पटना। केंद्रीय वन एवं पर्यावरण मंत्री रमेश कहला अछि जे बिहारक 19टा शहर लेल 3000 करोडक परियोजना मंजूर कैल गेल अछि जाहि मे स 1500 करोड केवल पटना लेल अछि। एहि टका स मुख्य रूप स गंगा कए साफ कैल जाएत।
केंद्रीय वन एवं पर्यावरण मंत्री जयराम रमेश कहला जे राष्ट्रीय गंगा घाटी प्राधिकरण क माध्यम स गंदा पाइन निकासी क लेल ट्रीटमेंट प्लांट लगेबा लेल अगिला पांच-छह साल क दौरान बिहार क 19टा शहर मे 3000 करोड़ टका क परियोजना लगाउल जाएत। दू दिवसीय बिहार दौरे पर आएल विश्व बैंक क अध्यक्ष राबार्ट बी जालिक क संग गंगा नदी मे डाल्फिन संरक्षण परियोजना क निरीक्षण केलाक बाद ओ समदिया सब स गप करि रहल छलाह। रमेश कहला जे शहर स गंदा पाइन निकासी क लेल ट्रीटमेंट प्लांट लगेबाक खातिर पटना कए सबस बेसी 1500 करोड़ भेटत।
रमेश कहला जे एनजीआरबीए क माध्यम स बिहार क चारिटा शहर क लेल एखन तक करीब 450 करोड़ क परियोजना कए मंजूरी दे जा चुकल अछि।
रमेश कहला जे करीब साढ़े चार सौ किलोमीटर क गंगा क स्ट्रेच बिहार राज्य मे पड़ैत अछि। केंद्रीय वन एवं पर्यावरण मंत्री कहला जे पटना मे गंगा भ्रमण क दौरान शहर क गंदा पाइन सीधा गंगा मे बहैत देखलहु अछि। एकरा तत्काल रोकबा लेल कहल गेल अछि।
ओ कहला जे एहि योजना क तहत गंदा पाइन क शोधन क लेल प्लांट के संग-संग नदी क कछैर क विकास सेहो कैल जाएत।
पटना क गंगा नदी क कछैर स लागल तीस किलोमीटर क रिवर फंट क विकास क लेल बिहार सरकार करीब 150 करोड़ क एकटा प्रस्ताव केंद्र कए पिछला तीन सप्ताह पूर्व पठेलक अछि, जाहि पर केंद्र राज्य सरकार स किछु जवाब मंगलक अछि। रमेश कहला जे एकर प्रथम चरण क तहत पांच स छह किलोमीटर क रिवर फ्रंट क विकास कैल जाएत। एहि संबंध मे मुख्यमंत्री क संग गप भ गेल अछि।