पटना। विहार क विभिन्न विभाग मे संविदा पर कार्य रत कर्मी क सेवा स्थायी हेतैन । एहि लेल गठित उच्च स्तरीय समिति अपन रिपोर्ट तैयार क लेलक अछि जकर आलोक मे नितीश सरकार जल्दिये संविदा आधारित कर्मी कए खुशखबरि द सकैछ । एहि संवर्गक कर्मी क स्थायीकरण कोना कैैल जाय, ताहि सँ संबंधित ३६० पन्ना क रिपोर्ट तैयार कैैल गेल अछि जे समिति द्वारा जल्दिए मुख्यमंत्री के सौंपल जायत । सरकार द्वारा रिपोर्ट क अध्ययन क पश्चात निर्णय लेल जाएत जाहि सँ लगभग तीन लाख संविदा कर्मी लाभान्वित होयत ।
पूर्व मुख्य सचिव ए के चौधरी क अध्यक्षता मे २८ -०४- २०१५ के उच्च स्तरीय समिति क गठन ठेका पर बहाल कर्मी क नियमितीकरण करबा हेतु कैैल गेल छल जकरा तीन मासाभ्यंतर अपन रिपोर्ट देबाक छलै परन्तु कर्मी क संख्या अधिक भेलाक कारणे रिपोर्ट तैयार करबा मे समय लगलैक । समिति एहि कोटि क कर्मी लोकनि क कोन वेतनमान होयतैन ताहि पर अपन कोनो मंतव्य नहि देने अछि । ई विषय समिति क क्षेत्राधिकार मे नहि छल । राज्य सरकार द्वारा बाद मे एहि पर निर्णय लेल जाएत । संबंधित विभाग सब से पृथक पृथक विभिन्न चरण मे बैसारक उपरांत समिति द्वारा ई रिपोर्ट तैयार कैैल गेल । रिपोर्ट मे एहि बात क विशेष ध्यान राखल गेल अछि जे स्थायीकरण क कोनो नियम माननीय सर्वोच्च, उच्च न्यायालय क कोनो निर्णय क विरुद्ध नहि होए । एहि कोटिक बेसगर कर्मी ग्रामीण विकास शिक्षा, स्वास्थ्य,कृषि, वित्त, सूचना प्रावैधिकी आ पंचायती राज विभाग स छथि ।