• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

1600 करोड़ स चमकत शहर

May 17, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। बिहारक शहर सेहो आब देशक अन्य शहरक भांति चकाचक रहत। चालू वित्तीय वर्ष मे नगर विकास आ आवास विभाग एकरा लेल योजना मद मे 1600 करोड़ टका खर्च करबाक योजना बनेलक अछि। एहि राशि स जलापूर्ति आ जलनिकासी क व्यवस्था सेहो होएत। नगर विकास आ आवास विभाग द्वारा चालू वित्तीय वर्ष मे विभिन्न शहर क जलापूर्ति व्यवस्था ठीक करबा लेल 20 करोड़ आ नाला निर्माण, सीवरेज आ अन्य सैनिटेशन कार्य पर सेहो 20 करोड़ खर्च करबाक योजना बनेलक अछि। एकर तहत राजधानी पटना मे 38 टा नव पंप लगेबा लेल दू करोड़ टका बिहार राज्य जल पर्षद कए देल जा चुकल अछि। पटना नगर निगम क सब वार्ड मे चापाकल गाड़बाक योजना अछि। जलापूर्ति आ नाला निर्माण क संग नागरिक सुविधा बढ़ेबा पर करीब 25 करोड़ खर्च करबाक योजना अछि।    एकर संगहि नगर निकाय क तकनीकी आ प्रशासनिक भवन क निर्माण आ जीर्णोद्धार पर दू करोड़, मास्टर प्लान आ परियोजना प्रतिवेदन क निर्माण पर चारि करोड़, इ-गवर्नेस पर दू करोड़, जवाहर लाल नेहरू राष्ट्रीय शहरी योजना पर नौ सौ करोड़  और आइएचएसडीपी पर 150 करोड़ खर्च करबाक योजना तैयार अछि। एकर संगहि विभिन्न शहर मे ठोस अपशिष्ट प्रबंधन पर छह करोड़ खर्च कैल जाएत, जेकरा स पटना, मुजफ्फरपुर, भागलपुर, गया, बिहारशरीफ, आरा आ दरभंगा मे कूड़ा निष्तारण क योजना क शुरुआत कैल जा रहल अछि। एहि योजना क लेल कई ठाम भूमि अधिग्रहण क प्रक्रिया सेहो शुरू कैल जा चुकल अछि। एहि बेर पथ आ पुल क निर्माण पर करीब 20 करोड़ खर्च करबाक योजना बनाउल गेल अछि। एकर संगहि आवास निर्माण क लेल भूमि अधिग्रहण पर दू करोड़ टका खर्च करबाक योजना अछि। सवाल उठैत अछि जे इ विभाग नीतीश सरकार मे सबस बेसी घोषणा करबा लेल ख्यातिप्राप्त अछि। पिछला कईटा घोषणा त मुंह तक सीमित रहल, कागजो तक नहि पहुंचल, जमीनक त गप छोड़ू। नीतीश सरकारक पहिल नगर विकास मंत्री त घोषणा क रिकार्ड बना चुकल छथि। दरभंगा मे बाढि़क बाद तत्कालीन नगरविकास मंत्री कहने छलाह जे जल निकासी लेल पंप हाउस क निर्माण होएत। एकर बाद फेर एहि दिस किछु नहि भेल जखन कि एहि घोषणाक बाद पिछला चारि साल स दरभंगा ओहिना दहा रहल अछि। पटना लेल कैल गेल अधिकतर घोषणा पूरा नहि भ सकल अछि। नीतीश सरकारक सबस खराब एहि विभाग मे एखन धरि कईटा मंत्री भ चुकला अछि। देखबाक अछि वर्तमान नगर विकास मंत्री सह वित्तमंत्री सह उपमुख्यमंत्री योजना कए केतबा जमीन पर उतारथि छथि।

Tags: Bihar

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

छोट राज्य नहि स्थानीय नेता चाही

Esamaad Epaper Website

सरकार कए डूबा कए रहत नगर विकास विभाग

Esamaad Epaper Website

दीघा आईटीआई कैंपस : 465 कए भेटल नियुक्ति पत्र

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि