• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

हमर फैसला ककरो गला स नीचा नहि उतरि रहल छल : अरुणा

October 30, 2011
in समाचार, साक्षात्‍कार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

अरुणा मिश्र आइ बोक्सिंग क दुनिया मे कोनो परिचय क मोहताज नहि छथि। मिथिलाक सामाजिक बंधन कए तोडि कए विश्व पटल पर मिथिला आओर भारत क नाम रोशन करबा लेल अरुणा कए काफी कठिन बाट तय करए पडल अछि।‍ जखन बोक्सिंग बिहार क युवक लेल सेहो अन्‍यभिज्ञ खेल छल तखन अरुणा एहि खेल मे अपन भविष्‍य तकबाक कोशिश शुरू केलथि। ओ आन धीया जेकां घर मे नहि रहलीह, घर स बाहर निकलि बोक्सिंग क रिंग मे कूदि विश्व पटल पर मिथिला क नाम रोशन केलथि। 32 वर्षीय मिथिलाक एहि मुक्‍केबाज बेटी स इसमाद लेल समदिया सुनील कुमार झा आओर अनित कुमार झा लंबा चर्च केलथि। प्रस्‍तुत अछि ओकर किछु खास अंश:-
प्रश्न – अरुणा जी नमस्कार
उत्तर – नमस्कार.
प्रश्न – सबस पहिने त इ कहू जे मिथिलाक बेटी आ मुक्‍केबाजी, कोनो भेल की मेल।
उत्तर – देखल जाए त नैनपन मे एहि मेल क शुरुआत भेल। हमर पिताजी स्वर्गीय केके मिश्र एकटा एथिलिट छलाह। ओ विश्व स्‍तर पर कई बेर भारत कए प्रतिनिधित्‍व क चुकल छथि। अपन पिता स खेल क प्रति रुझान हमरा मे आयल। परिवार स सहयोग भेटल त हम अपन ध्यान खेल दिस आओर मोडि देल।
प्रश्न – मिथिला मे एखनो इ खेल महिला लेल असंभव आओर अजीब सन अछि, एखन मे अहां बोक्सिंग कए कॅरियर बनेलहुं। केहन मुश्किल आयल।
उत्तर – मुश्किल त सच मे बहुत आयल। सच पूछू त ककरो इ गप गला स नीचा नहि उतरि रहल छल। हमर एहि फैसला पर किछु लोक अजीव टिप्‍पणी सब करए लागल। मोहल्‍ला मे त नहि पूछू लोक इ तक कहए स नहि चूकल जे एहि तरहक खेल मे जेबा स बेटीक ब्‍याह तक नहि होएत। परिवार सेहो एकमत नहि छल, लोक की कहत, समाज मे बदनामी होएत, आर न जाने की की। मुदा एहि कठिन परिस्थिति मे हमर पापा आ बाद मे पति संग देलथि आ आइ हम एहि ठाम छी।
प्रश्न – अपन रोमांचकारी सफ़र क बारे मे किछु बताउ।
उत्तर – बोक्सिंग क प्रोफेशनल शुरुवात हम पंजाब मे केलहुं। भेल इ जे एक दिन हम सब पूरा परिवार क संग फुटबाल खेलाइत रही। फुटबाल खेलाइत काल हमर अचानक हमर पैर मे चोट लागल, चोट गंभीर छल, मुदा तखने हमर एसोसियेशन खबरि देलक जे हमर सेलेक्शन पंजाब स नेशनल गेम क लेल भ गेल अछि। सब मना करि रहल छल जे एहि हालत मे हिस्सा नहि लिय। जीन मे पहिल बेर एहन पैघ प्रतियोगिता मे हिस्‍सा लेबाक मौका भेटल छल। हमर विश्‍वास पर परिवार सेहो हौसला बढेलक आ हम नेशनल गेम मे सिल्वर मेडल जीत लेलहुं। इ हमरा लेल सबस महत्‍वपूर्ण रहल।
प्रश्न – अहां ब्‍याह क बाद सेहो एहि मे सक्रिय छी, कोना भेल संभव।
उत्तर – सच कहू त इ हम आइ धरि नहि बुझि सकलहुं अछि। एकरा संयोग कही या अपना नसीब। हमर पति श्री शिशिर झा बिरसा बोक्सिंग सेंटर क जेनरल सेक्रटरी छथि आओर ओ हमरा एहि लेल प्रोत्‍साहित करैत रहैत छथि। किया कि ओ अपने खिलाडी क बीच मे रहैत छथि ताहि लेल ओ भावनास अवगत छथि आ हुनका पता अछि जे खेल की होइत अछि।
प्रश्न – अहां लग पदक सूची त काफी लंबा अछि, ओना कौन कौन चैम्पियनशिप मे हिस्सा ल चुकलहुं अछि एखन धरि।
उत्तर – देश विदेश क कईटा चैम्पियनशिप मे भाग ल चुकलहुं अछि जाहि मे प्रमुख अछि
विश्‍व स्‍तररीय –
दोसर एशियन वीमेन बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘हिस्सार’ 2003 – स्वर्णपदक
वर्ल्ड बोक्सिंग वीमेन गेम ‘नोर्वे’ – स्वर्णपदक
ट्रेनिंग कम कॉम्पिटिशन इटली(रोम) 2002 – स्वर्णपदक
तेसर एशियन वीमेन बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘ताइवान’ 2005 – रजतपदक
एमिट कमेन्ट बोक्सिंग टूर्नामेंट 2005 – कांस्यपदक
वर्ल्ड बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘दिल्ली’ 2006 – कांस्यपदक
वीनस कप वर्ल्ड बोक्सिंग ‘डेनमार्क’ 2006 – रजतपदक
एमिट कमेन्ट बोक्सिंग टूर्नामेंट ‘टर्की’ 2003 – कांस्यपदक
वर्ल्ड बोक्सिंग वीमेन गेम ‘कजाकिस्तान’ 2009 – रजतपदक
वर्ल्ड पुलिस चैम्पियनशिप न्युयोर्क 2011 – स्वर्णपदक

देश स्‍तरीय-
दोसर इंटर जोनल वीमेन बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘गुंटूर. आँध्रप्रदेश’ 2011 – स्वर्णपदक और सर्वश्रेष्ठ बोक्सर
उंचासम आल इंडिया पुलिस मीट वीमेन बोक्सिंग ‘जम्मू’ 2011 – स्वर्णपदक
चौतिसम नॅशनल गेम ‘जमशेदपुर’ 2011 – स्वर्णपदक
एगाहरम वीमेन सीनियर नॅशनल बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘केरला त्रिशुर’ 2010 – स्वर्णपदक
इंटर जोनल वीमेन बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘त्रिपुर तमिलनाडु’ 2010 – स्वर्णपदक
अरतालिसम आल इंडिया पुलिस मीट वीमेन बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘जमशेदपुर’ 2009 – स्वर्णपदक
दस वीमेन सीनियर नेशनल बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘जमशेदपुर’ 2009 – स्वर्णपदक
तैतीसम नेशनल गेम ‘आसाम’ 2007 – स्वर्णपदक
सातम वीमेन सीनियर नॅशनल बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘विज़ाक’ 2006 – स्वर्णपदक
छठम वीमेन सीनियर नॅशनल बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘टाटानगर’ 2005 – स्वर्णपदक
पांचम वीमेन सीनियर नॅशनल बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘केरला’ 2004 – स्वर्णपदक
चारिम वीमेन सीनियर नॅशनल बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘आसाम’ 2004 – रजतपदक
तेसर वीमेन सीनियर नेशनल बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘मिजोरम’ 2003 – स्वर्णपदक
ईस्ट जोन वीमेन बोक्सिंग चैम्पियनशिप ‘कोलकाता’ 2002 – स्वर्णपदक और सर्वश्रेष्ठ बोक्सर
नेशनल गेम ‘पंजाब’ 2001 – रजतपदक

प्रश्न – मिथिला क बेटी सब स इसमाद क माध्यम स की कहै चाहब।
उत्तर – बेसी त नहि किछु, मुदा इ जरूर कहब चाहब जे सपना देखू आ तखन धरि देखैत रहू जखन तक ओ पूरा नहि भ जाए। बाट मे बहुत दिक्‍कत आउत, बहुत कठिनाइ अहां कए सपना कए तोडबाक कोशिश करत मुदा अहां घबरेने बिना अपन बाट पर आगू बढैत रहू एक दिन अहां मंजिल पर रहब आ अहांक सपना पूरा भ जाएत। अगर अहां अपन विश्‍वास बनेने रहब त एक दिन पूरा विश्व अहां कए सलाम करत, किया कि जे कठिनाइ कए पार जेबाक हिम्‍मत रखैत अछि ओ सिकंदर होइत अछि।
प्रश्न – इसमाद स गप करबा लेल बहुत बहुत धन्यवाद।
उत्तर – अहूं दूनू गोटे कए बहुत बहुत धन्यवाद।

Tags: arunaBiharmithila

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

चीन स जुडत भारत, बिहार बनत प्रवेश द्वार

Esamaad Epaper Website

जब्त हथियार बनल खेती क औजार

Esamaad Epaper Website

लोकहा उपचुनाव 30 नवंबर कए

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि