पटना। राज्य सरकार प्रखंड पशु चिकित्सक क खाली पद कए भरबाक लेल आवश्यक प्रक्रिया शुरू करि देलक अछि। अगिला पन्द्रह दिन क अन्दर सूबा मे 346 टा पशु चिकित्सक प्रखंड मे नियुक्त करि देल जाएत। एकरा अलावा 225 टा पशु चिकित्सक कए नियुक्ति क प्रक्रिया सेहो अंतिम चरण मे अछि। इ गप पशुपालन मंत्री राम नारायण मंडल बिहार पशु चिकित्सा संघ क तरफ स आयोजित संगोष्ठी मे कहलथि। ओ कहला जे सूबे मे पशुपालन कए बढ़ेवा देबाक लेल सरकार क तरफ स कईटा कार्यक्रम चलाउल जा रहल अछि। पशुपालक क समस्या कए दूर करबाक लेल पशु चिकित्सक पशुपालक क द्वार कार्यक्रम चलाउल गेल। एहि स राज्य क अधिकांश पशुपालक क समस्या कए दूर करबाक प्रयास कएल गेल। सूबे क पशुपालक क बीच हरा चारा क बीज वितरित कएल गेल अछि। ओ पशु चिकित्सक कए चेतबैत कहलथि जे अगर कोनो पशु चिकित्सक चिकित्सालय स फरार पाउल गेल त हुनकर खैर नहि रहल। पशु चिकित्सक ईमानदारी स अपन कर्तव्य क पालन करै, सरकार हुनका आवश्यक सुविधा प्रदान करबाक लेल तत्पर अछि। एहि मौका पर किसान आयोग क पूर्व सदस्य डॉ. अलाउद्दीन अहमद कहलथि जे पशु चिकित्सक सूबा मे दूध उत्पादन बढ़ेबा पर विशेष ध्यान दिए। देश मे प्रतिव्यक्ति दूध क उत्पादन सबस कम बिहार मे भ रहल अछि। इ हमर लेल गंभीर चिंता क विषय अछि।