• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

65टा कंपनी कए भेटल 23 एकड़ भूमि

August 12, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । बिहार औद्योगिक क्षेत्र विकास प्राधिकार (बियाडा) 65टा कंपनी कए 23.15 एकड़ भूमि क आवंटन केलक अछि। इ कंपनी 111.54 करोड़ क निवेश करत। दरभंगा आ मुजफ्फरपुर क्षेत्रीय कार्यालय स 115 उद्यमी क प्रस्ताव आयल छल, जाहि मे स 65टा कए भूमि आवंटित करबाक अनुशंसा पीसीसी (परियोजना समाशोधन समिति) केलक अछि। तीन आ दस अगस्त कए पीसीसी क बैठक भेल छल जाहि मे बिहार राज्य नियंत्रण प्रदूषण पर्षद, सीआइआइ, बिहार इंडस्ट्रीज एसोसिएशन, बिहार चैंबर ऑफ कॉमर्स आ बियाडा क पदाधिकारी शामिल छलाह। मुख्यत फूड प्रोसेसिंग, प्लास्टिक, प्रेस आ वस्त्र उद्योग लेल मुजफ्फरपुर, रामनगर, सीतामढ़ी, दरभंगा, धरमपुर, पंडौल (मधुबनी), समस्तीपुर आदि औद्योगिक क्षेत्र मे भूमि आवंटित कैल गेल अछि।
वर्ष 2006 मे औद्योगिक नीति बनलाक बाद राज्‍य क विभिन्न जिला मे नव-नव उद्योग लागि रहल अछि। एहि स पहिने 20-25 साल मे स्थिति बेहद खराब भ चुकल छल। कईटा छोट-पैघ कंपनी मे ताले लगल छल।
उद्यमी राज्य स पलायन करि गेलाह। नव माहौल मे उद्यमी एक बेर फेर बिहार दिस आबि रहल छथि। हुनका आब सरकार दिस स सेहो सहयोग भेट रहल अछि। परिणाम देखल जा रहल अछि जे पांच साल मे 54टा नव कंपनी मे उत्पादन शुरू भ चुकल अछि अथवा पुरानी कंपनी क क्षमता क विस्तार भेल अछि। एहि मे करीब 80 फीसदी कंपनी मे उत्पादन पिछला एक वर्ष मे शुरू भेल अछि। एकर अलावा 146 कंपनी क निर्माण कार्य प्रगति पर अछि। एहि स 1,852 करोड़ क निवेश भ चुकल अछि।
जाहि 54टा कंपनी मे काज शुरू भेल अछि ओकर द्वारा 697 करोड़ टका क निवेश भेल अछि। उद्योग विभाग क राज्य निवेश प्रोत्साहन पर्षद स 486 इकाइ क प्रस्ताव मंजूर कैल जा चुकल अछि। एकर द्वारा कुल 2,52,220 करोड़ क पूंजी निवेश प्रस्तावित अछि। कृषि आधारित क्षेत्र हेबाक कारण स एहि ठाम खाद्य प्रसंस्करण उद्योग क अपार संभावना अछि। ताहि लेल सबस बेसी एहि क्षेत्र क 241टा कंपनी क प्रस्ताव कए मंजूरी देल गेल अछि। जाहि मे स 18टा इकाइ मे काज शुरू भ चुकल अछि। जाहि मे 220 करोड़ क निवेश भेल अछि। खाद्य प्रसंस्करण उद्योग लगेबा लेल सरकार कई प्रकार क (35 फीसदी तक) अनुदान सेहो दैत अछि।

एहि ठाम शुरू भेल उत्‍पादन
* फतुहा (पटना) : सोना ऑरो एग्रीकल्चर कृषि उपकरण क निर्माण, इंडियन ट्रैक्टर्स एंड कंपोनेंट्स ट्रैक्टर आ वाणिज्यिक वाहन क निर्माण, एमडी इंटरनेशनल मिनरल पाउडर क उत्पादन, राजलक्ष्मी उद्योग ऑफसेट पेपर प्रिंटिंग
* बिहटा (पटना) : गंगोत्री आयरन टीएमटी बार आ अन्य उत्पादन
* डेहरी (रोहतास) : नारायण चिकित्सालय मेडिकल कॉलेज क स्थापना, झुनझुनवाला वनस्पति रिफाइंड ऑयल
* सारण : रिन्यूएबल एनर्जी बायोमास बेस्ड आ गैसिफिकेशन सिस्टम स बिजली उत्पादन
* पूर्णिया : विद्या बिहार इंजीनियरिंग कॉलेज क स्थापना, ताज ट्रेडिंग मखाना लेल वेयर हाउस आ पैकेंजिंग फैसिलिटी
* गोपालगंज : चैतन्य गुरुकुल : मॉडल स्कूल आ इंजीनियरिंग कॉलेज क स्थापना, भारत शुगर मिल्स क्षमता विस्तार
* मुजफ्फरपुर : आम्रपाली एग्रो फूड्स फ्रेश फूड्स एंड वेजिटेबल यूनिट
* मझौलिया (प चंपारण) : एमपी चीनी इंडस्ट्रीज क्षमता विस्तार
* बिहिया (भोजपुर) : रेमको इंडस्ट्रीज एसबेस्टस आ अन्य क उत्पादन

स्वीकृत जे भेल परियोजना (खाद्य प्रसंस्करण)
* रुचि सोया इंडस्ट्रीज, दुर्गावती, कैमूर (198 करोड़),
* सुमन एग्रीटेक, कोइलवर, भोजपुर (110 करोड़),
* बंसल बिस्कुट, हाजीपुर (29 करोड़),
* जेवीएल एग्रो इंडस्ट्रीज लि, डेहरी, रोहतास (47 करोड़),
* झुनझुनवाला ऑयल मिल्स, कुदरा, रोहतास (19 करोड़),
* औरो सुंदरम इंटरनेशनल, फारबिसगंज, अररिया (64 करोड़)
* लावण्या फिनवेस्ट , मुजफ्फरपुर (36 करोड़)
* ब्रिटेनिया इंडस्ट्रीज लिमिटेड, हाजीपुर (55 करोड़)
* केवेन्टर फूड्स पार्क इन्फ्रा लि, कहलगांव, भागलपुर (130 करोड़)

2005 स पूर्व बंद भेल उद्योग
मोदी स्टील लिमिटेड, पटना, अंबुजा ग्रुप ऑफ कंपनी, पटना, लेदर कॉरपोरेशन क यूनिटें, अशोक पेपर मिल, दरभंगा, निगम क 17टा चीनी मिल, आइडीपीएल, मुजफ्फरपुर, प्रभात जर्दा फैक्टरी, मुजफ्फरपुर, मॉरटन कॉन्फेक्शनरी, मढ़ौरा, पाइसाइड्स फॉस्पेट केमिकल्स लिमिटेड, अमझौरयूबी डिसटिलरी, गोपालगंज, हिंदुस्तान फर्टिलाइजर, बरौनी, नेशनल टेक्सटाइल लिमिटेड, मोकामा।

Tags: उ़द्योगदरभंगाबिहार

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहारक पूर्णिया मे खुलत देशक पहिल जुट पार्क

Esamaad Epaper Website

10 माह मे पोलियो क कोनो नव मामला नहि

Esamaad Epaper Website

चंद्रलोक परिसर मे ढाई हजार गाडी लेल बनत पार्किग

Comments 1

  1. Anand kumar jha says:
    14 years ago

    very very development news…..

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि