पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केंद्रीय नागरिक उड्डयन मंत्री व्यालार रवि कए पत्र लिख गया स्थित अंतरराष्ट्रीय अडडा अड्डे क नाम लार्ड बुद्धा इंटरनेशनल एयरपोर्ट करबाक अनुरोध केलथि अछि। मुख्यमंत्री केंद्रीय मंत्री कए पठाउल पत्र मे बोधगया क पवित्रता क जिक्र विस्तार स केलथि अछि। इ सेहो बताएल गेल अछि जे 2002 मे यूनेस्को बोधगया स्थित महाबोधि मंदिर कए विश्व धरोहर क रूप मे घोषित केने छल। गया स्थित अंतरराष्ट्रीय हवाई अडडा पर नियमित रूप स थाई एयरवेज, श्रीलंका एयरवेज, मिहिन लंका आ ड्रक एयरवेज क फ्लाइट उतरैत अछि। श्री लंका, थाइलैंड, चीन, भूटान, जापान आ सिंगापुर स पर्यटक क जत्था अबैत अछि।