू-ब-रू हेबाक अवसर भेटत।
अरविंद वर्मा- नव पीढ़ी क लोक कए एहि स सबस बेसी लाभ भेटत। खास क रिमोट एरिया मे काज करनिहार ओहन इंजीनियर्स, जे अपन व्यस्तता क कारण एहि तरह क कांग्रेस मे भाग नहि ल सकैत छथि। हुनका लेल इ बेहतर अवसर अछि। सेफ्टी स लकए क्वालिटी वर्क पर फोकस हेबाक मौका भेटत।