पटना। बिहार राज्य पथ परिवहन निगम 15 अगस्त स अपन वोल्वो सेवा शुरू करबाक तैयारी लगभग करि लेलक अछि। कुल 62टा बस लेल निगम प्रबंधन कए परमिट भेटल अछि। शुरुआत तमाम जिला मुख्यालय स भ रहल अछि। एकर अतिरिक्त राजधानी समेत गया आ भागलपुर स रांची आ टाटा लेल सेहो वोल्वो बस क परिचालन कैल जाएत। पटना स डालटेनगंज लेल सेहो वोल्वो बस चलत। बता दी जे परिवहन विभाग 500 वोल्वो बसक परिचालन क लक्ष्य रखने अछि। विभाग शुरुआत मे अपन तमाम जिला मुख्यालय कए वोल्वो सेवा स जोड़बाक योजना बनेने अछि। जखन विभाग ट्रांसपोर्टर सबहक मन टटोलबाक प्रयास केलक त ओकरा लग मे राज्यक कुल 45टा रूट लेल प्रस्ताव आबि गेल। सडक नीक भेलाक बाद बिहार मे सफर नीक भ चुकल अछि मुदा एहि सेवा कए शुरू भेला स किछु आओर नीक भ जाएत। ओना जामक समस्या क निराकरण होएब एखन बाकी अछि जे राजधानी पटना स निकलबा लेल जरूरी अछि।
बहुत नीक गप्प ।
प्रतिक्षा रहत दड़िभंगा-मधुबनी-सीतामढ़ी-पुर्णिया आदि सँ बोकारो-राँची-टाटा आदि स्थानक लेल वॉल्वो बसक ।