सहरसा। पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिन्टु कहला अछि जे हम रही बा नहि रही एहि महोत्सवक आयोजन सब साल होइत रहत। महोत्सव क आयोजन पर पसरल भ्रम कए दूर करैत पर्यटन मंत्री कहला जे कोसी महोत्सव कैलेंडर मे शामिल भ चुकल अछि, ताहि लेल कोनो भ्रम नहि अछि। महोत्सव क उदघाटन केलाक बाद सभा कए संबोधित करैत मंत्री कहला जे शक्तिपीठ सर्किट पर तेजी स काज भ रहल अछि जे कोसी इलाका क उग्रतारा मंदिर होइत बंगाल तक पहुंचत। ओ कहला जे सरकार कोसी क पर्यटन स्थलक विकास लेल कईटा योजना पर काज क रहल अछि। एहि अवसर पर राजग संयोजक आ मधेपुरा स सांसद शरद यादव कहला जे कोसी संस्कृति काफी समृद्ध अछि। श्री यादव कहला जे बेहतर समाज बनत तखने बेहतर प्रतिनिधि सेहो चुनल जा सकत। कार्यक्रम क अध्यक्षता करैत प्रभारी मंत्री जीतन राम मांझी कहला जे महोत्सव क उदेश्य एहि इलाका क धार्मिक, पुरातात्विक धरोहर क जानकारी प्राप्त करब आ ओहि विरासत कए अक्षुण्ण रखबाक प्रयास करब अछि। कोसी महोत्सव एहि दिशा मे मील क पाथर साबित भ सकैत अछि। एहि मौका पर कोसी क धरोहर क संबंधित स्मारिका क सेहो विमोचन कैल गेल। कोसी महोत्सव 2012 क शुभारंभ स्वरांजलि क कलाकार क रंगारंग कार्यक्रम स भेल। ओना उद्घाटन सत्र क मुख्य आकर्षण चैता रहल। ‘पनिया भरन कोना जैबे हो रामा’ पर मनमोहक नृत्य प्रस्तुत करि छोट छोट बच्चा सब लोक कए झूमबा लेल मजबूर क देलक।
Koshi a Mithila ke alag karbaak evam dekhebak khel bha rahal achi jabki dunu ek dosarak purak achi.