17 नहिं, 18 क उम्र सँ कए सकब रक्तदान, 65 सालक अधिकतम सीमा सेहो भेल तय
मणिभूषण राजू
नई दिल्ली । केन्द्र सरकार दिस स देश मे पहिल बेर रक्तदान करनिहार लोक सबलेल व्यापक नियम आ शर्त तय कैल गेल, जे कि पहिले नहिं छल। रक्तदानक लेल न्यूनतम उम्र 17 सँ बढ़ाकय 18 वर्ष कैैल गेल अछि। अधिकतम उम्रसीमा 65 वर्ष रहत। एहि सब शर्त कए ड्रग्स टेक्निकल एडवाइजरी बोर्ड(डीटीएबी) मंजूरी दए चुकल अछि । एखन एहिपर स्वास्थ्य मंत्रालय क मुहर बाकी अछि । नव नियम क तहत जेल मे बंद आदमी रक्तदान नहिं कए सकताह।
पल्स रेट 60-100 क बीच हेनाई जरूरी
* महिला प्रसव क 12 मास धरि, गर्भपात क 6 मास धरि आ ब्रेस्ट फीडिंग करेबाक दौरान ब्लड डोनेट नहिं कए सकतीह।
* माईनर सर्जरी क 6 मास बाद आ जिनका खून चढ़ल होईन ओ एक वर्ष बादे रक्तदान कए सकय छथि।
* जिनका घर मे हेपेटाइटिसक मरीज हेतनि ओ 12 मास धरि नहि दए सकताह रक्त ।
* मलेरिया ठीक हेबाक तीन महीनाक बाद, डेंगू-चिकनगुनिया क छ: मास बाद आ जीका वायरस से ठीक होबाक चारि महीना बाद रक्तदान संभव अछि ।
हिनका सबकए रक्तदान पर पाबंदी रहतनि
इंसुलिन लेनिहार, ब्लीडिंग डिस्आर्डर, एचआईवी पाजिटिव क पार्टनर, अस्थमा मरीज, चेस्ट पेन आ साँस फुलय क स्थिति मे, जिनका कहियो हर्ट अटैक आयल होईन, जिनकर ओपेन हार्ट सर्जरी भेल होईन, कैंसर क सर्जरी भेल मरीज, कुष्ठ रोगी, दिल क बीमारीक दवा लेनिहार मरीज सबकए रक्तदान पर पाबंदी रहत।