• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

हम सब बना देलहुं सरकार-6

November 21, 2010
in समाचार
A A

सरकार त 24 कए बनत, मुदा  छह चारण मे 243 टा विधानसभा क मतदाता अपन मत दए एक प्रकार स सरकार बना देलक। एकरा एक प्रकार स सरकार क गर्भ धारण कही सकैत छी। मतदानक बाद आब इ बहुत हद तक साफ सेहो देखा रहल अछि जे बिहार वि‍धानसभा क तसवीर मे कोनो खास अंतर नहि‍ हुए जा रहल अछि‍ । पहि‍ल स चारि‍म चरण तक जेना शांत‍ि स मतदान भेल पांचम आ छठम चरण मे ओहन शांति नह‍ि रहल, खून बहबाक आशंका सही साब‍ित भेल। ओना सब चरण मे  दलान पर का गप आ अंगनाक चर्चा मे भारी अंतर देखल गेल। दलान पर का चुनावी मुद्दा मे जाति प्रबल छल, मुदा अंगना मे जाति कमजोर देखल गेल। गाछी मे खेलाइत नव मतदाता लेल विकास सबस पैघ चुनावी मुद्दा रहल। जदयूक स्थिति सरकार बनेबा योग्य कहल जा सकैत अछि‍, मुदा कांग्रेस कए उम्‍मीद स बेसी सीट भेटबाक उम्‍मीद कम अछि‍। ओना सरकार विरोधी तत्व स अपन लालटेन कए तीर प्रुफ बनेलाक बावजूद लालू कए इ पता लगेबा मे आब दिक्कत नहि रहल जे रामविलासक झोपडी मे राखल हुनकर लालटेनक तेल के निकाली रहल अछि। कुल मि‍ला कए  राजद 50 स 60 सीट लेबा मे सफल रहत, जखन कि‍ जदयू आ भाजपा क झोली मे 145 स 155टा सीट आबि‍ सकैत अछि‍। कांग्रेस वोट कटवाक भूमि‍का मे आबि‍ गेल अछि‍ आ भ सकैत अछि‍ जे 15 स 18 सीट जीत लेबा मे कामयाब भ जाए। माले कए सेहो दूटा सीट भेटबाक उम्‍मीद अछि। ओना इ ने ओपिनियन पोलक आंकडा छी आ ने एक्जिट पोलक सर्वे इ केवल एकटा चर्चाक बाद तय कैल गिनती छी जे आगू बदलि सकैत अछि। चुनाव के बाद आब लोक सभ के नजर वोटक गिनती पर लागल छनि। गिनती 24 नवंबर के अछि। 24 तारीख के दोपहर बाद तक तस्वीर काफी किछ साफ भ जाएत।

बिहार विधानसभा क 243 सीट क लेल छह चरण मे वोट पड़ल। मतदान शांति‍ स भ गेल, चुनाव आयोग एहि लेल बधाई के पात्र अछि। छठम चरण मे सेहो जनताक उत्‍साह देखबा लेल भेटल। एक बेर फेर मौगी महाल दुहारि‍ स बाहर नि‍कलल। पि‍छला चरणक जेकां एहि‍ अंति‍म चरण मे सेहो 50 स 51 फीसदी मतदाता अपन मतक प्रयोग केलथि‍। ओना विधानसभा चुनाव क पांचम दौर क तहत भेल 35टा सीट पर मतदान छिटपुट घटना कए छोड़िकए शांतिपूर्ण ढंग स संपन्न भेल। आठ जिला मे 49.84 फीसदी वोट पड़ल जे पिछला दौर सब स किछु कम अछि।हालांकि, महिला आ युवा मतदाता मे काफी उत्साह देखल गेल। पांचम चरण मे 44 महिला आ 178 निर्दलीय सहित 490 प्रत्याशी क चुनावी किस्मत ईवीएम मे बंद भ गेल।

एहि‍ स पूर्व पांचम मतदान क समाप्ति क संगहि विधानसभा क 243 मे स 217टा क्षेत्र क जनता अपन अगिला सरकार चुनि लेलक। आठ जिला मे स सबस बेसी नक्सलग्रस्त जहानाबाद जिला मे 52.10 फीसदी आ अरवल मे सबस कम 47 फीसदी मतदान भेल। ओतहि, पटना मे 52.06, शेखपुरा मे 50, नालंदा मे 49.77, भोजपुर मे 50.28, गया मे 49.12 आ नवादा मे 48 फीसदी वोट पडल। मतदान क दौरान 281 गोटे कए गिरफ्तार कैल गेल जखनकि 101टा वाहन कए जब्त कैल गेल।
आधिकारिक सूत्र अनुसार फुलवारी, मसौढ़ी, पालीगंज, विक्रम, अरवल, कुर्था, जहानाबाद, मखदुमपुर, बोधगया, रजौली, गोविंदपुर, इस्लामपुर आ अतरी मे आइ अपराहन तीन बजे मतदान समाप्त भ गेल, जखकि हिलसा, बेलागंज आ वजीरगंज मे अपराह्न चारि बजे तक वोट पड़ल।
फुलवारी, मसौढ़ी, पालीगंज, विक्रम, अरवल, कुर्था, जहानाबाद, मखदुमपुर, बोधगया, रजौली, गोविंदपुर, इस्लामपुर आ अतरी मे मतदान क प्रतिशत क्रमशः 52.28, 53.04, 50.28, 52.15, 46, 48, 45, 54.3, 51, 51, 47, 45, 50 आ 47 प्रतिशत रहल।
किछु स्थान पर मतदान बहिष्कार आ अरवल मे एक व्यक्ति क हत्या क संगहि देर राति पटना मे एकटा डीएसपी कए गोली मारबाक सूचना अछि एकर अलावा आर कोनो घटना क सूचना नहि अदि। अरवल जिला मे कुर्था विधानसभा क्षेत्र अंतर्गत ओरबिगहा गांव मे दू गुट क बीच विवाद मे एक व्यक्ति क गोली लगबा स मौत भ गेल आ एकटा अन्य घायल भ गेल। कहल जाइत अछि जे दूनू मे पहिने स जमीन विवाद छल। छठम आ अंतिम चरण क लेल 26टा विधानसभा क्षेत्र मे 20 नवंबर कए वोट पड़त।
मतदान क दौरान गड़बड़ी करैत नवादा जिला क हिसुआ मे पूर्व मंत्री आदित्य सिंह कए आ भोजपुर जिला क जगदीशपुर विधानसभा क्षेत्र स राकांपा प्रत्याशी मनोज कुमार राय कए गिरफ्तार करि लेल गेल। आदित्य सिंह अपन पुतहु आ नवादा जिला क हिसुआ विधानसभा क्षेत्र स कांग्रेस प्रत्याशी नीतू सिंह क पक्ष मे नरहट थाना अंतर्गत मतदान केंद्र संख्या 20, 21, 22 आ 23 पर जबरन मतदान करा रहल छलाह। एहि मामला कए ल कए लोजपा आ भाजपा क कार्यकर्ता नरहट थाना क घेराव केने छलाह।
अन्य घटना क तहत नक्सल प्रभावित अरवल जिला क बलिदाह गाम आ भोजपुर जिला क संदेश विधानसभा क्षेत्र क जोगटा गाम मे पुलिस क जीप पलटला स ओहि पर सवार पेट्रोलिंग कार्य मे लागल जवान घायल भ गेलाह।
पटना जिला क विक्रम विधानसभा क्षेत्र क दुल्हिनबाजार थाना अंतर्गत हरपुरा गांव मे पुलिस श्यामदेव यादव नामक एकटा व्यक्ति कए चारिटा देसी कट्टाक संग गिरफ्तार केलक। अरवल जिला क मतदान केंद्र संख्या 209 पर ईवीएम तोड़बाक आरोप मे तीन गोटे कए गिरफ्तार कैल गेल।
मतदाता पटना जिला क मसौढ़ी विधानसभा क्षेत्र क मतदान केंद्र संख्या 186, 187 आ 189, नालंदा जिला क राजगीर विधानसभा सीट क मतदान केंद्र संख्या 172 आ 173 आओर शेखपुरा जिला क बरबीघा विधानसभा क्षेत्र क नसरखपुर गाम मे मतदान केंद्र संख्या 59 पर वोटिंग क बहिष्कार केलथि।
पटना स प्रीतिलता मल्लिक आ अनंत
राजद क कब्जा वाला फुलवारीशरीफ (सु.) सीट पर एहि बेर आमने-सामने क मुकाबला अछि। राजद क उदय कुमार आ जदयू क श्याम रजक क बीच कांटा क संघर्ष अछि। मसौढ़ी (सु.) पिछला चुनाव मे जदयू क भेल छल, एहि ठाम मुख्य मुकाबला जदयू क अरुण मांझी आ लोजपा क अनिल कुमार क बीच अछि। माझी क फेर पटना जा सकैत छथि। भाकपा माले (लिबरेशन) क गोपाल रविदास मुकाबला कए त्रिकोणीय बनेबा मे सफल रहलाह। पालीगंज भाकपा माले (लिबरेशन) क कब्जा वाला सीट छी, एहि बेर एहि ठाम त्रिकोणात्मक संघर्ष भेल। भाकपा माले क एनके नंदा, भाजपा क डा. उषा विद्यार्थी आ राजद क जयवघ्र्द्धन यादव क बीच मुकाबला भेल मुदा माले परिणाम अपन पक्ष मे कए सकैत अछि। बिक्रम मे भाजपा क अनिल कुमार आ लोजपा क सिद्धार्थ क बीच लड़ाई अछि, मुदा त्रिकोणीय बनेबा मे निर्दलीय केतबा सफल भेलाह इ कहब कठिन अछि।
गया स जहाआंरा
गया शहर भाजपा प्रत्याशी डा प्रेम कुमार आ भाकपा प्रत्याशी जलालुद्दीन अंसारी क बीच सीधा टक्कर अछि। लड़ाई मे कांग्रेस क ओंकारनाथ श्रीवास्तव उर्फ मोहन श्रीवास्तव आ लोजपा क राजकुमार प्रसाद उर्फ राजू वर्णवाल अपन असर देखेबा मे असफल रहलाह। बेलागंज विधानसभा क्षेत्र मे राजद क डा. सुरेन्द्र प्रसाद यादव आ जदयू क मो. अमजद क बीच सीधा मुकाबला अछि। नव परिसीमन क्षेत्र मे जीत-हार तय करत। वजीरगंज मे भाजपा क वीरेन्द्र कुमार सिंह आ कांग्रेस क अवधेश कुमार सिंह क बीच सीधा लड़ाई अछि। एहि ठाम क निर्णय विकास आ जाति क आधार पर भ सकैत अछि। बोधगया सीट पर भाजपा क श्यामदेव पासवान, लोजपा क कुमार सर्वजीत कए टक्कर द रहल छथि। मुकाबला बराबरीक अछि। अतरी मे राजद क कुंती देवी आ जदयू क कृष्णनंदन यादव क बीच मुकाबला अछि। निर्णय अगड़ी जाति क वोटर क वोट पर टिकल अछि।
शेखपुरा रश्‍मी
शेखपुरा विधानसभा क्षेत्र मे कांग्रेस, जदयू आ राजद क बीच त्रिकोणात्मक संघर्ष अछि। कांग्रेस प्रत्याशी सुनीला देवी कए अपन पति संजय सिंह (पूर्व मंत्री) क मृत्यु क बाद सहानुभूति आ ससुर राजो सिंह क कृतित्व क सहारा भेटबाक उम्मीद अछि। जदयू उम्मीदवार रणधीर कुमार उर्फ सोनी कए राज्य सरकार क विकास कार्य आ पार्टी क आधार वोट क बल अछि, ओतहि राजद प्रत्याशी ललन साव अपन जातीय वोट आ दलीय आधार मत क आस मे छथि। मुकाबला रोचक अछि। बरबीघा बरबीघा विधानसभा क्षेत्र मे एकटा खास सवर्ण जाति क कईटा प्रत्याशी मैदान मे छथि। एहि कारण एहि समाज क मतदाता मे अंतिम समय तक असमंजस रहल। बहरहाल, मुकाबला कांग्रेस आ जदयू क बीच देखल गेल। कांग्रेस स पूर्व मंत्री अशोक चौधरी आ जदयू स गजानंद उर्फ मुन्ना शाही मैदान मे छथि। लोजपा स राजो सिंह क पौत्र सुदर्शन कए भेटल मत फैसला क आधार बनत।
बिहारशरीफ स अनाम‍िका
अस्थावां विधानसभा क्षेत्र मे जदयू, लोजपा आ निर्दलीय प्रत्याशी क बीच त्रिकोणात्मक संघर्ष अछि। कांग्रेस एहि ठाम स पूर्व विधायक सतीश कुमार कए प्रत्याशी बनेने अछि, जे लड़ाई कए चारिम कोण देबा मे असफल देखा रहल छथि। जदयू स सीटिंग विधायक डा. जितेन्द्र आ लोजपा स पूर्व एमएलसी कपिलदेव सिंह उम्मीदवार छथि। एहि दूनू नेता कए निर्दलीय प्रत्याशी अनिल महाराज परेशान कए सकैत छथि।
बिहारशरीफ विधानसभा क्षेत्र मे जदयू, राजद आ कांग्रेस क बीच त्रिकोणात्मक संघर्ष अछि। एहि ठाम स जदयू सीटिंग विधायक डा.सुनील आ राजद पूर्व विधायक पप्पू खां क कनिया आफरीन सुल्ताना कए प्रत्याशी बनेलक अछि। कांग्रेस अपन पुरान कार्यकर्ता हैदर आलम पर दांव खेललक अछि।
राजगीर विधानसभा क्षेत्र स भाजपा लगातार सात बेर स चुनाव जीत रह सत्यदेव नारायण आर्य कए प्रत्याशी बनेलक अछि। आर्य स सीधा भिड़ंत मे लोजपा आ कांग्रेस प्रत्याशी क बीच जद्दोजहद देखल गेल। लोजपा क टिकट पर एहि ठाम स रामविलास पासवान क जमाई मृणाल पासवान किस्मत आजमा रहल छथि, ओतहि कांग्रेस स मोनी देवी मैदान मे छथि। मोनी कए स्थानीय हेबाक किछु लाभ भेटल अछि। इसलामपुर विधानसभा क्षेत्र मे जदयू आ राजद क बीच सीधा टक्कर अछि। जदयू एहि ठाम झारखंड विद्युत बोर्ड क पूर्व चेयरमैन आ मजबूत राजनीतिक विरासत वाला राजीव रंजन कए उम्मीदवार बनेलक अछि। राजद अपन पुरान कार्यकर्ता वीरेन्द्र गोप कए मैदान मे उतारलक अछि। भाकपा स राकेश रौशन आ कांग्रेस स विवेक सिन्हा सेहो मैदान मे छथि। हिलसा स जदयू क बागी निर्दलीय उम्मीदवार रामचरित्र प्रसाद सिंह कए जदयू प्रत्याशी क पक्ष मे बैस जेबा स एहि ठाम लोजपा आ जदयू आमने-सामने अछि। संघर्ष रोचक अछि। लोजपा स रीना देवी आ जदयू स प्रो. उषा सिन्हा मैदान मे छथि। जातीय खेमेबंदी क हावी रहबाक कारण स नालंदा विधानसभा क्षेत्र मे लड़ाई रोचक अछि। एहि ठाम जदयू, राजद आ कांग्रेस क बीच त्रिकोणात्मक संघर्ष क स्थिति अछि। जदयू स श्रवण कुमार (मुख्य सचेतक), राजद स अरुण कुमार उर्फ अद्दू आ कांग्रेस क युवा चेहरा दिलीप कुमार मैदान मे छथि। एहिना हरनौत मे उम्मीदवार क जाति आ दल क आधार पर मतदाता क गोलबंदी स्पष्ट देखल गेल। एहि ठाम स जदयू क मानव संसाधन मंत्री हरिनारायण सिंह आ लोजपा क अरुण बिंद क बीच टक्कर अछि।
जहानाबाद स अमीता
घोसी विधानसभा क्षेत्र मे कुल 10टा प्रत्याशी छथि मुदा यहां मुख्य मुकाबला जदयू क राहुल कुमार आ लोजपा क कौशल यादव क बीच भेल। मखदुमपुर (सु.) क्षेत्र मे 12टा प्रत्याशी छथि मुदा मुख्य मुकाबला जदयू क जीतन राम मांझी, राजद क धर्मराज पासवान आ कांग्रेस क शंकर स्वरुप क बीच भेल।
जहानाबाद विधानसभा क्षेत्र मे 19टा प्रत्याशी छथि मुदा मुख्य मुकाबला कांग्रेस क रामजतन सिन्हा, राजद क डॉ सच्चिदानंद यादव आ जदयू क अभिराम शर्मा क बीच भेल। एहि ठाम हाथ अपन ताकत देखा सकैत अछि।
अरवल स नंदनी
अरवल क्षेत्र मे कुल 21टा प्रत्याशी अपन किस्मत आजमा रहल छथि। चतुष्कोणीय संघर्ष क कारण वर्तमान विधायक आ लोजपा प्रत्याशी दुलारचंद यादव क राह मुश्किल बुझा रहल अछि, एहि ठाम स भाजपा क चितरंजन कुमार, कांग्रेस क धनंजय कुमार आ भाकपा माले लिबरेशन क महानंद क बीच जीत-हार तय होएत। कुर्था क्षेत्र मे कुल 14टा प्रत्याशी छथि। एहि ठाम जदयू क सत्यदेव कुशवाहा आ राजद क शिववचन यादव क बीच सीधा मुकाबले भेल। जदयू प्रत्याशी पहिल बेर चुनाव लड़ि रहल छथि, जखनकि राजद प्रत्याशी पुरान खिलाडी छथि
आरा स रजनी
आरा विधानसभा सीट क लेल कुल 20टा प्रत्याशी मैदान मे छथि। मुख्य मुकाबला भाजपा प्रत्याशी अमरेन्द्र प्रताप सिंह, लोजपा प्रत्याशी श्रीकुमार सिंह आ भाकपा माले लिबरेशन क मीना तिवारी क बीच अछि। कांग्रेस क जावेद इकबाल आ बसपा क रविश कुमार मुकाबला मे बनबा लेल प्रयासरत रहलाह। बड़हरा विधानसभा सीट पर कुल 14टा उम्मीदवार छथि। मुख्य मुकाबला राजद प्रत्याशी राघवेन्द्र प्रताप सिंह, जदयू प्रत्याशी आशा देवी आ कांग्रेस प्रत्याशी भाई ब्रह्मेर्श्वर क बीच रहल। भाकपा माले लिबरेशन क राजीव रंजन लड़ाई कए अपन पक्ष मे करबा मे असफल रहलाह। जगदीशपुर विधानसभा मे जदयू प्रत्याशी श्रीभगवान सिंह कुशवाहा, राजद प्रत्याशी दिनेश कुमार सिंह आ भाकपा माले लिबरेशन प्रत्याशी सुदामा प्रसाद क बीच मुख्य मुकाबला रहल। कांग्रेस क मंगल सिंह बेअसर रहलाह। तरारी विधानसभा सीट पर जदयू प्रत्याशी नरेन्द्र कुमार पांडेय उर्फ सुनील पांडेय, भाकपा माले लिबरेशन क कामता प्रसाद, राजद प्रत्याशी आदिब रिजवी क बीच मुकाबला रहल। अगिआंव (सु.) सीट क लेल भाजपा प्रत्याशी शिवेश राम, भाकपा माले लिबरेशन प्रत्याशी सिद्धनाथ राम आ राजद प्रत्याशी सुरेश पासवान क बीच जोरदार मुकाबला रहल। कांग्रेस क अशोक राम, बसपा क रामदेव प्रेमजीवन आ जद एस क आरआर कनौजिया लड़ाई मे बेअसर रहलाह। संदेश विधानसभा सीट क लेल कुल 19टा प्रत्याशी मैदान छथि। एहि ठाम राजद प्रत्याशी विजेन्द्र कुमार यादव, भाकपा माले लिबरेशन प्रत्याशी रामेर्श्वर प्रसाद, भाजपा प्रत्याशी संजय सिंह टाइगर, कांग्रेस उम्मीदवार शशि कुमार सिंह, बसपा क शिव बिहारी राय क बीच बहुकोणीय संघर्ष भेल। शाहपुर विधानसभा क्षेत्र मे भाजपा प्रत्याशी मुन्नी देवी आ राजद प्रत्याशी धर्मपाल सिंह क बीच मुकाबला अछि। ओना कांग्रेस क मालती पांडेय आ बसपा क कृष्ण बिहारी सिंह किछु वोट कटबा मे सफल भेलथि अछि।
नवादा स हेमा
रजौली (सु.) मे मुख्य मुकाबला राजद क प्रकाश वीर आ भाजपा क कन्हैया कुमार बीच रहल। कांग्रेस प्रत्याशी बसंती देवी लड़ाई मे वोट कटुआ बनलथि। हिसुआ में मुख्य मुकाबला भाजपा क अनिल सिंह, लोजपा क अनिल मेहता आ कांग्रेस क नीतू कुमारी क बीच रहल। नवादा में त्रिकोणीय मुकाबला अछि। जदयू क पूर्णिमा यादव, राजद क राजबल्लभ प्रसाद आ कांग्रेस क निवेदिता सिंह क बीच लड़ाई अछि। गोविन्दपुर सीट पर लड़ाई आमने-सामने क अछि। जदयू क कौशल यादव आ लोजपा क प्रो.केबी प्रसाद यादव मे मुख्य मुकाबला अछि। वारिसलगंज मे लड़ाई कांग्रेस क अरुणा देवी आ जदयू क प्रदीप कुमार क बीच अछि। लोजपा उम्मीदवार अंजनी कुमार लड़ाई कए त्रिकोणीय बनेबा मे सफल भेलाह अछि।

बिहार विधानसभा चुनाव क चारिम चरण मे 42 सीट पर वोटिंग खत्म भ गेल। वोटिंग कहल जाए त मिलाजुला क अखन धरि शांतिपूर्ण रहल अछि। चारि चरण लगा कए अखन धरि 182 सीट पर वोट पड़ि चुकल अछि। 243 सीट क लेल भ रहल चुनाव कए मतगणना 24 नवंबर कए होएत।
आठ जिला मे पड़ल एहि वोटिंग मे 568 उम्मीदवार क भाग्य दांव पर अछि। एहि मे 58टा महिला उम्मीदवार सेहो शामिल छथीह। एहि दौर मे अश्विनी चौबे, नंद किशोर यादव, अनंत सिंह, शकुनी चौधरी, विजय कृष्ण, सदानंद सिंह आओर पशुपति कुमार पारस जइसन दिग्गज नेता क क्षेत्र मे वोट पड़ल।
आठ जिला जाहि मे एक नवंबर कए वोट पड़ल ओहि मे पटना क 10, बेगूसराय क सात, खगड़िया क चारि, भागलपुर क सात, बांका क पांच, जमुई क चारि, मुंगेर क तीन आओर लखीसराय क दूटा विधानसभा क्षेत्र शामिल अछि। वोटिंग क लेल सुरक्षा क भारी इंतजाम कएल गेल छल। हेलीकॉप्टर स सेहो निगरानी कएल गेल। असल मे चारिम चरण क वोटिंग वाला इलाका नक्सल प्रभावित आओर दियारा क्षेत्र मे छल।

