विशेष समदिया
नयी दिल्ली । बिहार आ झारखंड कए जोड़बा लेल गंगा नदी पर साहेबगंज स मनिहारी क बीच चारि लेन क गंगा पुल क निर्माण क रास्ता साफ भ गेल अछि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी क अध्यक्षता में आर्थिक मामला क कैबिनेट कमिटी 22 किलोमीटर लंबा राजमार्ग परियोजना कए मंजूरी देलक। एहि पुल क निर्माण पर कुल 1954.77 करोड़ खर्च होएत। एहि मे भूमि अधिग्रहण, पुनर्वास समेत सबटा खर्च शामिल अछि। पुल समेत रोड क कुल लंबाई 22 किलोमीटर होएत। इ सड़क साहिबगंज बायपास स मनिहारी बायपास क बीच बनत। राष्ट्रीय राजमार्ग हाइब्रिड मोड क तहत एकर निर्माण कराउत। एहि पुल कए चारि साल मे तैयार क देल जाएत। नब लिंक रोड क 16 किलोमीटर हिस्सा झारखंड मे होएत, जे साहिबगंज स शुरू होएत। एकर अलावा छह किलोमीटर क एक अन्य खंड नरेनपुर लग स शुरू होएत, जतए मनिहारी बायपास पर राष्ट्रीय राजमार्ग 133बी आ 131ए मिलत। एहि मे चारि किलोमीटर पुल सेहो शामिल अछि।
इ राष्ट्रीय राजमार्ग 131ए आ राष्ट्रीय राजमार्ग 133बी कए जुड़त। एखन झारखंड आ बिहार कए जोड़बा लेल गंगा नदी पर कोनो पुल नहि अछि। एकरा बनला स उत्तर-पूर्व और दक्षिण भारत क बीच क दूरी 200 किलोमीटर कम भ जाएत।