नई दिल्ली। आखिरकार रेलवे ओ तारीख घोषित करि देलक जेकर बिहार कई साल स बाट ताकि रहल छल। रेलवे बिहारक मढोरा डीजल लोकोमोटिव संयंत्र क लेल मूल्य निविदा खुलबाक तारीख 10 मई आओर मधेपुरा इलेक्ट्रिक लोकोमोटिव संयंत्र क लेल 11 मई तय केलक अछि। रेल मंत्रालय क वरिष्ठ सूत्र क कहब अछि जे बोली दस्तावेज मे लोकोमोटिव आपूर्ति क लेल मूल्य भिन्नता उपबंध आ रखरखाव क प्रौद्योगिक हस्तांतरण उपबंध मे बदलाव करि देल गेल अछि। एहि कारण स करीब 1200 करोड क एहि लोकोमोटिव परियोजना कए अस्थाई रूप स रोकि देल गेल छल। अधिकारीक कहब अछि जे रेलवे आब एहि परियोजना कए गति देबा मे लागि गेल अछि। बदलावक संबंध मे ओ कहला जे रेलवे मढोरा आ मधेपुरा जइसन पैघ सार्वजनिक निजी भागीदारी परियोजना कए ध्यान मे रखैत पीपीपी मोडक परियोजनाक बोली दस्तावेज मे बदलाव करि देलक अछि, ताकि एहि परियोजना कए बेसी स बेसी यथार्थपरक आ व्यावहारिक बनाउल जा सके। एहन मे इ उम्मीद कैल जा सकैत अछि जे बिहारक एहि दूनू परियोजना जल्द जमीन पर उतरत।