पटना। राज्य मे विगत दस महीना मे पोलियो क कोनो नव मामला सामने नहि आयल अछि। स्वास्थ्य सचिव सह राज्य स्वास्थ्य समिति क कार्यपालक निदेशक संजय कुमार एकरा पोलियो उन्मूलन क दिशा मे कैल गेल प्रयास क नतीजा कहैत अछि। हुनकर मुताबिक एहि कामयाबी कए बरकरार रखबा लेल इंडिया एक्सपर्ट एडवाइजरी ग्रुप क अनुशंसा पर दस अति संवेदनशील प्रखंड मे शोध जारी अछि। बिहार पोलियो क दृष्टि स अति संवेदनशील अछि ताहि लेल सहरसा, दरभंगा, मधेपुरा, पटना, मुजफ्फरपुर, समस्तीपुर आ बेगूसराय क दस अति संवेदनशील प्रखंड मे विशेष जोर देला स इ सफलता हाथ लागल अछि। ओहि ठाम प्रभावशाली वैक्सीन बाईवेलैंट ओपीवी क प्रयोग कैल गेल छल किया कि इ वैक्सीन बच्चा कए पोलियो क पी 1 आ पी 3 दूनू संक्रमण स बचबैत अछि। सहरसा क सलखुआ आ महिषी, दरभंगा क कुशेश्र्वरस्थान पूर्व आ कीरतपुर, मधेपुरा क चौसा आ आलमनगर, पटना क मनेर, मुजफ्फरपुर क मुशहरी, समस्तीपुर क हसनपुर आ बेगूसराय क बलियाअति संवेदनशील प्रखंड मे शोध जारी अछि ताकि इ पता चलि सकए जे उक्त वैक्सीन बच्चा कए आब सेहो उच्च स्तरीयप्रतिरोध क्षमता प्रदान करि रहल अछि या नहि?