पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे भ्रष्टाचार स लड़ैत-लड़ैत किया नहि हमर सत्ता चल जाए, मुदा भ्रष्टाचारी कए बिहार स बाहर जाए पडत। एहि काज लेल अगर हमर सत्ता जाइत अछि त हमरा कोनो गम नहि, किया कि हमरा बिहारक लोग पर विष्वास अछि अगिला चुनाव ओ हमरा एहि काज क लेल जीता देत। जनता मन बना लेलक अछि भ्रष्टाचार स लड़बाक। आ हम जनताक संग छी। जे भ्रष्टाचार कए दूर करबाक काज करत जनता क विश्वास ओकरे भेटत। ओनाओ भ्रष्टाचार क मामला मे हमर सरकार क नीति जीरो टालरेंस क अछि। भ्रष्टाचार क कोनो गुंजाइश नहि। हम जनैत छी अगिला किछु मास मे एहि बाट पर चलबा लेल होड़ मचत। मुदा हम चलि चुकलहुं अछि। बदमिजाज लोक बिहार स बाहर जेबा लेल टिकट कटा लउथि। लोक कए इ सोचबाक चाही जे एहि तरह क नौबत नहि एबाक चाही जे अहां कए बिहार स भगवा लेल मजबूर हुए पडए।
कुमार विधानसभा उपभवन मे आयोजित ई गवर्नेस लीडरशिप कार्यक्रम क उद्घाटन कए संबोधित करबा काल भ्रष्टाचारी कए सीधा चेतावनी देलथि-बिहार स बाहर चल जाउ। नहि त काल कोठरी (जेल) मे पठा देल जाएब। ओ कहला जे इ मानि कए चलू जे अगिला चुनाव भ्रष्टाचार क मुद्दा पर होएत। आ जनता सब कए देख रहल अछि।
आईटी क अनिवार्यता क चर्चा करैत मुख्यमंत्री कहला जे आईटी कथनी आ करनी क अंतर कए समाप्त करि देलक अछि। आईटी क महत्व क अंदाजा सिर्फ एहि गप स लगाउल जा सकैत अछि जे कानून, आईटी आ आचरण तीनू क मेल स बेहतर शासन स्थापित कैल जा सकैत अछि। टेक्नालाजी क फायदा भ्रष्टाचार मिटेबा मे सेहो लेल जा रहल अछि। ओ कहला जे इ बर्दाश्त करबा योग्य गप नहि जे लोक अपन जमीन क कागज लेबा लेल या फेर दाखिल- खारिज करेबा लेल जाइत अछि त हुनका स टका मांगल जा रहल अछि। वसुधा केंद्र क माध्यम स एहि पर नियंत्रण पाउल जा सकत। सब पंचायत सरकार भवन मे वसुधा केंद्र स्थापित होएत। निर्धारित शुल्क जमाकरि ओहि ठाम स इ सुविधा लेल जा सकत।