दरभंगा । कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विवि क कुलपति डा.अरविंद पांडेय कहला अछि जे कोनो हालत मे मिथिलाक विरासत कए बचाउल जाएत। ओ ललित कला आ संगीत विभाग क सत्रारंभ आ स्वास्थ्य केंद्र मे यूजीसी क सौजन्य स उपलब्ध सुविधा क लोकार्पण क अवसर पर आयोजित समारोह कए संबोधित करि रहल छलाह। ओ कहला जे हुनकर योजना अछि जे विवि मे अवस्थित पार्क कए फेर स सजाउल जाए। पार्क मे तरह-तरह क गाछ आ फूल लगाउल जाए। जे हरियाली परिसर मे पहिने छल ओकरा फेर स आनल जाए। ओ कहला जे विवि लग एकटा सुंदर पोखर अछि जेकर सौंदर्यीकरण करबाक योजना अछि ओहि मे चारूकात टहलबा लेल पथ आ बोटिंग क सुविधा सेहो उपलब्ध करबाक योजना अछि। कुलपति कहला जे एहि दिशा मे काज भ रहल अछि। समारोह क अध्यक्षता करैत कहला जे मिथिला क एकटा समृद्ध सांस्कृतिक विरासत रहल अछि। ललित कला आ संगीत विभाग एहि विरासत क संरक्षण आ संवर्धन मे निश्चचित रूप स अपन अमूल्य योगदान देत। कुलपति कहला जे कई साल स ठप पड़ल एहि दूनू केंद्र कए पुनर्जीवित करबा मे घोर कठिनाइ भेल अछि मुदा आइ एकर चालू भेला पर संतोष आ खुशी भ रहल अछि। समारोहक मुख्य अतिथि डा. रमण कुमार वर्मा कहला जे धरोहरक रक्षा असगर संभव नहि अछि एखन मे संस्थान कए एकरा लेल पब्लिक प्राइवेट पार्टनरशीप क विकल्प पर विचार करबाक चाही। एहि स पूर्व पूर्व बौआजी झा क वैदिक मंगलाचरण स समारोह शुरू भेल। एकर बाद अतिथि सब डा सर कामेश्वर सिंह क चित्र पर माल्यार्पण केलथि। एहि मौका पर व्याकरण विभाग क स्मारिका आ यंत्रनाथ मिश्र लिखित कविता संग्रह सतमुखी क लोकार्पण सेहो भेल। छात्र कल्याण संकायाध्यक्ष जितेंद्र कुमार समारोह क संचालन केलथि।
Sunder vichar.Swagat yogy achi lekin Dr.Kameswar Singh ki murty lagewak disa me seho vichar debak chahi.