नई दिल्ली । बिजली क्षेत्र मे सुधार लेल एशियन डेवलपमेंट बैंक 594 करोड़ टका क कर्ज बिहार कए देत। भारत सरकार आ एशियन डेवलपमेंट बैंक क बीच एहि गप पर समझौता भ गेल अछि। एहि ऋण स 31 दिसंबर, 2015 तक प्रदेश क उपभोक्ता कए प्रति वर्ष 47,2579 मेगावाट आवर अतिरिक्त बिजली आपूर्ति कैल जा सकत। इसस प्रदेश क सातटा जिला मे 2016 तक ट्रांसमिशन नुकसान कए सेहो तीन प्रतिशत कम कैल जा सकत। ऋण मे भेटल लगभग 500 करोड़ क उपयोग ट्रांसमिशन लाइन मे सुधार पर खर्च कैल जाएत। बाकी क उपयोग बिहार राज्य बिजली बोर्ड अपन आंतरिक क्षमता कए विकसित करबा मे खर्च करत। बैंक बिहार राज्य बिजली बोर्ड क प्रोजेक्ट आ वित्तीय प्रबंधन मे सुधार आ तकनीकी सहायता लेल तीन लाख डालर क अनुदान देबा लेल सेहो तैयार अछि। वित्त मंत्रालय क संयुक्त सचिव राजामोनी कहला अछि जे एडीबी क बिहार क ऊर्जा क्षेत्र कए मजबूत करबा लेल इ पहिल ऋण अछि। एहि स राज्य मे ट्रांसमिशन आ वितरण प्रणाली कए मजबूत करि कए वाणिज्यिक नुकसान कए कम करबा मे मदद भेटत। राज्य मे विकास आ पूंजी निवेश कए बढ़ावा भेटत। एडीबी क प्रद्युत दत्त कहला जे एडीबी एहि स पहिने 2008 मे बिहार स्टेट हाइवे फेज-1 क लेल लगभग दो हजार करोड़ आ 2010 मे स्टेट हाइवे फेज-2 लेल लगभग 1300 करोड़ टका ऋण देने छल। ओ कहला जे बैंक एहि वर्ष शहरी विकास क लेल ऋण देबा पर विचार करि रहल अछि। बिजली लेल भेल समझौता मे सरकार दिस स वित्त मंत्रालय क आर्थिक मामला विभाग क संयुक्त सचिव वेनु राजामोनी आ बैंक दिस स प्रद्युत दत्ता ऋण पत्र पर हस्ताक्षर केलथि। समझौता पर बिहार बिजली बोर्ड दिस स सचिव गणेश प्रसाद आ संयुक्त सचिव शंभू नाथ मिश्रा हस्ताक्षर केलथि।