
बैसक मे लेल गेल प्रमुख निर्णय क संबंध मे कैबिनेट क प्रधान सचिव श्री अरुण कुमार सिंह जनौलन्हि जे बैसक मे बीस महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल जाहि मे चतुर्थ श्रेणी क कर्मी क पद नाम बदलि के हुनका तृतीय श्रेणी क दर्जा देल गेल अछि। आब हुनका सबहक पदनाम कार्यालय परिचारी आ परिचारी (विशिष्ट ) देल गेल अछि।
एहि संबंध मे श्री सिंह स्पष्ट कयल जे सातम वेतन मान क अनुशंसा लागू भेला क कारणे एहि पद सब के तृतीय श्रेणी मे वर्गीकृत कयल गेल अछि। एहि व्यवस्था में पे ग्रेड क स्थान पर पे लेवेल वा वेतन स्तर लागू भ गेल अछि जाहि मे समूह ग मे 1से 5 तक क वेतन स्तर, समूह ख मे 6 से. 9 तक क वेतन स्तर आ समूह क मे11 स 14तक क वेतन स्तर राखल गेल अछि जाहि मे चतुर्थ श्रेणी क कोनो अस्तित्व नहि रहि जाइत छैक। सातम वेतन आयोग क कारणे ई नव व्यवस्था कयल गेल अछि।
कैबिनेट क अन्य महत्वपूर्ण निर्णय मे राज्य मे प्राथमिक आ मध्य विद्यालय मे राज्य सरकार क अधीन स्वीकृत पद क लेल वित्तीय वर्ष 2018-19 क वेतन मद मे 1436 करोड़ टाका निर्गत कयल गेल। एहि मे नगर प्रारंभिक, प्रखंड आ पंचायत स्तरीय शिक्षक शामिल छथि।
एकर अतिरिक्त राज्य क विभिन्न सेवा आ संवर्ग मे प्रोन्नति क लेल वेतन स्तर क आधार पर टाईम बौंड प्रोन्नति देबाक प्रक्रिया पूरा कयल जायत। विहार न्यायायिक सेवा क सेवा क सेवानिवृत्त पदाधिकारी क पेंशन मे 1 जनवरी 2016 क प्रभाव सँ 30 प्रतिशत अंतरिम राहत देवाक स्वीकृत देस गेल।