पटना । सातम वेतन आयोग क सिफारिश पर कैबिनेट अपन मुहर लगा दलक अछि। पिछला 70 साल मे इ सबस कम वेतन वृद्धि भेल अछि। सरकारक एहि फैसला स कर्मचारी मे रोष अछि आ ओ सब हड़ताल पर जेबाक धमकी देलथि अछि। दरअसल पिछला 70 साल मे सबस कम इन्क्रीमेंट एहि वेतन आयेग देलक अछि। एहि वेतन आयोग मे एवरेज 16 परसेंट इन्क्रीमेंट कैल गेल अछि जखन कि छठम पे कमीशन 20 परसेंट इन्क्रीमेंट केने छल। नव सिफारिश लागू भेलाक बाद केंद्रीय कर्मी सबहक न्यूनतम वेतन 7000 स बढ़कए 18000 टका भ जाएत। हायर पे बैंड मे इ सैलेरी फिलहाल 90 हज़ार अछि जे बढ़कए 2,50,000 टका भ जाएत। यानी बेसिक पे मे कम स कम 3 गुना टोटल सैलेरी मे 23.5 परसेंट आ पेंशन मे 24 परसेंट इजाफा होएत।
नव स्केल
7000 क जगह 18000
13500 क जगह 35400
21000 क जगह 56100
46100 क जगह 118500
80000 क जगह 225000
90000 क जगह 250000