फेसबुक पर बनल सहरसा ग्रुप क तेसर मिलन समारोह सफल
मीडिया, साहित्य आ समाजिक व्यक्तित्व भेल सम्मानित
कवि सम्मेलन में जुटलाह कैक टा वरिष्ठ कवि
सहरसा । सोशल मीडिया सृजनात्मकता क लेल अछि एकरा विनाश क हथियार कतहू नहि बनाउ । सोशल मीडिया ज्ञानक एकटा सशक्त माध्यम अछि । आजुक समय मे जेकरा पास जतेक सूचना होएत ओ ज्ञानतंत्र मे ओतबे आँगा होएत । अपन छोट वक्तव्य में ओ कहला जे सोशल मीडिया पर जे खबर वा तस्वीर समाज हित मे नहि होए, ओकरा पोस्ट नहि करबाक चाही नहि त सोशल मीडिया वरदान नहि अभिशाप साबित होएत । उक्त गप रवि दिन कोसी क सबसे पैघ फेसबुक ग्रुप सहरसा ग्रुप क मिलन समारोह क संबोधित करैत भारतीय जनता पार्टी क प्रदेश उपाध्यक्ष आ पीजी सेंटर सहरसा क मैथिली विभागाध्यक्ष श्री रामनरेश सिंह कहला ।
सहरसा जिला मुख्यालय क रेड क्रॉस भवन मे फेसबुक ग्रुप सहरसा द्वारा आयोजित मिलन समारोह क अध्यक्षता भारतीय जनता पार्टी क प्रदेश उपाध्यक्ष डॉ. रामनरेश सिंह, (विभागाध्यक्ष मैथिली विभाग, पीजी सेंटर सहरसा) केलथि । एहि मौका पर मुख्य अतिथि सोशल मीडिया आ ब्लागिंग जगत क चर्चित शख़्सियत डॉ० रवीन्द्र प्रभात (लखनऊ), विशिष्ट अतिथि सहरसाक सदर अनुमंडल पदाधिकारी मो. जहाँगीर आलम, सहरसाक एसडीपीओ सुबोध विश्वास, गज़लकार आ शायर अनिरूद्ध सिन्हा, समकालीन कविता क सशक्त हस्ताक्षर कुमार विजय गुप्त (मुंगेर), डॉ० के एस ओझा (प्राचार्य एस०एन०एस कॉलेज, सहरसा), कवि अरविन्द प्रसाद मिश्र नीरज, अरविन्द श्रीवास्तव आदि कैकटा महत्वपूर्ण लोगक उपस्थिति समारोह कए सफल बनेबा मे महत्वपूर्ण भूमिका अदा केलथि ।
मुख्य वक्ता क रूप मे श्री रविन्द्र प्रभात कहला जे सोशल मीडिया आय सबहक जरूरत अछि । हरेक परिवार मे कम से कम एक गोटेक सोशल मीडिया पर जरूर हेबाक चाहि । एहि स नहि खालि ज्ञान बढ़त अपितु सामाजिक समरसता सेहो आउत । कार्यक्रम मे वरिष्ट कवि श्री अनिरूद्ध सिन्हा, विजय गुप्त, रविन्द्र प्रभात, अरविन्द मिश्र, अरविन्द श्रीवास्तव, आनंद आदि कवि अपन गजल आ कविता क माध्यम से माहौल क खुशनुमा बनेलथि ओतहि शशि सरोजनी रंगमंचक कलाकर सब अपन अद्भुत प्रस्तुति स दर्शक क मोन जीति लेलक ।
सम्मानित भेल मीडिया, साहित्य आ समाजिक व्यक्तित्व
कला, साहित्य, मीडिया आ समाजिकता क क्षेत्र में अभिनव योगदान क लेल सहरसा क कैक गोटे सम्मानित सेहो भेल । सम्मानित व्यक्तिि कए सहरसा ग्रुप क मोमेंटो दए कए सम्मानित कैल गेल । सम्मानित व्यक्तिि मे सर्वनारायण सिंह कॉलेज क प्रार्चाय डॉ के एस ओझा, मधेपुरा टाईम्स क संस्थापक श्री राकेश सिंह, इसमाद क सुनिल कुमार झा, सहरसा टाईम्स क श्री चंदन कुमार, कोशी एक्सप्रेस क कुनाल किशोर, कवि अरविन्द मिश्र आओर अरविन्द श्रीवास्तव आओर व्यवसायी शशि शेखर सम्राट आदि महत्वपूर्ण छथि ।