बिहार विधानसभा चुनाव क तेसर चरण मे छह जिला क 48 विधानसभा क्षेत्र मे पुख्ता सुरक्षा व्यवस्था क बीच मतदान संपन्न भेल। एहि दौरान 54 फीसदी मतदाता अपन मताधिकार क उपयोग केलथि, जखन कि मतदान मे गडब़डी करबाक आरोप मे एकटा पीठासीन पदाधिकारी सहित 221 लोक कए गिरतार कैल गेल अछि।
एहि चरण क मतदान संपन्न भेलाक संगहि पूर्व मुख्यमंत्री राब़डी देवी, हुनकर भाई अनिरूद्ध प्रसाद उर्फ साधु यादव, कईटा मंत्री सहित 785टा प्रत्याशी क राजनीतिक किस्मत इलेक्ट्रानिक वोटिंग मशीन (ईवीएम) मे बंद भ गेल।
राज्य निर्वाचन विभाग क मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी सुधीर कुमार राकेश कहला जे छिटपुट घटना कए छो़िड मतदान शांतिपूर्ण रहल। ओ कहला जे गोपालगंज क मतदान केन्द्र संख्या 115 आ 116 स शराब क नशा मे धुत एकटा पुलिस जवान कए मतदान मे गडब़डी करबाक आरोप मे गिरफ्तार कैल गेल अछि, जखन कि मतदान केन्द्र संख्या 196 क पीठासीन पदाधिकारी केशव कुमार पांडेय कए नशा क हालत मे गिरफ्तार कैल गेल। ओ कहला जे रक्सौल, भोरे आ बेतिया विधानसभा क्षेत्र क एक-एकटा मतदान केन्द्र पर मतदाता चुनाव क बहिष्कार केलथि।
राज्य क पुलिस महानिदेशक नीलमणि क अनुसार कुल 221 गोटे कए गिरफ्तार कैल गेल अछि। एहि मे सबस बेसी गोपालगंज मे 125, बेतिया मे 26 आ सीवान मे 28 गोटे शामिल छथि। । तीसरे चरण क 48टा सीट पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण, गोपालगंज, सीवान, सारण आ वैशाली जिला क अंतर्गत अबैत अछि। 48 मे स 43टा विधानसभा क्षेत्र मे भोर सात बजे स सांझ क पांच बजे तक मतदान भेल, जखन कि सुरक्षा क दृष्टिकोण स वाल्मीकीनगर, रामनगर आ पातेपुर विधानसभा क्षेत्र मे तीन बजे तक आ अमनौर आ तरैया विधानसभा क्षेत्र मे चारि बजे तक मतदान भेल।

बिहार विधानसभा चुनाव क दोसर चरण मे रविदिन 45टा विधानसभा क्षेत्र मे मतदान शांतिपूर्ण संपन्न भ गेल। ओना सीतामढ़ी, शिवहर आ मुजफ्फरपुर किछु छिटपुट घटना भेल, मुदा ककरो खून नहि बहल। दोसर चरण मे सुरक्षा क दृष्टिकोण स पांचटा विधानसभा क्षेत्र पारू, मीनापुर, साहेबगंज, शिवहर आ बेलसंड विधानसभा क्षेत्र मे भोरे सात बजे स तीन बजे तक मतदान भेल, जखन कि बाकी ठाम पांच बजे तक मत डालल गेल। राज्य निर्वाचन विभाग क मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी सुधीर कुमार राकेश पटना मे कहला अछि जे दोसर चरण मे सबस बेसी पूर्वी चंपारण मे 58 प्रतिशत मतदाता अपन मताधिकार क उपयोग केलथि अछि, जखनकि दरभंगा मे 48.8, शिवहर मे 49, मुजफ्फरपुर मे 53.35, समस्तीपुर मे 54.3 आ सीतामढ़ी जिला मे 51 प्रतिशत मतदाता मत देलथि।
राकेश क मुताबिक मतदान मे व्यवधान डालबा लेल तीनटा जिला स 132टा लोक कए गिरफ्तार कैल गेल अछि। एहि मे दरभंगा जिला मे 58, मुजफ्फरपुर मे 30, समस्तीपुर मे 30 गोटे शामिल छथि। एकर अलावा 69टा वाहन सेहो जब्त भेल अछि।
देर सांझ तक रून्नीसैदपुर क मतदान केन्द्र संख्या 116 स लापता तीन मतदानकर्मी मे स एकटा क पता नहि चलल छल। एहि मतदान केंद्र पर राति मे संदिग्ध नक्सली मतदान संबंधी कागजात जरा देने छल।
दोसर दिस मुजफ्फरपुर जिला क मीनापुर विधानसभा क्षेत्र क मतदान संख्या एक क लग मे नीतीश सरकार क लघु सिंचाई मंत्री दिनेश प्रसाद कुशवाहा क वाहन पर पथराव भेल, एहि मे हुनकर अंगरक्षक कए चोट लागल। कुशवाहा क आरोप अछि जे निर्दलीय प्रत्याशी माधवी चंद्र क पुत्र हुनका पर हमला केलथि।
मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी क मुताबिक सीतामढ़ी आ समस्तीपुर जिला क एक-एकटा आओर दरभंगा जिला क दूटा मतदान केन्द्र पर मतदाता विकास नहि भेला पर मतदान क बहिष्कार केलथि।

दरभंगा स छाया
जिला मे कुल दस टा विधानसभा क लेल मतदान भेल, जाहि मे चारिटा महिला प्रत्याशी सहित 132टा उम्मीदवार क भाग्य तय करि देल गेल। नौटा विधायक, दूटा पूर्व सांसद आ पांचटा पूर्व विधायक क भाग्य तय करबा मे महिलाक भूमिका सबस महत्वपूर्ण रहल। दरभंगा जिला मे कमोवेश स्थिति पिछले चुनाव सन रहबाक लक्ष्ण अछि। पहिने नौ मे स छहटा सीट राजद लग छल, एहि बेर एकटा सीट बढल अछि आ राजदक पाला मे पांच स छहटा सीट एबाक उम्मीद कैल जा रहल अछि। दरभंगा शहरी विधानसभा क्षेत्र भाजपा लेल सबस सुरक्षित सीट मानल जाइत अछि, एहि बेर सेहो भाजपा विधायक संजय सरावगी क बाट आसान भ गेल अछि। राजद क पूर्व विधायक सुलतान अहमद आ कांग्रेस जिलाध्यक्ष डॉ कमरूल हसन क बीच मतक बंटवारा भाजपा लेल नीक रहल। ओना एहि ठाम स बसपा क राकेशनाथ झा, जदएस क नवीन खट्टीक, भाकपा माले स आरके दत्ता, सपा क कृष्ण कुमार यादव सुमन सहित कईटा नेता मैदान मे छलाह, मुदा सब गोटे प्रभावहीन रहलाह। दरभंगा ग्रामीण मे राजद विधायक ललित यादव क टक्कर जदयू क अशरफ हुसैन स अछि, मुदा कांग्रेस क अब्दुल हादी सिद्दीकी जदयू क बाट कठिन कए देलथि अछि। ओना एहि ठाम स सेहो 15टा उम्मीदवार चुनावी समर मे छथि। बहादुरपुर विधानसभा क्षेत्र मे राजद क विधायक हरिनंदन यादव क टक्कर जदयू क मदन सहनी स अछि, अगर कांग्रेस क डॉ मुरारी मोहन झा क प्रभाव बेसी नहि रहल त इ सीट जदयूक खाता एहि जिला मे खोली सकैत अछि। ओना एहि ठाम निर्दलीय विनय कुमार चौधरी सहित 20टा उम्मीदवार चुनावी दंगल मे अछि।
हायाघाट विधानसभा क्षेत्र मे लोजपा क डॉ शाहनवाज अहमद कैफी आ भाजपा क जिलाध्यक्ष अमरनाथ गामी क बीच मुकाबला अछि, मुदा पूर्व विधायक उमाधर प्रसाद सिंह आ कांग्रेस क अरविन्द चौधरी लोजपाक बाट कठिन कए सकैत छथि। केवटी मे भाजपा क विधायक डॉ अशोक कुमार यादव बाट कांग्रेस क मो. मोहसीन आसान कए देलथि अछि, एहि ठाम स राजद क फराज फातमीक जीत कठिन अछि। जाले सीट एहि बेर भाजपा क हिस्सा मे आबि सकैत अछि। एहि ठाम पूर्व सांसद विजय कुमार मिश्र राजद क विधायक रामनिवास प्रसाद स इ सीट झटकि सकैत छथि। कांग्रेस क आफताब आलम हुनकर बाट आसान कए सकैत छथीन। बेनीपुर विधानसभा क्षेत्र मे राजद विधायक हरेकृष्ण यादव क राह आसान लगैत अछि, एहि ठाम भाजपा क गोपालजी ठाकुर क बाट कांग्रेस क गजेन्द्र झा कठिन कए सकैत छथि। जिलाक सबस महत्वपूर्ण सीट अछि अलीनगर। एहि सीट स राजद क प्रदेश अध्यक्ष अब्दुल बारी सिद्दीकी मैदान मे छथि। हुनकर सामने जदयू क पूर्व विधायक प्रभाकर चौधरी आ कांग्रेस क पूर्व विधायक डॉ मदन मोहन झा छथि। ओना एहि ठाम स भाकपा क रामकुमार झा सहित कुल 10टा प्रत्याशी चुनावी समर मे छथि। मुदा सिद्दीकीक लेल इ सीट सुरक्षित अछि। गौड़ाबौड़ाम विधानसभा क्षेत्र मे राजद क पूर्व मंत्री डॉ महावीर प्रसाद कए जदयू क विधायक डॉ इजहार अहमद स टक्कर अछि। ओना प्रसादक जीत कांग्रेस क डॉ नागेश्वर पंजियार क वोट लेबा पर निर्भर अछि। कुशेश्वरस्थान सुरक्षित विधानसभा क्षेत्र मे कांग्रेस क विधायक डॉ अशोक कुमार क सीधा मुकाबला लोजपा क पूर्व सांसद रामचन्द्र पासवान स अछि, मुदा भाजपा क शशिभूषण हजारी पासवानक खेल खराब कए सकैत छथि।

