पटना । राज्य सरकार आखिरकार विश्वविद्यालय मे छात्र संघ क चुनाव करेबाक निर्देश द देलक। जानकारीक अनुसार अगिला सत्र स छात्र संघ चुनाव भ सकत। पटना विश्वविद्यालय मे 1984 आ शेष विश्वविद्यालय मे 1980 क बाद चुनाव नहि भेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कई बेर चुनाव करेबाक गप कहने छलाह मुदा ठोस कार्रवाई नहि होइत छल। चुनाव करेबाक सरकार क निर्देश, मुख्यमंत्री क आश्वासन क कड़ी कहल जा सकैत अछि। शिक्षा मंत्री पीके शाही क अनुसार सरकार चुनाव करेबा लेल सबटा विश्वविद्यालय स कहि देलक अछि। शिक्षा विभाग क संयुक्त सचिव जितेंद्र कुमार एहि संबंध मे कुलसचिव सब कए एकटा पत्र लिखलथि अछि जाहि मे कहल गेल अछि जे विश्वविद्यालय, छात्र संघ क चुनाव करेबा लेल आब स्वतंत्र अछि। इ चुनाव बिहार विश्वविद्यालय अधिनियम 1976 आ पटना विश्वविद्यालय अधिनियम 1976 क धारा 43 आ 44 क तहत होएत। सरकारक एहि पत्र क बाद डा.भीमराव अंबेडकर बिहार विश्वविद्यालय चुनाव क तैयारी शुरू क देलक अछि। कुलपति डा. विमल कुमार कहला अछि जे अगिला सत्र मे लिंगदोह कमेटी क आधार पर छात्र संघ चुनाव होएत। कुलसचिव स कहल गेल अछि जे विद्यार्थी सब कए परिसर मे सेमिनार- बैसार करबा लेल मंजूरी द देल जाए।