पटना। बिहार बदलि रहल अछि। पुरान रंग मे रंगबाक एकटा आर प्रयास सामने अछि। करीब बीस साल बाद ऐतिहासिक गांधी मैदान मे एक बेर फेर शारदीय नवरात्र क दौरान सुरधार बहत। शास्त्रीय आ भजन संगीत क महफिल सजत। पटनाक एकटा परिचय रहल गांधी मैदानक संगीत आ दुर्गा पूजाक शास्त्रीयता एक प्रकार स हरा गेल छल। एक बेर फेर एकरा ताकल जाएत आ पूरा राति शास्त्रीय संगीत क आरोह अवरोध मे पटना क जनता गोता लगाउत। सबस पैघ गप इ अछि जे एहि कार्यक्रम कए कियो दोसर नहि वैह पुरान आयोजक पटना जंक्शन दुर्गा पूजा समिति करि रहल अछि। समिति दिस स जारी बयान मे कहल गेल अछि जे तीन आ चारि अक्टूबर कए गांधी मैदान मे कार्यक्रम प्रस्तुत कैल जाएत। जेकर उद्घाटन तीन अक्टूबर कए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार करताह। सांस्कृतिक कार्यक्रम दूनू दिन राति भरि चलत । समिति क अध्यक्ष डा. जगदीश पाण्डेय कहला जे समिति द्वारा आयोजित इ 36म सांस्कृतिक समारोह होएत। संगीत सम्मेलन 2011 स्व. पंडित कुमार गंधर्व कए समर्पित होएत। 3 अक्टूबर कए गांधी मैदान मे कुमार गंधर्व दर्शन प्रस्तुत कैल जाएत । एहि मौका पर प्रसिद्ध कलाकार पुष्कर लेले द्वारा भजन, निर्गुण आ ठुमरी प्रस्तुत कैल जाएत। पद्मश्री शोभना नारायण आ डा. संगीता शंकर सेहो प्रस्तुति देतेथि। चारि अक्टूबर कए पुष्कर लेले, शोभना नारायण आ डा. वर्षा अग्रवाल, डा. असीत गोस्वामी आ पंडित ललित महंत सुर-संगीत क प्रस्तुति देतथि।