पटना । नव वित्तीय वर्ष मे बिहार क योजना आकार 24 हजार करोड़ टका क होएत। सरकार एहि संबंध मे अपन कवायद शुरू करि देलक अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि गपक जानकारी देलथि अछि। गुजरल वित्तीय वर्ष (2010-11) मे योजना आकार 18 हजार करोड़ टकाक छल। मुख्यमंत्री कहला जे सरकार हर क्षेत्र मे काज करबाक कार्ययोजना क तहत आगू बढ़ि रहल अछि। विभाग क समीक्षा क संग-संग तय कार्य क लेल वित्त प्रबंधन पर सेहो काज भ रहल अछि। उद्यमी कए प्रोत्साहित करबाक उद्देश्य स सरकार 31 मार्च 2011 तक नव औद्योगिक प्रोत्साहन नीति आनत। स्टेट इंवेस्टेमेंट प्रमोशन बोर्ड कए इ दायित्व देल गेल अछि जे ओ निवेशक क समस्या क सेहो समाधान करए। अगर संभव भेल त एहि मास, नहि त अगिला मास उद्यमी पंचायत लगाउल जाएत। मुख्यमंत्री कहला जे राज्य सरकार क कर्मी क समस्या क समाधान लेल सेहो सरकार गंभीर अछि। एहि क्रम मे एहि मास ओ सबटा कर्मचारी संगठन क प्रतिनिधि क संग बैठक करताह। भ्रष्टाचार नियंत्रण क संबंध मे ओ कहला जे सरकार क फैसला क तहत आब ग्रेड एक स तीन तक क सरकारी कर्मी कए वार्षिक रूप स अपन संपत्ति क विवरण देबाक अछि।