सीतामढ़ी स जहांआरा
सीतामढी आ शिवहर जिला क विधान सभा क्षेत्र मे मुख्य मुकाबला राजद आ जदयू क बीच रहल। रीगा विधान सभा स भाजपाक मोतीलाल कए बाट कांग्रेसक अमित कुमार आसान कए सकैत छथि, ओना लोजपाक नगीना देवी सेहो विधानसभ पहुंच सकैत छथि। बथनाहा क 11टा प्रत्याशी मे स भाजपा क दीनकर रामक विधनसभा पहुंचबाक संभावना बेसी अछि, एहि ठाम लोजपाक ललिता देवी क बाठ कांग्रेस क संजय राम कठिन कए देलथि अछि। परिहार, सुरसंड आ बाजपट्टी मे सेहो राजग क स्थिति जीतबा योग्य अछि ओना एहि तीनू सीट पर कांग्रेस आ बसपा नतीजा कए बदलि सकैत अछि। शिवहर स जदयूक सफीउद्दीन क बाट बसपाक प्रतिभा देवी कठिन कए सकैत छथि, राजद क अजित झा क स्थिति ओना नीक नहि अछि। रून्नीसैदपुर स जदयूक गुड्डी देवी आ राजदक रामशत्रुघ्न मे सीधा मुकाबला अछि, दूनूक संभावना बराबर बनैत अछि। तहिना बेलसंड विधान सभा स सेहो जदयूक सुनीता सिंह आ राजदक संजय गुप्ताक बीच मुकाबला बराबर अछि। सीतामढी सस भाजपाक सुनील कुमार लोजपाक राघवेंद्र सिंह स नीक स्थिति मे छथि।

समस्तीपुर स आबिदा
जिलाक कुल दस टा विधानसभा मे शांतिपूर्वक मतदान भेल। कल्याणपुर स जदयू क रामसेवक हजारीक बाट कांग्रेसक अनिता देवी आसान कए देलथि अछि, एहि ठाम लोजपाक विश्वनाथ क स्थिति कमजोर लगैत अछि। वारिशनगर मे सेहो जदयूक अशोक कुमार आ राजदक गजेंद्र सिंह क बीच मुकाबला अछि, मुदा कांग्रेसक विजय राम जदयूक बाट आसान कए सकैत छथि। समस्तीपुर स जदयूक रामानाथ ठाकुर घेरायल छथि, हुनकर बाट कांग्रेसक तरूण कुमार कठिन कए सकैत छथि, ओना राजदक अवसरूल इस्लामक स्थिति कमजोर बूझा रहल अछि। उजियारपुर स जदयूक रामलखन राम रमझा आ राजदक दुर्गा प्रसाद मे मुख्य मुकाबला अछि, ओना कांग्रेसक प्रशांत कुमार जीत-हार कए प्रभावित करता। मोरबा मे सेहो जदयू क बैद्यनाथ सहनी आ राजदक अशोक कुमार क बीच कांग्रेसक नागमणि छथि, मुकाबला बराबर पर अछि। सरायगंज मे जदयूक विजय चौधरी बाट आसान अछि, ओना राजदक रामेश्वर सहनीक बाट कांग्रेसक आभास झा आसान कए सकैत छथि। मोइउद्दीन नगर मे भाजपाक राणा गंगेश्व क मुकाबला राजदक अजय कुमार स अछि, एहि ठाम कांग्रेसक सिद्धार्थ क्षत्रिय भाजपाक बाट मे रोडा बनि सकैत् अछि। विभूतिपुर मे भाकपाक रामदेव वर्मा आ भाजपाक रामबालक सिंह क बीच मुकाबला अछि, मुदा लोजपाक रमेश राय जीत कए प्रभावित करबाक स्थिति मे छथि। रोसडा स राजदक पितांबर पासवान क स्थिति भाजपाक मुजू देवी स नीक अछि, ओना कांग्रेसक सरिता देवी सेहो मुकाबला कए मजेदार बना सकैत छथि। हसनपुर स जदयूक राज कुमार राम आ राजदक सुनील पुष्पंम क बीच मुकाबला कए निर्दलीय अजुर्न प्रसाद तेसर कोण द देलथि अछि, एहन मे जीत हार बराबर अछि।

मुजफ्फरपुर स गुंजन
जिला क 11टा विधानसभा क्षेत्र मे राजगक दबदबा एकबेर फेर कायम रहत। गायघाट विधानसभा क्षेत्र स भाजपाक वीणा देवी आ राजदक महेश्वर क बीच कांग्रेसक आरती देवी प्रभाव देखा सकैत छथि। औराई मे भाजपाक राम सूरत राय क स्थिति ठीक अछि। एहि ठाम कांग्रेसक गणेश यादव राजदक सुरेंद्र कुमारक बाट कठिन कए देलथि अछि। मीनापुर मे भाजपाक दिनेश कुमार आ राजदक अजय कुमार मे सीधा मुकाबला अछि, जेकरा कांग्रेस क शकल देव तेसर कोण देबा मे सफल नहि भ सकला। बोचहां मे जदयूक रमेश राम आ राजदक मुशाफिर क बीच कांग्रेसक बेबी कुमारी परिणाम कए प्रभावित कए सकैत छथि। सकरा मे भाजपाक सुरेश चंचल आ राजदक लाल बाबू क बीच कांग्रेसक उतेश राम कोनो प्रभाव देखा सकैत छथि। कुढ़नी मे जदयूक मनोज कुमार आ लोजपाक विजेंद्र चौधरीक बीच मुकाबला अछि, एहि ठाम जदयूक राह कांग्रेसक विनोद चौधरी आसान कए सकैत छथि। मुजफ्फरपुर मे कुल 19टा उम्मीदवार छथि मुदा मुकाबला निर्दलीय विजेंद्र आ लोजपाक मो जमाल मे अछि, ओना एहि ठाम भाजपाक सुरेश कुमार आ कांग्रेसक मयंक कए भेटल वोट पर परिणाम बदलि सकैत अछि। कांटी मे भाजपाक अजित कुमार सिंह आ राजदक इस्माइल क बीच कांग्रेसक शाहीद क झटकल वोट भाजपा कए जीता सकैत अछि। बरूराज मे भाजपाक नंद कुमार क स्थिति राजदक ब्रिजकिशोर स नीक अछि, एहि ठाम कांग्रेसक बलदेव मेहतो प्रभावहीन रहलाह। पारू मे भाजपाक अशोक आ राजदक मिथिलेश मे मुकाबाला अछि, मुदा जीत कए कांग्रेस क अनुनय सिंह प्रभावित कए सकैत छथि। साहेबगंज विधानसभा क्षेत्र मे जदयूक राजू कुमार आ राजदक रामविचार राम क बीच सीधा मुकाबला अछि ओना कांग्रेसक महाचंद्र प्रसाद वोटकटुआ भ सकैत छथि।

