• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

15 स शुरू भ जाएत भागलपुर स हवाई सेवा

April 4, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

एयरपोर्ट अथार्टी आफ इंडिया देलक अनुमति
दू स तीन हजार टका होएत किराया
शीघ्र शुरू होएत किछु आओर नव शहर स सेवा
स्प्रीट एयर क बाद स्काई फिशर उतरल बिहार मे
एयर एशिया सेहो बिहार क शहर लेल देत सेवा

भागलपुर / पटना । आखिरकार केंद्र सरकार मानलक जे बिहार मे घरेलू उड़ान क अपार संभावना अछि। बिहार मे घरेलू उड़ान सेवा लेल भारी मांग कए देखैत आखिरकार एयरपोर्ट अथार्टी आॅफ इंडिया पटना स जिला मुख्यालय लेल उड़ान क अनुमति द देलक। एयरपोर्ट अथार्टी आॅफ इंडिया क एहि अनुमति स बिहार क करीब दर्जन भरि रनवे पर हवाई सेवा शुरू हेबाक बाट साफ भ गेल। अनुमति भेटलाक बाद सबस पहिने विमानन कंपनी स्काई फिशर भागलपुर समेत बिहार क चारिटा शहर स अपन सेवा शुरू करबाक घोषणा केलक अछि। ओतहि टाटा क विमान कंपनी एयर एशिया लेल सेहो बिहार क शहर स सेवा शुरु करबाक बाट खुलि गेल। स्प्रीट एयर पहिने बिहार क तीनटा शहर लेल सेवा द रहल अछि। स्प्रीट एयर पूर्णिया, गया और पटना स सेवा शुरू केने अछि।
15 अप्रैल से शुरू भ रहल स्काई फिशर क सेवा मे सबस पहिने भागलपुर विमान सेवा स जुडत। मुदा उम्मीद कैल जा रहल अछि जे बहुत जल्द बिहारक किछु आर नव शहर स विमान सेवा शुरू भ सकैत अछि, जाहि मे रक्सौल आ दरभंगा प्रमुख अछि। ओना पटना, गया आ पूर्णिया क बाद भागलपुर बिहार क चारिम शहर होएत जाहि ठाम स विमान सेवा शुरू होएत।
ज्ञात हुए जे इसमाद पिछला पांच साल स एहि अनुमति लेल मुहिम चला रखने छल। इसमाद क मानब अछि जे बिहार में 20 टा एहन रनवे अछि जेकरा किछु मरम्मतक उपरांत छोट विमान लेल मुहैया कराउल जा सकैत अछि, जखन कि गया, पूर्णिया आ पटना स विमान सेवा चालू अछि। दरभंगा सेवा लेल उपयुक्त अछि मुदा स्थानीय उदासीनता क कारण ओ उपेक्षित अछि। भागलपुर आ रक्सौल स शीघ्र सेवा शुरू हेबाक घोषणा बिहार कए आसमान जीतबाक सपना बहुत हद तक पूरा क देत।
स्काई फिशर कंपनी क अनुसार 15 अप्रैल स शुरू भ रहल ओकर विमान सेवा काफी सस्त अछि। 12 सीट वाला एयर टैक्सी क एकटा सीट क किराया 25 सौ स तीन हजार रुपया होएत। पटना एयरपोर्ट पर एयर टैक्सी कए पार्क करबा लेल आ देखरेख लेल जगह क आवंटन एक दू दिन मे भ जाएत, एकर बाद सेवा आरंभ क देल जाएत। फिलहाल कंपनी एकरा लेल बिहार सरकार स संपर्क में अछि। मुख्य एयरपोर्ट क दायरा कम हेबाक कारण स एयरपोर्ट अथार्टी जगह देबा स मना क देलक अछि, मुदा कंपनी स्टेट हैंगर मे जगह लेल राज्य सरकार स गप क रहल अछि। जगह उपलब्ध भेला पर 15 अप्रैल स जिला लेल एयर सेवा आरंभ क देल जाएत। एहि स पहिने प्टेस्ट आ प्रोमोशनल फ्लाइट सेहो चलाउल जाएत। कंपनी एकरा लेल खास तौर पर किराया कम रखलक अछि। कंपनी क अधिकारी क अनुसार अधिकतम तीन हजार टका क किराया मे कोनो व्यक्ति भागलपुर, पूर्णिया व गया स पटना आबि जा सकैत अछि। उड्डयन मंत्रलय की एजेंसी सेंटर फार एविएशन पालिसी सेफ्टी एंड रिचर्स क नेशनल एक्जक्यूटिव डायरेक्टर अतुल सिंह कहला जे मंत्रलय क सर्वे मे इ तथ्य सामने आयल अछि जे बिहार मे घरेलू उड़ान मे भारी संभावना अछि। सिंह कहला जे पटना स जिला मुख्यालय क उड़ान अधिकतम 30 स 50 मिनट क होएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

टीसीएस क संग भेल प्रबंधन संस्थान क अनुबंध

Esamaad Epaper Website

ग्रेटर मुजफ्फरपुर क उम्मीद बढ़ल

Esamaad Epaper Website

अहां स इ उम्मीद नहि छल सिद्दीकी जी

Comments 2

  1. Prakash Kumar Jha says:
    12 years ago

    Esamaad ke madhyam sa Darbhanga sa seho vimanseva suru hebak samaad bhetal chhal muda aai dhari ekar suruat nahi bhel.

    Reply
  2. dr dhanakar thakur says:
    12 years ago

    नीक खबरि

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि