पटना। सर्वोच्च न्यायालय क निर्देश क अनुपालन मे राज्य मे 34, 540 प्रशिक्षित शिक्षक क नियुक्ति जनवरी 2012 मे भ जाएत। मानव संसाधन विकास मंत्री पीके शाही कहला जे प्राथमिक शिक्षकक नियोजन लेल पात्रता परीक्षा (टीइटी) पूर्व निर्धारित तिथि 3-4 दिसंबर कए होएत, जखनकि माध्यमिक शिक्षक लेल टीइटी जनवरी 2012 मे अनुमानित अछि। ओ कहला जे कर्मचारी आयोग कए हर हाल मे दिसंबर मास मे 34, 540 चयनित शिक्षक क सूची जिला कए उपलब्ध करा देबाक निर्देश देल गेल अछि। एकर आधार पर जनवरी 2012 मे काउंसिलिंग करि नियुक्ति कैल जाएत। जेना कि अहां सब कए ज्ञात अछि जे करीब आठ साल स लटकल मामला आखिरकार सुलझि गेल अछि। 34,540 शिक्षक क नियुक्ति क कानूनी लड़ाई आखिरकार अभ्यर्थी लोकनि जीत गेलाह। सर्वोच्च न्यायालय क न्यायमूर्ति अल्तमस कबीर आ न्यायमूर्ति जीएस दत्तू क खंडपीठ सरकार द्वारा तैयार रोस्टर कए मंजूर करैत अपन फैसला सुना देलथि। सर्वोच्च न्यायालय क फैसला क जानकारी दैत मानव संसाधन विकास विभाग क संयुक्त निदेशक आरएस सिंह कहला जे सर्वोच्च न्यायालय सरकार क दलील स सहमत होइत उर्दू शिक्षक क सबटा 5000 पद उर्दू शिक्षक अभ्यर्थी स भरबाक आदेश देलक अछि। प्रशिक्षण वर्ष क वरीयता सूची क आधार पर नियुक्ति भेला स उर्दू शिक्षक क पद रिक्त रहि जाइत अछि आ ओहि पर शारीरिक शिक्षा क अभ्यर्थी नियुक्त भ जाइत छल। एहि स प्रदेश मे उर्दू शिक्षकक कमी भ जाइत छल। अदालत क फैसलाक अनुसार जे शिक्षक अभ्यर्थी 31 जनवरी 2012 तक रिटायर करताह हुनकर नियुक्ति नहि होएत। फर्जी शिक्षक अभ्यर्थी क संदर्भ मे अदालत आदेश देलक जे काउंसलिंग क दौरान फर्जी प्रमाणपत्र जमा करनिहार अभ्यर्थी सबहक पहचान करै, सरकार हुनका पर मुकदमा दर्ज करै। वैध संस्थान स प्रशिक्षण क डिग्री प्राप्त करनिहार कए तकनीकी भूल क वजह स अवैध संस्थान करार देबाक शिकायत क संदर्भ मे अदालत कर्मचारी चयन आयोग कए एकर जांच करबाक आ जांच मे सही पाउल गेल अभ्यर्थी कए अगिला बेर नियुक्त करबाक निर्देश देलक। हालांकि फैसला क सब स्वागत केलथि अछि मुदा सवाल इ अछि जे अदालत क आदेश क बाद अंतिम बेर सरकारी वेतनमान मे 34,540 प्रशिक्षित शिक्षक क नियुक्ति भ रहल अछि। एकर बाद जे नियुक्त्ा होएत ओ नियत वेतन पर संविदा पर नियोजित होएत। एहन मे एहि प्रशिक्षित शिक्षक कए कौन वेतनमान मे राखल जाएत, इ सवाल क उत्तर एखन कियो नहि द पाबि रहल अछि।