पूर्वी चंपारण स सुजाता
जिलाक पांचटा विधानसभा मे भेल मुकाबला मुख्य रूप स राजग आ राजद कबीच रहल, मुदा निर्दलीय आ कांग्रेस किछु सीट पर अपन प्रभाव देखेबा मे सफल रहल। नरकटिया मे लोजपाक याशमीन शाविर अलीक क मुकाबला निर्दलीय शमीम अहमद स अछि, मुदा कांग्रेसक शालू कुमार परिणाम कए प्रभावित कए सकैत छथि। ढाका मे लोजपाक नेक मोहम्मद आ जदयूक फैसल रहमानक बीच सीधा मुकाबला अछि, ओना एहि ठाम सेहो निर्दलीय पवन जयसवाल लोजपाक बाट कठिन कए सकैत छथि। विथान मे जदयूक अवधेश कुशवाहा आ राजदक सुबोध कुमारक बीच सीधा मुकाबला अछि, ओना कांग्रेसक रिंकू सिंह जदयूक बाट कठिन कए सकैत छथि। मधुबन मे सेहो जदयूक शिव जी क मुकाबला राजदक राणा रणधीर स अछि, मुदा कांग्रेसक बब्लू देव जदयूक बाट आसान कए सकता एकर संभावना कम अछि। चीरैया स राजदक लक्ष्मी नारायण क मुकाबला भाजपाक अवनीश कुमार स अछि, मुदा भाजपाक बाट एहि ठाम कांग्रेसक रमेश सिंह कठिन कए सकैत छथि।

भारी सुरक्षा क बीच विधानसभा लेल पहिल चरण क मतदान भेल। छिटपुट घटना कए छोडि मतदान शांतिपूण रहल। कुल 47टा सीट क लेल करीब 55 प्रतिशत वोट पड़ल। राज्य क मुख्य चुनाव अधिकारी सुधीर कुमार राकेश कहला जे छातापुर मे बूथ संख्या 177 पर पीठासीन अधिकारी क संग मारपीट क आरोप मे जदयू विधायक नीरज कुमार बबलू क खिलाफ प्राथमिकी दर्ज कैल गेल अछि। हुनकर गिरफ्तारी क आदेश देल गेल अछि। वायसी मे सोशलिस्ट जनता पार्टी क उम्मीदवार अलीमुद्दीन अंसारी कए बूथ नंबर 112 पर गड़बड़ी करबाक आरोप मे गिरफ्तार कैल गेल अछि। मुख्य चुनाव अधिकारी कहलथि जे रोड नहि त वोट नहि क नारा पर बेनीपंट्टी क्षेत्र मे दसटा मतदान केंद्र पर मतदान क बहिष्कार भेल।
कटिहार मे प्राणपुर क बूथ संख्या 123 क पीठासीन अधिकारी मुहम्मद हबीब क हृदयाघात स मौत भ गेल। हुनकर आश्रित कए प्रावधान क अनुसार दस लाख टका मुआवजा राशि देल गेल अछि। मधुबनी मे 52 फीसदी, सुपौल मे 53 फीसदी, अररिया मे 53 फीसदी, किशनगंज मे 57 फीसदी, पूर्णिया मे 55, कटिहार मे 57, मधेपुरा मे 52 आ सहरसा मे 56 फीसदी मतदता वोट देलथि। मुख्य चुनाव अधिकारी कहला जे किछु जिला मे मतदान क प्रतिशत पहिने क तुलना मे बढ़ल अछि।

मधेपुरा स सरिता सुमन
मधेपुरा जिला क चारिटा विधानसभा सीट पर भेल प्रथम चरण क मतदान मे मुकाबला दिलचस्प रहल। मंडल आयोग क अध्यक्ष बीपी मंडल क गृह जिला आ लालू-शरद क राजनीतिक समर क लेल चर्चित एहि जिला मे जातिगत वोटक परंपरा कायम रहल आ राजद-लोजपा, जदयू-भाजपा आ कांग्रेस क बीच दिलचस्प मुकाबला देखल गेल।
परिसीमन क बाद मधेपुरा जिला मे मधेपुरा, सिंहेश्वर, बिहारीगंज आ आलमनगर विधानसभा सीट बनल। जदयू क कब्जावाला एहि जिला क एहि चारू सीट पर ओकर मुख्य मुकाबला राजद-लोजपा आ कांग्रेस क बीच रहल।
भागलपुर, खगड़िया, सहरसा, सुपौल, अररिया आ पूर्णिया जिला क बीच आ कोसी नदी स प्रभावित मधेपुरा जिला मे जदयू विकास आ सुशासन कए चुनावी मुद्दा बनेलक मुदा विपक्षी दल कोसी क स्थायी समाधान आ विस्थापित क पुनर्वास कए मुद्दा बनेलक जाहि मे जातिगत आधार सेहो देल गेल। बाढ़ क क्षति क भरपाई एखन धरि नहि भ सकल अछि आ यातायात व्यवस्था क अभाव स जनता परेशान अछि।
मधेपुरा विधानसभा सीट जदयू क राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव क लेल प्रतिष्ठा क सीट बनल अछि। मंडल आयोग क अध्यक्ष बीपी मंडल क विधायक पुत्र मणिन्द्र कुमार मंडल क टिकट काटि कए एहि बेर जदयू अपन पूर्व सांसद रमेन्द्र कुमार यादव कए प्रत्याशी बनेलक अछि। एकर बावजूद राजद क चंद्रशेखर क बाट आसान देखा रहल अछि। ओना हुनकर जीतब कांग्रेस क राजेश रजनीश क वोट पर निर्भर करैत अछि।
महर्षि ऋृंगी क कर्मभूमि क लेल प्रसिद्ध सिंहेश्वर विधान सभा परिसीमन क बाद सुरक्षित भ गेल अछि। एहि ठाम स जदयू विधायक रमेश ऋषिदेव क मुकावला राजद क अमित कुमार भारतीय आ कांग्रेस क गणेश पासवान क संग अछि, ताहि ले हुनकर जीतबाक उम्मीद अछि।
जिला क नवसृजित बिहारीगंज विधानसभा सीट पर जदयू क टिकट पर चुनाव लड़ि रहल छथि बिहार क कृषि मंत्री रेणु कुमारी कुशवाहा, हुनकर मुख्य मुकाबला जेल मे बंद बाहुबली पूर्व सांसद पप्पू यादव क कनिया रंजीत रंजन आ राजद क प्रभाष कुमार स अछि। एहि ठाम उच्च जातिक वोट जदयू कए कम भेटला स रंजीता रंजन बाट आसान भ गेल अछि।
किछु एहने स्थिति आलमनगर विधानसभा क्षेत्र क अछि जदयू क राष्ट्रीय अध्यक्ष आ सांसद शरद यादव क खास बिहार क राजस्व मंत्री नरेन्द्र नारायण यादव कए जेल मे बंद पूर्व सांसद आनंद मोहन क कनिया आ पूर्व सांसद लवली आनंद स टक्कर अछि। उच्च जातिक कांग्रेस दिस झुकाव लवली कए विधानसभा पहुंचा सकैत अछि। ओना एहि ठाम स कुल 14टा प्रत्याशी अपन भाग्य आजमा रहल छथि। जिला मे सर्वाधित महिला वोटर एहि ठाम अछि।

कटिहार स रिंकू कुमारी
जिला क सातटा विधानसभा क्षेत्र कटिहार, कदवा, बलरामपुर, प्राणपुर, मनिहारी, बरारी आ कोढ़ा मे मतदान भेल। कटिहार विधानसभा क्षेत्र निर्वाचन क्षेत्र स भाजपा प्रत्याशी तारकिशोर प्रसाद, राजद-लोजपा गठबंधन क प्रत्याशी पूर्व मंत्री रामप्रकाश महतो, कांग्रेस प्रत्याशी प्रो. विनोद कुमार यादव, राकांपा प्रत्याशी भाई समसउद्दीन सहित अन्य प्रत्याशी क प्रतिष्ठा दांव पर लागल अछि। जाहि मे रामप्रकाशक बाट विनोद कुमार कठिन कए देलथि अछि।
कदवा विधानसभा निर्वाचन क्षेत्र स कईटा माननीय भाग्य आजमा रहल छथि। भाजपा प्रत्याशी भोला राय, राकांपा से पूर्व मंत्री हिमराज सिंह, राजद-लोजपा गठबंधन क प्रत्याशी ख्वाजा बहाउद्दीन अहमद, कांग्रेस क दिनेश इंसान मुख्य मुकाबला मे छथि।
बलरामपुर विधानसभा क्षेत्र स सीपीआई माले क महबूब आलम, जदयू-भाजपा गठबंधन क मो. सिद्दीक, कांग्रेस क शौकत हुसैन, राकांपा क हबीबुर रहमान मैदान मे छथि, मुदा माले आ कांग्रेस क जनाधार मो. सिद्दीकक बाट रोकि सकैत अछि।
प्राणपुर विधानसभा स राजद-लोजपा गठबंधन क प्रत्याशी पूर्व मंत्री महेन्द्र नारायण यादव, भाजपा-जदयू गठबंधन क विनोद कुमार सिंह स मजबूत स्थिति मे छथि, मुदा कांग्रेस क अब्दुल जलील विनोदक राह आसान कए सकैत छथि।
मनिहारी विधानसभा क्षेत्र स नव चेहरा लोक कए पसंद आबि रहल अछि कांग्रेस प्रत्याशी सिकंदर मंडल, भाजपा-जदयू गठबंधन क मनोहर प्रसाद सिंह, राजद-लोजपा गठबंधन क मुखिया चम्पय किस्कू, आ राकांपा क गीता किस्कू मैदान मे छथि मुदा मनोहर प्रसाद क स्थिति नीक बुझा रहल अछि।
कोढ़ा विधानसभा निर्वाचन क्षेत्र स भाजपा-जदयू गठबंधन क महेश पासवान, कांग्रेस प्रत्याशी सुनीता देवी, राकांपा क प्रत्याशी मंजू देवी, लोजपा-राजद गठबंधन क मनोज कुमार मैदान मे छथि। मुदा सुनीता देवी महेश पासवान कए बाट रोकि सकैत छथि।
बरारी विधानसभा स भाजपा-जदयू गठबंधन क विभाष चन्द्र चौधरी स आगू राजद-लोजपा गठबंधन क पूर्व मंत्री मंसूर आलम देखा रहल छथि मुदा कांग्रेस क संयोगिता सिंह परिणाम कए प्रभावित क सकैत छथि।

पूर्णिया स सुषमा राय
पूर्णिया जिला क सातटा विधानसभा क्षेत्र मे 86टा प्रत्याशी क भाग्य मतदाता तय करि देलथि। पूर्णिया सदर, कसबा, बनमनखी, रुपौली, धमदाहा, अमौर आ बायसी मे करीब 55 फीसदी मतदान भेल।
सदर विधानसभा क्षेत्र मे भाजपा स राजकिशोर केशरी, सीपीआईएम स अमित कुमार, काग्रेस स रामचरित्र यादव, लोजपा स पप्पू कुमार, राकांपा स सैयद गुलाम हुसैन सहित तेरह प्रत्याशी चुनावी मैदान मे छथि। भाजपा स राजकिशोर केशरी कए काग्रेस क रामचरित्र यादव बाट मुश्किल कए सकैत अछि।
कसबा विधानसभा स भाजपा स प्रदीप कुमार दास, कांग्रेस स मो. अफाक आलम, लोजपा स मो. शाहनवाज आलम, बसपा स मिथिलेश कुमार सहित दसटा प्रत्याशी लड़ि रहल छथि। भाजपा स प्रदीप कुमार दास क बाट कांग्रेस क मो. अफाक आलम आसान कए सकैत छथि।
बनमनखी स राजद स धर्मलाल ऋषि, भाजपा स कृष्ण कुमार ऋषि, कांग्रेस स शालीग्राम ऋषिदेव, बसपा स संजीव कुमार पासवान सहित 11टा प्रत्याशी चुनावी अखाड़ा मे ताल ठोकि रहल छथि। एहि ठाम भाजपा क कृष्ण कुमार ऋषि क बाट कांग्रेस क शालीग्राम ऋषिदेव कठिन क सकैत छथि।
बायसी स निर्दलीय सैयद रुकनुद्दीन, कांग्रेस स नसार अहमद, भाजपा स संतोष कुमार, राजद स अब्दुस सुभान सहित आठटा प्रत्याशी मैदान मे छथि। कांग्रेस क नसार अहमद भाजपा क संतोष कुमार क बाट आसान कए सकैत छथि।
धमदाहा स जदयू प्रत्याशी लेसी सिंह, बसपा स राजकुमार उरांव, राजद स दिलीप कुमार यादव, राकांपा स शिवचरण मेहता, कांग्रेस स इरशाद अहमद खान सहित 19टा प्रत्याशी चुनाव लड़ि रहल छथि। एहि ठाम जदयू प्रत्याशी लेसी सिंह, राजद क दिलीप कुमार यादव स मजबूत स्थिति मे छथि।
अमौर विधानसभा स अब्दुल जलील मस्तान कांग्रेस स, देव नारायण यादव बसपा स, बाबर आजम राजद स, सबा जफर भाजपा स सहित दसटा प्रत्याशी भिड़ंत अछि। एहि ठाम कांग्रेस भाजपा कए बाट कठिन कए देलक अछि।
रुपौली स शंकर सिंह लोजपा स, बीमा भारती जदयू स, बालकिशोर मंडल भाकपा स, मो. आशिफ अनवर कांग्रेस स सहित 15टा उम्मीदवार चुनावी अखाड़ा मे ताल ठोंकने छथि। एहि ठाम बीमा भारतीक स्थिति कमजोर भ गेल अछि, मुदा कांग्रेसक जनाधार परिणाम कए प्रभावित करत।

अररिया स माया ठाकुर
अररिया जिले क छहटा विधान सभा क्षेत्र क 80टा प्रत्याशीक भाग्य तय भ गेल। ओना एहि चुनाव मे एकटा खास गप इ रहल जे कोनो दलक हवा नहि बनि सकल। मतदाता क चुप्पी चुनाव परिणाम कए अप्रत्याशित बना सकैत अछि।
ओना जिला क सबटा सीट पर भाजपा जदयू गठबंधन क कब्जा अछि। मुदा एहि बेर उच्च जातिक कांग्रेस दिस झुकाव आ किछु निर्दलीय प्रत्याशी क कारण चुनाव त्रिकोणीय संघर्ष मे बदलि गेल अछि।
अररिया विधानसभा क्षेत्र मे भाजपा, लोजपा आ कांग्रेस क बीच त्रिकोणीय संघर्ष अछि। लोजपा क जाकिर अनवर आ कांग्रेस क मोईदूर्रहमान भाजपा क नारायण झा क बाट कठिन केने छथि। एहन मे निर्दलीय अजय झा आ हैदर यासीन परिणाम कए बदलि सकैत छथि।
जोकीहाट विस क्षेत्र मे शुरू स जदयू आ राजद क बीच सीधा टक्कर छल, मुदा बाद मे कांग्रेस स टिकट नहि भेटला पर कौसर जिया जेना गोलबंदी केलथि अछि ताहि स राजदक बाट आसान भ गेल अछि। एहि ठाम स जदयू तस्लीमुद्दीन क पुत्र मो. सरफराज कए उम्मीदवार बनेने अछि, त राजद स युवा राजद क राष्ट्रीय महासचिव अरुण यादव छथि। ओना, कांग्रेस प्रत्याशी अयूब आलम सेहो दिल्ली क मुख्यमंत्री शीला दीक्षित क आगमन क बाद काफी उत्साहित छथि। एहन मे निश्चित रूप स जोकीहाट क चुनावी परिणाम चौंका सकैत अछि।
सिकटी मे लोजपा क उम्मीदवार अररिया क निवर्तमान विधायक विजय मंडल छथि, त भाजपा स पूर्व विधायक आनन्दी यादव। जखनकि कांग्रेस स जिला परिषद अध्यक्ष शगुफ्ता अजीम प्रत्याशी छथि। एहि ठाम सेहो जीत हार क कुंजी निर्दली क हाथ मे अछि।
फारबिसगंज विस क्षेत्र मे भाजपा आ लोजपा क बीच कांटा क संघर्ष अछि। भाजपा स महान उपन्यासकार फणीश्वर नाथ रेणु क पुत्र पदम पराग वेणु उम्मीदवार छथि। ओतहि लोजपा स पूर्व विधायक मायानन्द ठाकुर। जखकि कांग्रेस प्रत्याशी प्रकाश चौधरी आ बसपा प्रत्याशी मो. काफिल सेहो जी जान स लागल छलाह।
नरपतगंज मे सेहो भाजपा आ राजद मे मुख्य मुकाबला छल, मुदा कांग्रेस प्रत्याशी संघर्ष कए त्रिकोणीय बनेबा मे सफल रहलाह। भाजपा स जतए क्षेत्र क दबंग भगवान यादव क कनिया देवयंती यादव प्रत्याशी छथि, त लोजपा स पूर्व विधायक अनिल यादव। कांग्रेस प्रत्याशी आ जिलाध्यक्ष भारतेन्दू यादव प्रधानमंत्री क दौरा स काफी उत्साहित छथि। जदयू क जिलाध्यक्ष रहल अनंत राय क बागी बनला स भाजपा कए बाट कठिन भ गेल।
रानीगंज विस क्षेत्र मे सेहो भाजपा आ राजद क बीच टक्कर अछि, मुदा कांग्रेस एहि ठाम सेहो संघर्ष कए त्रिकोणात्मक करि देलक अछि। भाजपा क परमानन्द ऋषिदेव कए राजद क शांति देवी से खतरा अछि। किया कि कांग्रेस प्रत्याशी हरि प्रसाद वैश्यंत्री पिछड़ा, दलित आ अल्पसंख्यक क संग संग उच्चजातिक वोट मे सेंध लगा देलथि अछि।

मधुबनी स प्रीतिलता मल्लिक
मधुबनी जिला क दसो विधानसभा क्षेत्र मे राजगक इज्जत दांव पर अछि। ओना त हरलाखी, बेनीपट्टी, खजौली, बाबूबरही, बिस्फी, मधुबनी, राजनगर, झंझारपुर, फुलपरास आ लौकहा मे क्रमशः 9, 21, 16, 9, 15, 16, 10, 11, 20 आ 14टा उम्मीदवार मे छलथि, मुदा मुख्य मुकाबला राजद-लोजपा आ जदयू-भाजपा मे रहल। सबटा सीट पर कांग्रेस अपन जनाधार बढेबा मे सफल रहल। अनुमानक अनुसार राजग कए एहि जिला मे भारी नुकसान भ सकैत अछि आ महज तीन स चारि टा सीट पर जीतबाक उम्मीद अछि। जखन कि कांग्रेस अपन जनाधार बढेलाक बावजूद एकटा सीट जीतबाक स्थिति मे अछि। मधुबनी स राजद नैयर आजमक स्थिति कांग्रेस नीक कए देलक अछि, जखन कि बेनीपट्टी मे भाजपा क भाजपा क प्रदेश प्रवक्त विनोद नारायण झा कांग्रेस स आगू रहि सकैत छथि, विधान परिषद क पूर्व सभापति वीरेन्द्र चौधरी, मंत्री हरि प्रसाद साह, पूर्व मंत्री राम लखष राम रमण, राज कुमार महासेठ, नीतीश मिश्र आ फुलपरास स निवर्तमान विधायक देवनाथ यादव क कनिया गुलजार देवी सेहो नीक स्थिति मे छथि। पूरा चुनावक दौरान जदएस क राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सह पूर्व केन्द्रीय मंत्री देवेन्द्र प्रसाद यादव क कोनो प्रभाव नहि देखल गेल।

किशनगंज स नेहा खातून
ठाकुरगंज स विधायक गोपाल कुमार अग्रवाल क मुकाबला मे पूर्व विधायक सह सांसद मौलाना असरारुल हक काशमी क छोट भाई जाहिदुर्र रहमान क प्रतिष्ठा दांव पर लागल अछि। एहि सीट स भाजपा क बागी अवधबिहारी सिंह निर्दलीय चुनाव मैदान मे छथि। लोजपा-राजद नौशाद आलम कए प्रत्याशी बनने अछि। एहि ठाम गोपाल कुमारक स्थिति मजबूत अछि।
बहादुरगंज विधानसभा क्षेत्र स कांग्रेस विधायक तौशीफ आलम कए बाट मुश्किल अछि। जदयू क प्रो. मुसब्बिर आलम आ राजद क अंजार नईमी हुनका टक्कर द रहल छथि।
कोचाधामन विधानसभा क्षेत्र स राजद विधायक अख्तरुल ईमान क प्रतिष्ठा कए जदयू प्रत्याशी मुजाहिद आलम आ कांग्रेस उम्मीदवार सादिक समदानी चुनौती द रहल छथि।
किशनगंज विधानसभा क्षेत्र स भाजपा क पूर्व विधायक सिकन्दर सिंह अपन कनिया स्वीटी सिंह कए चुनाव मैदान मे उतारलथि अछि। ओतहि काग्रेंस पूर्व विधायक डॉ जावेद कए टिकट देलक अछि। राजद पूर्व जिप अध्यक्ष तसीरुद्दीन कए अपन प्रत्याशी बना मुकाबाला रोचक बना देलक अछि मुदा लोजपा स बागी कलीमउद्दीन हुनकर बाट रोकबा मे सफल रहलाह।

सुपौल स ममता शंकर
सुपौल जिला क पांचटा विधानसभा क्षेत्र मे स एक निर्मली विधानसभा क्षेत्र स जदयू क अनिरुद्ध प्रसाद यादव, राजद क अरुणा मेहता पर कांग्रेस क विजय कुमार गुप्ता भारी देखल गेलथि, ओना एहि ठाम कुल 10टा प्रत्याशी मैदान मे छथि।
पिपरा विधानसभा क्षेत्र स जदयू क सुजाता देवी स लोजपा क दीनबंधु यादव मजबूत रहलाह, मुदा कांग्रेस क सूर्यनारायण यादव सेहो काफी वोट झटकबा मे सफल भेलाह अछि ताहि लेल परिणाम चौंका सकैत अछि। ओना एहि ठाम स कुल 16टा प्रत्याशी मुकाबला मे जमल छथि।
सुपौल विधानसभा क्षेत्र स जदयू क विजेन्द्र प्रसाद यादव, राजद क रवीन्द्र कुमार रमण स कमजोर देखा रहल छथि, ओना कांग्रेस क प्रमोद कुमार सिंह क वोट झटकबाक स्थिति परिणाम कए प्रभावित करि सकैत अछि, एहि ठाम स कुल नौटा प्रत्याशी अपन भाग्य आजमा रहल छथि।
त्रिवेणीगंज सुरक्षित क्षेत्र अछि, एहि ठाम जदयू क अमला देवी सब पर भारी छथि, लोजपा क अनंत कुमार भारती स कांग्रेस क सुरेन्द्र नारायण सरदार मजबूत छथि, ओना एहि ठाम स 13टा उम्मीदवार मैदान मे अछि।
छातापुर विधानसभा क्षेत्र स जदयू क नीरज कुमार सिंह बबलू क बाट राजद क अकील अहमद रोकि सकैत छथि, ओना कांग्रेस क शाह जमाल उर्फ लाल परिणाम बदलबाक स्थिति मे छथि, ओना एहि ठाम स बाकी 15टा उम्मीदवार कोनो खास प्रभाव मे नहि रहताह।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

Tags: Biharph1

Related Posts

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

दिल्ली मे मनाउल गेल सामा चकेबा

Esamaad Epaper Website

के कतए स जीतल

नीतीशक कैबि‍नेट

Comments 6

  1. सुशांत झा says:
    15 years ago

    नीक प्रयास…संभवत:ई पहील सर्वे थीक जाहि में सबटा महिले छथि…बहुत आध्यात्मिक आ मनोवैज्ञानिक लोकनिके कहब छन्हि जे महिला के सिक्स्थ सेंस मजबूत होईत छैक। देखक चाही…!

    Reply
  2. राहुल says:
    15 years ago

    ह्म्रा के अ्च्ह लागल ए समा्चार

    Reply
  3. Rani Jha says:
    15 years ago

    All Candidates of NDA are going to clean sweep in the forthcoming assembly election 2010 in Bihar

    Senior BJP leader & MLA Shri Vinod Narayan Jha is going to emerge as victorious by record margin ,

    from BENIPATTI assembly constituency (Madhubani District, Bihar ) .

    Reply
  4. Anshumn Jha says:
    15 years ago

    Dear Madam

    This is your reverie.

    Reply
  5. Dayakant says:
    15 years ago

    bahut neek prayas

    Reply
  6. amit says:
    11 years ago

    एहि बेर सेहो किछु अनुमान देब। हम सब बाट तकैत छी।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि