• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दर्शकक स्‍नेह क परिणाम छी हमर दोसर फिल्‍म : मुरलीधर

July 21, 2011
in समाचार, साक्षात्‍कार
A A

मैथिलीक चर्चित फिल्म “सस्ता जिनगी महग सेनुर”क निर्देशक मुरलीधर मूलरूप सँ मिथिलाक निवासी छथि। भारत सरकारक छात्रवृति सँ 1978 में मुंबई पहुचि पद्म विभूषण पं. जसराज सँ संगीत सीखे लगलाह आ इप्टा सँ जुरलैथ। बीआर चोपडाक महाभारत मे कृपाचार्य सहित अनेको हिंदी,नेपाली आ मैथिली फ़िल्मक अभिनेता मुरलीधर निर्देशक रूप मे तखन चर्चित भेलाह जखन 1999 मे हिनक कथा-पटकथा-अभिनय-संगीत आ निर्देशन मे सस्ता जिनगी महग सेनुर प्रदर्शित भेल। आब हिनक दोसर मैथिलि फिल्म “सजना के आँगन मे सोलह सिंगार” प्रदर्शित होई बाला अछि। एहि सन्दर्भ मे प्रस्‍तुत अछि इ-समाद लेल किसलय कृष्ण संग भेल हुनक गप-सपक मुख्‍य अंश…

प्र.-मुंबई मे संगीत सीखैथ अनायास अभिनय आ निर्देशन दिस कोना भेल अपनेक पदार्पण ?
उ.-संगीत सीखबाक संगहि हम इप्टा सँ सेहो जुडि गेल छलहु आ यैह अभिनय-निर्देशन सँ आगाँ चलिक’
हमर जुडाव बनल….

प्र.-अपने फ़िल्मक प्रायः सभ विधाक काज केने छी…कने विस्तार सँ बताबियौक ईसमादक पाठक लेल…
उ.-जी..प्रारंभ मे हमर इच्छा पार्श्वगायक बनबाक छल…से किछु फ़िल्मक लेल कयबो केलहु…मुदा अपेक्षित
सफलता नहीं भेटल…पुनः संगीतकार बनबा लेल ज़ोगार मे लगलहु…पहिल बेर एकटा नेपाली फिल्म ‘देवकी’
क संगीत निर्देशन करैत पुनः हिन्दीक ‘मेम साहेब’,’यथार्थ’ आदि फ़िल्मक संगीत करबाक अवसर भेटल…आ फेर इप्टाक प्रभवे अभिनय दिस सेहो रुख कयल….

प्र.-पहिल बेर कोन फिल्म मे अभिनय कयलियैक…?
उ.-हिन्दीक ‘नक्सलपंथी’ आ तकर बाद नेपालीक कृष्णा मे बतौर नायक काज कयल आ हिंदी-नेपाली मे अभिनय सँ जुडल रहलहुं…

प्र.-आ सस्ता जिनगी महग सेनुर सँ निर्देशकीय पारी…..?
उ.-(खूब हँसैत) निश्चित…मुदा बड्ड कम लोक कें बुझल छैक जे हम एहि फ़िल्मक आधा निर्माता सेहो छलहु…बालकृष्ण झा आधा पैसा लगेने छलाह….जे से…निश्चित मैथिल दर्शक वर्गक अपार समर्थन भेटलैक…

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

प्र.-केहेन फायदा भेटल..?.हमर कहबाक तात्पर्य आर्थिक पक्ष सँ जुडल अछि…
उ.-किसलय जी…किछु-टा नहि…मुदा दर्शक जे स्नेह देलनि…तकरे प्रतिफल थीक जे आई हम दोसर फिल्म ‘सजना के आँगन मे सोलह सिंगार’ ल’क’ आबि रहल छी…

प्र.-मुदा एहि बीच मे हम कने ‘आउ पिया हमर नगरी’ दिस आन’ चाहब..जकर ९०% निर्देशन अहाँ कयने छलहुं…मुदा….?
उ.-(बात कटैत) एहि विन्दु पर फेर कहियो गप्प हेतैक….

प्र.-ठीक छै….सजना के आँगन ….के निर्माता के छथि आ कोन विषय-वस्तु पर अछि एकर पटकथा ?
उ.-संदीप झा शिक्षाविद छथि आ कैकटा इंजिनियरींग कॉलेज चला रहल छथि …वैह निर्माण क’ रहल छथि “सजना के आँगन मे सोलह सिंगार” क आ संवाद सेहो वैह लिखने छथि …कथा-पटकथा-संगीत आ निर्देशन हमर अछि…मिथिला समाज मे व्याप्त कुरीति सभ फ़िल्मक केंद्र मे अछि मुख्य फोकस विधवा विवाह पर अछि…..

प्र.-कने गीत-संगीत पर प्रकाश दैतियैक ….
उ.-सियाराम झा सरस आ स्वयं हमर गीत सभ अछि..जकरा उदित नारायण,साधना सरगम,दीपनारायण,इंदु सोनाली,बिनोद गुवार आ हम स्वयं सेहो स्वर देने छी…सरसक पुरान गीत ‘चेत कब्बड्डी …’ नव अंदाज़ मे अछि…

प्र.-अभिनय पक्ष मे के सभ छथि….आ फिल्म कहिया धरि प्रदर्शित हेबाक संभावना अछि…?
उ.-सस्ता जिनगी …क गजराज राजीव सिंह अपन खलनायाकीक दोसर पारी मे छथि…राहुल सिन्हा,राखी त्रिपाठी,तृप्ति नाडकर आदि से अभिनय सशक्त केने छथि आ से त’ दर्शक सेहो कहता….23,सितम्बर,2011 कें फिल्म प्रदर्शित करबाक योजना अछि….

प्र.-अंत मे मैथिली फिल्म उद्योग मे लागल युवा सभ लेल की कहबई अपनें …?
उ.-हम त’ यैह कहबनि जे पहिने सीखू आ तखन एहि क्षेत्र मे आउ आ मैथिली सिनेमा कें समृद्ध करू ….दोयम दर्ज़ा के काज नै करू … एहि सँ नै अहांक भला होयत आ ने मैथिलीक ….दर्शक सँ सेहो कहबनि जे बाज़ार सँ पायरेसी नहि कीनि…ओरिजिनल डिस्क कीनि अपन भाषाक फिल्म उद्योग कें समृद्ध करी …..

प्र-आगाँ की योजना सभ अछि मैथिली फ़िल्मक सन्दर्भ मे…?
उ.-एकटा नव फिल्म पर काज चलि रहल अछि …आगाँ माँ जानकीक इच्छा….

प्र.-अहाँ अपन व्यस्ततम समय मे सँ किछु समय द’ सकलहु ….ताहि लेल हम ईसमाद परिवार दिस सँ हार्दिक आभार प्रकट करैत छी…..
उ.-धन्यवाद…हमहूँ मुरलीधर मैथिलीक पहिल ई-पेपर ईसमाद कें शुभकामना आ धन्यवाद दैत छी…जे हमरा मोन पाडलहुं….

Tags: मुरलीधरमैथिलीसस्‍ता जिनगी महग सेनूरसिनेमा

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

नहि रहलाह फजलु रहमान हाशमी

Esamaad Epaper Website

छहटा बस स्टैंड मे बनत कामर्शियल काम्पलेक्स

Esamaad Epaper Website

बियाडा आवंटन मामला: धपैल विपक्ष आ धडफर मे मीडिया

Comments 9

  1. Sunil says:
    14 years ago

    इसमाद के धन्यवाद संगे किसलय जी के सेहो धन्यवाद एतेक सुन्दर इंटरव्यू प्रकाशित के लेल

    Reply
  2. pallavi thakur says:
    14 years ago

    मुरलीधर जी कें ईसमाद पढ़ि जानलहुं—-बहुत-बहुत धन्यवाद

    Reply
  3. atuleshwar jha says:
    14 years ago

    murlidhar jee sa interviewk lel kislay ke bahut subhkamna aa murlidhar jee ka agila filmk lel subhkamna.

    Reply
  4. Daman kumar jha says:
    14 years ago

    interview nik chhal….Kislayaji.Murlidharji ke dhanyabad,je maithili me cinema bna rahal chhathi.Hinka sang maithili cinema ke bahut duri taya karwak chhai.Punaha duno ke dhanyabad.

    Reply
  5. brajesh kumar jha says:
    14 years ago

    i janbak ichha chal j hunak dosar film kakhan aib rahal chhain. murlidhar k mithilak maan badhebak a maithil k jagruk karbak lel bahut bahut dhanybad.

    Reply
  6. ramesh kumar bhagat says:
    14 years ago

    thanks murlidhar for developing maithili film industry n also thanking to journalist kislay krishan for this intro

    Reply
  7. भास्करानंद झा भास्कर says:
    14 years ago

    मिथिला के प्रसिद्ध कलाकार, निर्देशक,गायक तथा संगीतकार मुरलीधर जी आर फ़िल्म आलेखक किसलय जी के सादर धन्यवाद अहि ज्ञानपरक,मनमोहक,तथा प्रेरक साक्षात्कार के लेल । ऎहन ऎहन समाचार पढि क मन खुश भय जायत आर गर्व से हो । किसलय जी सं विशेष आग्रह जे वो किछु आर कलाकारअक साक्षात्कार प्रस्तुत करथ। धन्यवाद

    Reply
  8. randhir mishra says:
    14 years ago

    मैथिली सिनेमाक शोमैन मुरली जीक साक्षात्कार नीक लागल…ईसमाद परिवार आ
    फ़िल्मकर्मी किसलय कृष्ण कय हार्दिक आभार देत छी ….रणधीर

    Reply
  9. amreet aanchal says:
    14 years ago

    thanx esamd group fr publishing filmography of murlidhar….

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि