• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

2014 तक बनि जाइत कोसी पर महासेतु

August 6, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

चौसा । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे प्राकृतिक आपदा क शिकार कोसी इलाका क पुननिर्माण क लेल हुनकर सरकार कृतसंकल्प अछि। मधेपुरा जिला क चौसा मे विजय घाट पर 367 करोड़ टका स कोसी नदी पर प्रस्तावित महासेतु क शिलान्यास करबाक बाद जनसभा कए संबोधित करैत नीतीश कहला जे कोसी नदी पर पहिल पुल क शिलान्यास तत्कालीन प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी केने छलाह आ हमर सरकार बलुआहा घाट पर एकटा आओर पुल स्वीकृत केने अछि, जाहि पर काज तेजी स चलि रहल अछि, आइ कोसी नदी पर तेसर महासेतु क शिलान्यास करबा लेल आयल छी जे फरवरी 2014 तक बनिकए तैयार भ जाइत। मुख्यमंत्री कहला जे चारि लेनवाला एहि आरसीसी पुल क लंबाई 1840 मीटर अछि जखन कि पहुंच पथ क लंबाई 12 किमी अदि। क्रास ड्रेनेज आ गाइड बांध क निर्माण सेहो कैल जाइत। 47टा पाया वाला इ पुल मधेपुरा जिला क चौसा प्रखंड क भटगामा स शुरू होएत आ भागलपुर जिला क नवगछिया जीरोमाइल मे जा मिलत।
ओ कहला जे कोसी त्रासदी क बाद प्रधानमंत्री एकरा राष्ट्रीय आपदा घोषित केलथि आ केन्द्रीय टीम आबि कए नुकसान क आकलन केलक। मुदा केंद्र स एक टका नहि भेटल। मुदा हम हारि नहि मानब अहांक सहयोग आ आशीश स सरकार कोसी प्रक्षेत्र कए पहिने स बेहतर बनेबा लेल विश्व बैंक स 22 करोड़ डालर कर्ज ल रहल अछि।
एहि अवसर पर पथ निर्माण मंत्री डा. प्रेम कुमार कहला जे एहि पुल पर 367 करोड़ टका खर्च आउत। एहि स सहरसा, सुपौल, मधेपुरा आ भागलपुर जिला क लोक कए आसानी होएत। पुल बकन गेला स नवगछिया स मधेपुरा क दूरी 51 किमी, सहरसा आ सुपौल क दूरी 25 किमी तक कम भ जाएत। संगहि भागलपुर स पड़ोसी देश नेपाल सेहो लग भ जाएत। ज्ञात हुए जे एहि स पूर्व 13 जुलाई कए एहि पुल क शिलान्यास हेबाक छल मुदा कोनो कारणवश कार्यक्रम नहि भ सकल।

Tags: Biharkosinitishsetu

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

सबौर मे कृषि विश्वविद्यालय स्थापना

Esamaad Epaper Website

कमला कांत झा मैथिली अकादमी क अध्यक्ष बनलाह

Esamaad Epaper Website

बिहार क मुश्ताक अहमद हॉकी इंडिया क कोषाध्यक्ष चुनल गेलाह

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि