पटना। राजधानी क बिजली व्यवस्था हाईटेक भ गेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संवाद भवन स विद्युत बोर्ड कालोनी स्थित पेसू स्काडा भवन स संचालित डिस्ट्रीब्यूशन मैनेजमेंट सिस्टम आ कस्टमर केयर सेंटर क शुभारंभ केलथि। बिलिंग सिस्टम क ट्रायल पहिने स भ रहल छल। ओना कहल जा रहल अछि जे एकरा पूरा तरह स काज करबा मे एखन आओर समय लागत। हालांकि तीनटा सिस्टम क संग नवनिर्मित चारि ग्रिड उप केन्द्र आ छब्बीस 33/11 केवी शक्ति उपकेन्द्र क सेहो आइ लोकार्पण कैल गेल। आब राजधानी क उपभोक्ता कए काल सेंटर मे विद्युत दोष स संबंधित शिकायत दर्ज करेबा स मुक्ति भेट जाएत। टेलीफोन नहि रहबा आ नहि उठेला पर उपभोक्ता फ्यूज काल सेंटर क चक्कर लगेबा लेल मजबूर छलथि। कस्टमर केयर सेंटर क टेलीफोन संख्या 0612-2285032 पर डायल करबा पर रेलवे पूछताछ प्रणाली क तर्ज पर विभिन्न तरह क शिकायत दर्ज कैल जाएत। उपभोक्ता कए पोल संख्या आओर उपभोक्ता नंबर डायल करए पड़त। पेसू स्काडा सेंटर स राजधानी क 46टा पावर सब स्टेशन मे स 38टा जुड़ि गेल अछि। एहि सेंटर क निर्माण 14 करोड़ क लागत स भेल अछि। इ सेंटर उपभोक्ता क लेल वरदान आ विद्युत अभियंता क लेल परेशानी क कारण बनत। कोई अधिकारी आब उपभोक्ता क शिकायत कए नजर अंदाज नहि करि सकैत छथि आ फीडर स्तर पर बिजली उपयोग क जानकारी सेहो आब आसानी स भेट सकत। एहि स बिजली चोरी पर रोक लगेबा मे सेहो मदद भेटत। कहल जा रहल अछि जे एक-दू मास मे बिलिंग सिस्टम सेहो चालू भ जाएत। जेकर बाद राजधानी क कोनो भाग क कोनो विद्युत बिल काउंटर पर विपत्र जमा क सुविधा उपलब्ध भ जाएत। स्पाट बिलिंग सेहो हुए लागत। एहि ठाम हैंडड्रिल मशीन मे जमा करबाक सुविधा सेहो भेटत। बिलिंग सिस्टम क ट्रायल गर्दनीबाग आपूर्ति प्रमंडल स शुरू भ चुकल अछि। मुख्यमंत्री विद्युत संचरण व्यवस्था क सुदृढ़ीकरण क लेल चार 132/33केवी ग्रिड उपकेन्द्र कटरा (पटना), हुलासगंज (जहानाबाद), बक्सर आ नवगछिया मे निर्मित भेल अछि।