नई दिल्ली। बिहार क कहलगांव में एक टा विद्युत उत्पादन संयंत्र स्थापित करबाक लेल 300 एकड़ जमीन आधुनिक मेटालिक्स गु्रप कए आवंटित कएल गेल। इ संयंत्र 2011 क जून तक चालू होबा अनुमान अछि, जे पूर्णरूपेण कोयला परि आधारित होएत।
बिहार औद्योगिक क्षेत्र विकास प्राधिकरण (बियाडा) भारत स निवेश क 55 प्रस्ताव आ विदेश मे विभिन्न क्षेत्र मे विशेष रूप से खाद्य प्रसंस्करण मे प्राप्त केलक। निवेशक पंडौल, हाजीपुर, पटना, सीवान आ मुंगेर जेहन जगह परि काज करबाक रुचि देखउलक। मालूम हुए जे बिहार मे बियाडा क 49 टा औद्योगिक क्षेत्र अछि। बियाडा क कुल 477.15 एकड़ जमीन अधिगृहीत अछि आ यूनिट क संख्या 1809 टा अछि।
बियाडा क तरफ से कहल गेल जे हम फार्म कए तरफ स बिहार मे बहुत ज्यादा निवेश प्रस्ताव कए लेल व्यवसायी आगंतुक कए प्रोत्साहित करि रहल छी। बियाडा क प्रबंध निदेशक अंशूली आर्य कए अनुसार बिहार सरकार बेहतर बुनियादी सुविधा, सड़क आ निवेशक कए स्थापित करबाक मे रुचि स बिहार मे उद्योग स्थापित करै वाला उद्योगपति आर्कषित भेल। राज्य मे औद्योगिक क्षेत्र क लेल कहलगांव मे 1000 मेगावाट ताप विद्युत संयंत्र क शुरुआत क बाद अलग फीडर बिजली उपलब्ध करबाक लेल योजना बनाउल गेल।
ओ आगू कहला जे मुख्यमंत्री क एक टा सपना छएल जे बिहार क खाद्य पदार्थ हर राज्य मे लोकप्रिय होबाक चाहि। बिहार पहिल राज्य अछि जे खाद्य उद्योग परि एक टा विशेष नीति जारी केलक। बियाडा क प्रयास अछि जे बिहार मे बेहतर औद्योगिक पर्यावरण आ निवेशक कए लेल सुविधा उपलब्ध कराउल जाए।