पटना। विश्वस्तरीय डेस्कटॉप निर्माता कंपनी एन-कंप्यूटिंग बिहार क 600 सरकारी माध्यमिक स्कूल मे कंप्यूटर प्रदान करत। एन-कंप्यूटिंग क सह अध्यक्ष विल पुले कहला जे कंप्यूटर साक्षरता कए बढ़बा देबा लेल हुनकर कंपनी कए बिहार क 600 सरकारी माध्यमिक स्कूल मे पीपीपी मोड पर कंप्यूटर प्रदान करबा लेल सरकार चुनलक अछि। ओ कहला जे हुनकर कंपनी द्वारा बिहार क 600 सरकारी स्कूल मे 12टा सीट वाला कंप्यूटर लैब उपलब्ध कराउल जाएत जे न केवल कम बिजली क खपत करत बल्कि अन्य कंप्यूटर क तुलना मे 90 प्रतिशत सस्ता होएत आओर एकर रख-रखाव क खर्च सेहो अन्य कंप्यूटर क तुलना मे 75 प्रतिशत कम होएत। पुले कहलथि जे सामान्य कंप्यूटर मे जतए बिजली क खपत 120 वॉट होइत अछि, ओतही एन-कंप्यूटिंग क उपकरण केवल एक वॉट बिजली क खपत करैत अछि। ओ कहला जे एहि प्रकार स अन्य कंप्यूटर क तुलना मे हुनकर कंप्यूटर क दाम मात्र चार हजार रुपए अबैत अछि। पुले कहला जे वर्तमान मे हुनकर कंपनी द्वारा विश्व क छह महादेश क 140 देश मे सरकारी आ गैर सरकारी क्षेत्र मे अपन उपकरण उपलब्ध करौने छथि आ पूरा विश्व मे 2 करोड़ लोक हर दिन इस्तेमाल करि रहल अछि।