ज्योत्सना मिश्रा
पटना । कोरोना गाइडलाइन क संगे मार्च तक राज्य भरि मे देश क लगभग दू सौ बड़का कंपनी कए जॉब कैंप लगाबय लेल आमंत्रित कयल गेल अछि, जहि सँ आइटीआइ पास छात्र सब क रोजगार क अवसर भेटत। श्रम संसाधन विभाग द्वारा दिल्ली, बेंगलुरु, मुंबई आ कोलकाता सहित अन्य राज्य सँ जॉब कैंप में हिस्सा लेबय लेल आमंत्रण भेजल जायत। एहिमे ऐहनो छात्र सब क नौकरी भेटत जे पास भय गेल छथि वा पास होबयवला छथि।
अधिकारी गण क मुताबिक जनवरी सँ मार्च क मध्य मे ई रोजगार मेला लागयबला अछि। एहिमे ओ सब कंपनी होयत जहि सँ लोक क बेहतर रोजगार क अवसर प्राप्त होएत।
रोजगार क संगे देल जाएत मार्गदर्शन
रोजगार मेला मे छात्र सब क रोजगार आ मार्गदर्शन दुनू संगे भेटत। नब आ पुरान ट्रेड में डिग्री लेबयवला छात्र के नौकरी देबयवला कंपनी क चयन करबा क लेल नियोजन में विशेष टीम होएत। अइ टीमक जिम्मेदारी हेतय जे ई ओहन कंपनी क चयन करे जे नौकरी देला क बाद छात्र सब क बिना कोनो कारण कए नै हटाबैय।
तैयार भ रहल अहि एप
रोजगार मेला में नौकरी पाबय वला के एगो अलग स डेटाबेस होयत। अयमें ओ युवा सबहक ब्योरा रहत जिनका सब कए नौकरी भेटतय। कंपनी नौकरी देला क बाद अगर बिना कोनो कारण सँ नौकरी सँ हटातय, त ओहि कंपनी के शिकायत करबाक जानकारी विभाग द्वारा भेट जायत। ऐखन तक एहेन किछ निगरानी के कोनो व्यवस्था नहि अछि। एहिसँ स विभाग कए सूचना नहि होय अछि जे नौकरी भेटला के बाद कतेक लोक नौकरी छोड़ देलखिन्ह या निकालि देल गेलन्हि।
बिहार मे आइटीआइ
– प्राइवेट : 1062
– सरकारी : 149
आइटीआइ में छात्रक संख्या
प्राइवेट : एक लाख दू हजार
सरकारी : 27000